• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

मिथिलांचल नाट्य महोत्सव क समापन, दर्शक भेल मंत्रमुग्ध

April 17, 2017
in समाचार
A A
91
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

शशी सरोजनी रंग मंच संस्‍थान करोलनि सहरसा मे तीन दिवसीय नाट्य महोत्‍सव
कत्‍थक कलाकर क प्रस्‍तुति स दर्शक भेल गदगद
मोहन राकेश लिखित नाटक आषाढक एक दिन क भेल मंचन

सहरसा । शहर क जिला परिषद प्रांगण मे आयोजित तीन दिवसीय मिथिलांचल नाट्य महोत्सव क समापन रवि दिन भेल । शशि सरोजनी रंगमंच सेवा संस्‍थान दिस से होमय बला एहि महोत्सव मे कलाकार सभ अपन प्रस्तुति स लोग सभक मन मोहि लेलन्‍हि । पूरा महोत्सव लोक नृत्य आ लोक संगीत क नाम रहल । भारत नाटयम, कत्थक, मणिपुरी संग कतेक रास लोक नृत्य सभ दर्शक कए झुमबा लेल मजबुर कए देलनि ।

शशि सरोजनी रंगमंच सेवा संस्थान द्वारा आयोजित तीन दिवसीय मिथिलांचल नाट्य महोत्सव मे तारीख सरकार आ पुजा पॉल, श्रेया गॉंगुली आ शाहीद आलम क कथक, हेमंत विश्‍वकर्मा क मणिपूरी नृत्‍य, मधुर मुखर्जी आ सोमा मंडल क भरतनाट्यम पर दर्शक झुमी उठल ।

जमशेदपुर स आयल तारीख सरकार आओर पूजा पॉल क कत्थक में अद्भुत युगलबंदी छल संगे कोलकाता स आयल हेमंत विश्वकर्मा क मणिपुरी नृत्य आओर मधुरा मुखर्जी क भरतनाट्यम स दर्शक भाव विभोर भए उठल । रितेश पर्मार क नाटक कैंडल मार्च सेहो बेस प्रशंसनीय रहल ।

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

मोहन राकेश द्वारा लिखित आ कुंदन वर्मा द्वारा निर्देंशित नाटक आषाढक एक दिन क मंचन सेहो कैल गेल । एहि नाटक क सहायक निर्देशक आनंद झा छलथि । नाटक मे प्रवीण कुमारी, रोहित झा, संजय कुमार, प्रकाश कर्ण, आनंद झा, शक्ति शिवानी, वर्षा कुमारी, शुभम कुमार, ज्योतिष कुमार, इन्द्रजीत कुमार आदि अभिनय केलनि आ दर्शक क वाहवाही बटौरलनि । महाकवि कालिदास क निजी जीवन पर केन्द्रित एहि नाटक मे महिला रंगकर्मि सभ सशक्त अभिनय केलनि ।

एहि मौका पर ”रंगमंच पर सामाजिक चेतना” विषय पर व्याख्यान सेहो आयोजित कैल गेल । जाहिमे मुख्य रूप स मुंगेर स आयल साहित्यकार विजय कुमार गुप्त, अजय कुमार सिंह, रूपेश कुमार आदि शिरकत केलनि । कार्यक्रम केर संचालन संस्थान के सचिव वंदना वर्मा केलनि । एहि मौका पर हरिशंकर श्रीवास्तव शलभ, संरक्षक अधिवक्ता अशोक कुमार वर्मा, रमण कुमार झा, कुंदन वर्मा आदि उपस्थित छलथि । एहि कार्यक्रम क सहयोगी छल बिहार सरकार क कला संस्कृति आ युवा विभाग ।

Tags: Mithilanchal Natya MahotsavSashi Sarojini Rangmanch
Share91TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

फेर बिहारी भेला टाटा, पटना मे खुलत टीसीएस क कॉल सेंटर

बिहार कए मेट्रो स दूर रखबा लेल केंद्र बनाउत नव कानून

यूपीएससी मे मैथिली फेर बनेलक रिकार्ड, 22 मे स 13 गोट छात्र सफल

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

बेसी पढ़ल गेल

दरभंगाक रंगमंचक अन्हार दुर कए रहल छथि‍ प्रकाश

by संपादक
December 22, 2017
0

Read more

तिरहुतक पहिल कारोबारी शहर छल नाथपुर

by संपादक
March 15, 2018
0

Read more

अध्यात्मिक और शैक्षणिक दृष्टिकोण सँ प्रख्यात रहल अछि लोहना पाठशाला 

by संपादक
September 4, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि