• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

कुशेश्‍वर स्‍थान मे बनत बर्ड रेस्‍क्‍यू आ ब्रीडिंग सेंटर

March 22, 2017
in समाचार
A A

दरभंगा । दरभंगा क पूर्वी दियारा क दिन बहुरय बला अछि । किछुए दिन मे इ इलाका पर्यटन स्‍थल क रूप मे जानल जाएत । दरभंगा शहर से पैंसठ किलोमीटर दूर दरभंगा, सहरसा, सुपौल आ समस्‍तीपुर क सीमा पर स्‍थित कुशेश्‍वर स्‍थान क चयन क कए विभाग क प्रक्रिया तेज कए देल गेल अछि ।

मिथिला वन प्रमंडल दिस स सरकार कए भेजल गेल विशेष प्रस्‍ताव मे एहि योजना क प्रारूप बनेबा स लए कए एकर क्रियान्‍वयन क काज शुरू भए गेल अछि । तत्‍काल तीस लाख सत्‍तर हजार सात सौ बानवे टकाक लागत क प्रारूप तैयार कए भेजल जा चुकल अछि । हलांकि आन प्रस्‍ताव लेल सेहो प्रारूप भेजबा लेल तैयार अछि । पहिल फेज में विकास क मद मे बाइस लाख टकाक स्‍वीकृति सेहो भेटल अछि । ओना त दू हजार नो सो तेइस हैक्‍टेयर भूमि बर्ड रेस्‍कयू क लेल अछि मुदा ओकर बेहतर विकास लेल 80 एकड़ भूमि अधिग्रहण कए बर्ड रेरेस्‍क्‍यू सेंटर आ ब्रीडिंग सेंटर बनेबाक योजना लगभग तय मानल जा रहल अछि । एहि लेल संबंधित विभाग कए रिपोर्ट भेजल जा चुकल अछि । ऐतबे टा नहि देहरादून स्‍थित एफआरआई सेन्‍टर कए एतय बीच-बीच मे आबय लेल चारि लाख टकाक आवंटन राशि उपलब्‍ध कराओल गेल अछि । विभाग ओकरा सेहो भेज देलक अछि । टीमक कैक टा वैज्ञानिक एतय आबिकए एकर जायजा सेहो लए चुकल अछि ।

ज्ञात होए जे बहुत साल से कुशेश्‍वरस्‍थान क ई इलाका साइबेरियन सहित आन आन विदेशी पक्ष‍ी क बसेरा बनल अछि । साल 1995 मे बर्ड रेस्‍क्‍यू सेन्‍टर क लेल स्‍वीकृति भेटल आ काज सेहो शुरू भए गेल छल । हलांकि एतय बेसी जाड़ क वजह से पक्षि क जमावड़ा सेहो एतय लागल रहैत अछि । ओहि क देखभाल आ नाव स गश्‍ती करबा क लेल काज सेहो शुरू अछि । वन विभाग सेहो समय समय पर कार्यक्रम करबैत रहैत अछि ताकि लोगक बीच जागरूकता बनल रहय ।

गॉंमक लोग कए भेटत सुविधा

कुशेश्‍वर स्‍थान इलाका क पैंतीसटा गामक चयन एहि योजना क लेल भेल अछि । संबंधित गामकए रोशनी स जगमग करबा कए योजना अछि । ओ‍तहि हरेक गाम आ चौंक पर सोलर लाइट लगनाय अछि । बर्ड रेस्‍क्‍यू सेंटर आ ब्रीडिंग सेंटर क बीच-बीच मे खाली जगह पर वॉच टावर क निर्माण होएत । संग-संगे एहि पैतीस गाम मे लोग कए रोजगारक सुविधा त भेटबे करत संगे वन विभाग आन आन मदद सेहो पहुँचेबाक योजना पर विचार कए रहल अछि । एहि लेल गामक लोग कए दस-दस टा मुर्गी देबाक क व्‍यवस्था करल जा रहल अछि संगे-संग पाँच-पाँच टा फलदार आमक गाछ सेहो देल जाएत ताकि ओ अपन आर्थिक उन्‍नति करैत रहय ।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पर्यटक लेल सेहो रहत विशेष व्‍यवस्‍था

पर्यटक लेल कोनो असुविधा नहि होए एहि लेल सेहो विशेष ध्‍यान देल जाएत । पर्यटन विश्रामागार, पर्यटन वाहन, आ अल्‍पाहार क व्‍यवस्‍था विकसीत कैल जाएत । स्‍थानीय भोजन परंपरा कए सेहो विकसीत कैल जाएत । मोटरबोट आ नॉव क व्‍यवस्‍था सेहो कैल जाएत । एहि क अलावा रेलवे व्‍यवस्‍था क सुगम बनेबाक योजना पर सेहो विचार चलि रहल अछि । एतबे टा नहि बैठक आ प्रर्दशनी हॉल क संग पर्यटक कए सुविधा भेटय एकरो इंतजाम करल जा रहल अछि । पर्यटक कए सुरक्षा भेटय एहि क लेल स्‍थानीय लोगक संग-संग सुरक्षाकर्मी कए सेहो तैनात कैल जाएत । एहि क अलावा एहि दिस लोगक रूझान होए ऐहि लेल मखानाक खेती, मिथिला चित्रकला आ स्‍थानीय वस्‍तु कए प्रचारित करबा क लेल बजार सेहो ताकल जाएत आ ब्रिकी क व्‍यवस्‍था सुनिश्‍च‍ित कैल जाएत ।

Tags: Bird Breeding CenterBird Rescue CenterBird SencutryKusheshwar Sthan

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

कियो नहि उठेलक मिथिलाक विकासक नैतिक दायित्व

मिथिलांचल नाट्य महोत्सव क समापन, दर्शक भेल मंत्रमुग्ध

फेर बिहारी भेला टाटा, पटना मे खुलत टीसीएस क कॉल सेंटर

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि