नीलू कुमारी

एल्सटॉम कंपनी क एशियन रीजन क सीनियर प्रेजिडेंट जेनफ्रेंन कोइस बीडीओइन एहि प्रोजेक्ट कए मेकइन इंडिया क उदाहरण कहलाह। ओ कहला जे फरवरी 2018 क अंत तक मधेपुरा मे बनल इंजन पटरी पर आबि जायत। एहि ठाम बनल लोकोमोटिव इंजन क गति 120 किलोमीटर प्रति घंटा होएत।
एहि अवसर पर जिलाधिकारी मो सोहेल कहला जे लोकोमोटिव इंजन क काज शुरू भेला स मधेपुरा क आर्थिक आ सांस्कृतिक विकास होएत। ओ कहला जे रेल फैक्ट्री मे निर्माण कार्य शुरू भेला स मधेपुरा नहि बल्कि संपूर्ण प्रदेश लेल पैघ उपलब्धि अछि। एहि मौका पर एल्सटॉम क प्रोजेक्ट डायरेक्टर जेन क्रिस्टोफ गोवर्ट, रेलवे सीएओ खुशीराम, डीएम मो. सोहैल, एसपी विकास कुमार आदि मौजूद छलथि।
उल्लेखनीय अछि जे मधेपुरा मे रेल इंजन कारखानाक प्रस्ताव तत्कालीन रेलमंत्री लालू प्रसाद अपन रेल बजट मे रखने छलाह।