सावित्री कुमारी

दरभंगा स्थित महाराजा लक्ष्मीश्वर सिंह संग्रहालय आ बाबू चंद्रधारी सिंह संग्रहालय क निरीक्षण लेल पूरा दल बल संग दरभंगा एलाक बाद मुख्यमंत्री मिथिलाक धरोहरक दशा पर चिंता व्यक्त केलथि। महाराजा लक्ष्मीश्वर सिंह संग्रहालय मे मुख्यमंत्री सबस पहिने नव निर्मित शाही गैलरीक लोकार्पण केलथि। गैलरीक आकार देखि मुख्यमंत्री आश्चर्य प्रकट केलथि। भवन निर्माण विभाग क प्रधान सचिव चंचल कुमार दिस तकैत नीतीश कहला जे इ भवन संग्रहालय लेल कोना बनल। चंचल कुमार स पूर्व मुख्यसचिव अंजनी कुमार उत्तर देलथि जे बिना एहि ठामक सामान कए देखने भवनक निर्माण भेल। एहि पर मुख्यमंत्री आपत्ति दर्ज करैत कहला जे इ भवन त संग्रहालयक मानक कए पूरा नहि करैत अछि। एकर बाद मुख्यमंत्री ओहि गैलरी मे गेलाह जाहि में मिथिलाक विशाल राज सिंहासन राखल अछि। मुख्यमंत्री भवन निर्माण विभागक प्रधान सचिव चंचल कुमार कए निर्देश देलथि जे एहि विशाल सिंहासन लेल इ भवन नहि अछि, एकर प्रदर्शन एतबा छोट आकारक कोठली मे कोना संभव अछि। एहि पर चंचल कुमार कहलथि जे भवन सामान्य मानकक अनुरूप बनल छल, संग्रहालय कए ध्यान मे राखि कए एकर निर्माण नहि भेल अछि। मुख्यमंत्री एहि पर कहला जे एहि संग्रहालय लेल विशाल आ भव्य भवनक प्रारूप तैयार कैल जाये जाहि स एहि ठाम राखल वस्तुक सही तरीका स प्रदर्शित कैल जा सकए। एकर बाद नीतीश हाथी दांत आ लकड़ी स बनल कलाकृति देखबा लेल तेसर कोठली मे गेलाह। कलाकृतिक दशा देखि क्यूरेटर शिवकुमार मिश्रा स मुख्यमंत्री पूछलथि जे एकर संरक्षण लेल अहां सब की रहल छी। लकडी क संरक्षण लेल कोनो तकनीक क जे विश्वस्तर पर अछि ओकर उपयोग क एकरा सब कए संरक्षित कैल जाये। इ कलाकृति सब अदभुत आ अनमोल धरोहर अछि। मुख्यमंत्री कहला जे जरुरी नहि जे सबटा वस्तुक प्रदर्शन हुए मुदा सबटा वस्तुक संरक्षण हो ताहि लेल योजना तैयार कैल जाये आ पता लगाउल जाये जे इ कोना भ सकैत अछि।

संग्रहालय सबहक निरीक्षण क बाद पत्रकार स गप करैत मुख्यमंत्री कहला जे एहि ठाम राखल वस्तुक संरक्षण आ प्रदर्शन सही तरीका स हो ताहि लेल सरकार काज क रहल अछि। सरकार चाहैत अछि जे एहि ठामक वस्तुक प्रदर्शन एहि प्रकार स हुए जे एकरा देखला पर दशज़्क कए ओकर प्रभाव पडै। युवा पीढी मे इतिहास आ धरोहरक प्रति ललक बढेबा लेल सरकार संग्रहालयक विकास क रहल अछि। दरभंगा क तीनू पोखरीक विकास लेल स्थानीय विधायक संजय सरावगीक मांग पर मुख्यमंत्री कहला जे इ योजना त पहिने स सरकारक ध्यान मे अछि। नगर विकास सचिव स योजनाक प्रगति संबंधी सवाल करैत मुख्यमंत्री कहलथि जे एहि मे की दिक्कत अछि। नगर विकास सचिव कहला जे केंद्र सरकार लग योजना गेल अछि ओहि ठाम स टका आउत त काज शुरु क देल जायत। एहि पर मुख्यमंत्री कहला जे टकाक कोनो कमी नहि अछि। राज्य सरकार क स्तर पर एकरा देखू।