• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

भव्य आ विशाल होएत महाराजा लक्ष्मीश्वर सिंह संग्रहालयक नव भवन

November 16, 2017
in समाचार
A A
290
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
सावित्री कुमारी
दरभंगा । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मिथिलाक एतिहासक धरोहर कए बचेबा लेल ठोस पहल करैत महाराजा लक्ष्मीश्वर सिंह संग्रहालय लेल भव्य और विशाल भवन बनेबाक निर्णय लेलथि अछि।
दरभंगा स्थित महाराजा लक्ष्मीश्वर सिंह संग्रहालय आ बाबू चंद्रधारी सिंह संग्रहालय क निरीक्षण लेल पूरा दल बल संग दरभंगा एलाक बाद मुख्यमंत्री मिथिलाक धरोहरक दशा पर चिंता व्यक्त केलथि। महाराजा लक्ष्मीश्वर सिंह संग्रहालय मे मुख्यमंत्री सबस पहिने नव निर्मित शाही गैलरीक लोकार्पण केलथि। गैलरीक आकार देखि मुख्यमंत्री आश्चर्य प्रकट केलथि। भवन निर्माण विभाग क प्रधान सचिव चंचल कुमार दिस तकैत नीतीश कहला जे इ भवन संग्रहालय लेल कोना बनल। चंचल कुमार स पूर्व मुख्यसचिव अंजनी कुमार उत्तर देलथि जे बिना एहि ठामक सामान कए देखने भवनक निर्माण भेल। एहि पर मुख्यमंत्री आपत्ति दर्ज करैत कहला जे इ भवन त संग्रहालयक मानक कए पूरा नहि करैत अछि। एकर बाद मुख्यमंत्री ओहि गैलरी मे गेलाह जाहि में मिथिलाक विशाल राज सिंहासन राखल अछि। मुख्यमंत्री भवन निर्माण विभागक प्रधान सचिव चंचल कुमार कए निर्देश देलथि जे एहि विशाल सिंहासन लेल इ भवन नहि अछि, एकर प्रदर्शन एतबा छोट आकारक कोठली मे कोना संभव अछि। एहि पर चंचल कुमार कहलथि जे भवन सामान्य मानकक अनुरूप बनल छल, संग्रहालय कए ध्यान मे राखि कए एकर निर्माण नहि भेल अछि। मुख्यमंत्री एहि पर कहला जे एहि संग्रहालय लेल विशाल आ भव्य भवनक प्रारूप तैयार कैल जाये जाहि स एहि ठाम राखल वस्तुक सही तरीका स प्रदर्शित कैल जा सकए। एकर बाद नीतीश हाथी दांत आ लकड़ी स बनल कलाकृति देखबा लेल तेसर कोठली मे गेलाह। कलाकृतिक दशा देखि क्यूरेटर शिवकुमार मिश्रा स मुख्यमंत्री पूछलथि जे एकर संरक्षण लेल अहां सब की रहल छी। लकडी क संरक्षण लेल कोनो तकनीक क जे विश्वस्तर पर अछि ओकर उपयोग क एकरा सब कए संरक्षित कैल जाये। इ कलाकृति सब अदभुत आ अनमोल धरोहर अछि। मुख्यमंत्री कहला जे जरुरी नहि जे सबटा वस्तुक प्रदर्शन हुए मुदा सबटा वस्तुक संरक्षण हो ताहि लेल योजना तैयार कैल जाये आ पता लगाउल जाये जे इ कोना भ सकैत अछि।
एहि स पूर्व महज 4 दशक में जर्जर भ चुकल बाबू चंद्रधारी संग्रहालयक भवन देखि मुख्यमंत्री एकर जीर्णोधार लेल भेल काज पर नाराजगी प्रकट केलथि आ तत्काल जीर्णोधारक नामपर भेल काजक समीक्षा करबाक निर्देश देलथि। मुख्यमंत्री टूटल टाइल्स आ अव्यवस्थित बिजलीतार देखि कहलथि जे ऐना कोना चलत, इ सब ठीक हेबाक चाही। मुख्यमंत्री कहला जे चंद्रधारी संग्रहलय कए जगह क कमी नहि अछि मुदा गैलरीक सही तरीक स निर्माण नहि कैल गेल अछि। संग्रहलय मे राखल वस्तुक जानकारी दैत राज परिवारक सदस्य बाबू श्रुतिधारी सिंह एकर एतिहासिक महत्व आ पौराणिक संदर्भ स मुख्यमंत्री कए अवगत करौलथि। कला संस्कृति विभाग क प्रधान सचिव चैतन्य प्रसाद स मुख्यमंत्री कहलथि ले वस्तुक प्रदर्शन आओर नीक प्रकार स कोना भ सकत ताहि पर विचार कैल जाये। मुख्यमंत्री कहला जे दरभंगा में मिथिला नहि अपितु बिहार आ भारतक धरोहर अछि जेकरा स नव पीढी कए अवगत करायब हमर सबहक दायित्व छी। चंद्रधारी संग्रहालय मे बनल पार्क देखि मुख्यमंत्री एकरा विकास लेल सेहो निर्देश देलथि।
संग्रहालय सबहक निरीक्षण क बाद पत्रकार स गप करैत मुख्यमंत्री कहला जे एहि ठाम राखल वस्तुक संरक्षण आ प्रदर्शन सही तरीका स हो ताहि लेल सरकार काज क रहल अछि। सरकार चाहैत अछि जे एहि ठामक वस्तुक प्रदर्शन एहि प्रकार स हुए जे एकरा देखला पर दशज़्क कए ओकर प्रभाव पडै। युवा पीढी मे इतिहास आ धरोहरक प्रति ललक बढेबा लेल सरकार संग्रहालयक विकास क रहल अछि। दरभंगा क तीनू पोखरीक विकास लेल स्थानीय विधायक संजय सरावगीक मांग पर मुख्यमंत्री कहला जे इ योजना त पहिने स सरकारक ध्यान मे अछि। नगर विकास सचिव स योजनाक प्रगति संबंधी सवाल करैत मुख्यमंत्री कहलथि जे एहि मे की दिक्कत अछि। नगर विकास सचिव कहला जे केंद्र सरकार लग योजना गेल अछि ओहि ठाम स टका आउत त काज शुरु क देल जायत। एहि पर मुख्यमंत्री कहला जे टकाक कोनो कमी नहि अछि। राज्य सरकार क स्तर पर एकरा देखू।
Tags: darbhangaLakshmishwar Singhnitish kumarSanjay Saraogi
Share290TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

मिथिलाक चीनीसं मुंह मिठेता लोक, फेरसं खोलल जायत रैयाम चीनी मिल

मैथि‍ली मचान बनत विश्व पुस्तक मेलाक पहचान

Esamaad Epaper Website

विद्यापति क नजरि मे आधुनिक हेबाक व्‍यापक अर्थ

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि