दरभंगा । दरभंगाक कामेश्वर नगर स करीब 12 लाख टका मे अवैध रूप स बेचल गेल लुप्त प्रजातिक मयूरपंखी गाछ क आब जांच होएत। ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय में 2005 स ल कए 2015 तक करीब 143 करोडक धांधली सामने आयल अछि। एहि मे परिसर स कठ चंदन आ लुप्त प्रजातिक गाछ मयूरपंखी कए अवैध रूप स बेचबाक मामला सेहो प्रकाश मे आयल अछि। अमित कुमार मंडल अपन आरटीआइ क माध्यम स जखन ऑडिट रिपोर्ट संस्थान स मंगलथि तखन इ गडबडी उजागर भेल अछि।
अप्रैल 7 से जनवरी 15 तक कुल 143 करोड टका क विभिन्न मद स घोटाला कैल गेल अछि। जाहि प्रकार क गडबडी सामने आयल अछि ओहि स पूर्व कुलपति समेत कईटा अधिकारी जांच क घेरा मे आबि गेलथि अछि। ऑडिट रिपोर्ट क अनुसार केवल दू टा योजना मे 67 करोड क गडबडी पाउल गेल अछि। एतबा पैघ राशि कए ऑटो स्विफ्ट खाता मे राखल गेल अछि। एकर कोनो खाता-बही नहि अछि। अनुदान मद मे सेहो 4 करोड क घोटाला अछि। मामला उजागर भेला पर पूरा कागजात समेत रिपोर्ट पटना पठाउल गेल अछि। विवि प्रशासन मे दहशत अछि । कियो किछु बजबा लेल तैयार नहि
अछि। उल्लेखनीय अछि जे जिलाक एकटा कद्दावर नेताक सहोदर भाई कए अनियमितता क कारण किछु दिन पूर्व निलंबित क देल गेल छल। एकर बाद उजागर भेल एहि अनियमितता स कईटा आओर कद्दावर नाम आरोपित सूची मे शामिल भ गेलाह अछि। सरकार जांच करेबाक घोषणा क देलक अछि। कागजात क अध्ययन क बाद जांच क स्तर आ स्वरूप तय होएत।