• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहारक पार्टी खारिज मुदा 9 फीसदी सीट पर मैथिलक जीत

आपक 62टा विधायक मे स 5टा विधायक बिहारक छथि। 70 विधायकवाला दिल्‍ली विधानसभा मे एहि बेर छहटा विधायक बिहारी अछि। लक्ष्‍मीनगर स दरभंगाक रहनिहार भाजपा उम्‍मीदवार जीत दर्ज केलथि अछि। एहि बेर सदनक बिहारी विधायकक कुल संख्‍याक 9 फीसदी अछि। जाहि मे स अधिकतर मैथिल छथि।

February 12, 2020
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

दिल्‍ली स संतोष कुमार

नयी दिल्‍ली । दिल्ली विधानसभा चुनाव मे एक बेर फेर केजरीवाल परचम लहरा देलथि। बिहारक पार्टी जदयू, राजद आ लोजपा मैदान मे जरुर उतरल मुदा वोटर नहि त बिहारक पार्टी कए समर्थन देलक आ नहि बिहार स गेल नेता कए कोनो भाव देलक। तीनू पार्टी खाता तक नहि खोललक आ अधिकतर सीट पर जमानत सेहो नहि बचा सकल। जखन कि केजरीवाल क पार्टी 70 मे स कुल 62टा सीट पर जीत दर्ज केलक। 62 विधायक मे स 5टा विधायक बिहारक छथि। 70 विधायक वाला दिल्‍ली विधानसभा मे एहि बेर छहटा विधायक बिहारी पहुचलाह अछि। लक्ष्‍मीनगर स दरभंगाक भाजपा उम्‍मदवारक रूप मे जीत दर्ज केलथि अछि। एहि बेर सदनक मैथिल विधायकक कुल संख्‍या क 9 फीसदी अछि। जाहि मे स अधिकतर मैथिल छथि। संजीव झा (आप,बुराड़ी), रितुराज झा (आप,किराड़ी), राजेश रिषि (आप,विकासपुरी), बन्दना कुमारी(आप, शालीमारबाग), विजय मिश्र (आप,द्वारका), अभय वर्मा (भाजपा, लक्ष्मीनगर) इ ओ विधायक छथि जे एहि बेर जीत कए सदन क सदस्‍य भेलाह अछि।

जहां तक बिहारक नेता आ बिहारक पार्टी क गप अछि त दिल्‍ली क जनता हिनका सब कए कोनो भाव नहि देलक। दिल्ली विधानसभा चुनाव मे राजद अपन सहयोगी कांग्रेस संग गठबंधन मे चारिटा सीट पर अपन उम्मीदवार उतारलक, जखन कि जदयू भाजपाक संग गठबंधन करि कए दूटा सीट पर उम्‍मीदवार देने छल। राजद उत्तम नगर, किराड़ी, पालम और बुराड़ी मे दावेदारी केलक। उत्तम नगर मे राजद प्रत्याशी शक्ति कुमार बिश्नोई कए 377 वोट भेटल। एहि सीट स आम आदमी पार्टी क नरेश बालियान जीत दर्ज केलक। पालम सीट पर राजद प्रत्याशी निर्मल कुमार सिंह कए 552 वोट भेटल । एहि सीट स आप क भावना गौड़ जीत दर्ज केलथि। किराड़ी सीट स राजद प्रत्याशी रियाजुद्दीन खान मुश्किल स 256 वोट भेटल। बुराड़ी सीट पर जेडीयू और राजद दूनू उम्‍मदवार देने छल आ दूनू हारि गेल। जेडीयू प्रत्याशी शैलेंद्र कुमार कए 51440 वोट भेटल, जखनकि जीत आप क संजीव झा क खाता मे गेल। राजद क वोट फीसदी मगज 0.04 फीसदी रहल। ओना दिल्ली चुनाव मे जेडीयू दूटा सीट पर चुनाव लड़लक- बुराड़ी आ संगम विहार। नीतीश कुमार अपन उम्मीदवार लेल चुनाव प्रचार केलथि। संगम विहार मे जेडीयू प्रत्याशी शिव चरण लाल गुप्ता आप क दिनेश मोहनिया स हारि गेलाह। शिव चरण कए 32823 वोट भेटल। जेडीयू क वोट फीसदी 0.91 रहल। एहिना सीमापुरी सीट स आप क प्रत्याशी राजेंद्र पाल गौतम 56108 वोट स लोजपाक एक मात्र उम्‍मीदवार कए हरा देलथि। लोकजनशक्ति क उम्मीदवार संत लाल कए 32284 वोट आ आप क राजेंद्र पाल गौतम कए 88392 वोट भेटल। कांग्रेस क वीर सिंह धिंगान कए 7661 मत भेटल। जदयू, राजद, लोजपाक संगहि जीतनराम मांझीक पार्टी हम सेहो आप स मुकाबला करबा लेल दिल्‍ली क चुनावी मैदान मे उतरल छल। हम दूटा सीट पर कुल 40 आ 12 वोट पाबि अपन जमानत गवा देलक। कुल मिलाकए बिहारक नेता आ बिहारक पार्टी दिल्‍ली मे हारि गेल जखन कि बिहारी दिल्‍लीक विधानसभा मे 9 फीसदी सीट पर कब्‍जा जमा एकटा रिकार्ड बना देलक।

दिल्‍ली मे जीत दर्ज केला‍क बाद केजरीवाल दिल्‍ली क जनता कए आइ लव यू कहला जे आजुक कालक कटू राजनीतिक संवादक बीच एकटा सुखद एहसास करेबा मे सफल रहल। केजरीवाल कहला जे आइ मंगल अछि आ हनुमान जी सबहक कुशल करता। ओ जीतक बाद हनुमान जी क दर्शन करबा लेल मंदिर गेलाह, दिल्‍लीक राजनीतिक परंपरा मे इ नव शुरुआत भेल। अरविंद केजरीवाल कहला जे इ दिल्ली क सब परिवार क जीत छी, जे अपना बेटा मानकए हमरा अपन समर्थन देलक। दिल्‍ली तेसर बेर बेटा पर भरोसा केलक। नव राजनीति देश लेल शुभ संकेत अछि। दिल्‍ली नव राजनीति कए जन्‍म देलक अछि। इ हमर नहि दिल्‍ली क लोकक जीत छी। सिर्फ दिल्‍ली नहि, भारत माता क जीत छी। हनुमान जी दिल्‍ली पर कृपा बरसेलथि अछि। आइ इ साफ अछि जे वोट ओकरे भेटत जे काज करत। आइ हमर पत्‍नी क जन्‍मदिन अछि। हम सब हनुमानक आशिर्वाद लेबा लेल हनुमान जी लग जा रहल छी।

Tags: aapdelhimaithilimithila

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
तमिलनाडू कए पाछुआ माछ उत्‍पादन मे बिहार टॉप-5 राज्य मे शामिल

तमिलनाडू कए पाछुआ माछ उत्‍पादन मे बिहार टॉप-5 राज्य मे शामिल

राजनीति मे वकील सन महत्‍व चाहैत अछि नौकरशाह, पुष्‍पम त बस गुडिया छथि  

राजनीति मे वकील सन महत्‍व चाहैत अछि नौकरशाह, पुष्‍पम त बस गुडिया छथि  

अटल मिथिला-प्रतिभा खोज प्रतियोगिता क तैयारी शूरू, मिथि‍लाक हेरायल प्रतिभा होएत सम्मानित

अटल मिथिला-प्रतिभा खोज प्रतियोगिता क तैयारी शूरू, मिथि‍लाक हेरायल प्रतिभा होएत सम्मानित

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि