रामबाबू
नयी दिल्लीं । मिनिमम बैलेंस नहि राखि सकलाह पर भारतीय स्टेट बैंक सभ अपन खाताधारक सभसॅँँ खूब जुर्माना काटलक अछि। सालमे एतेक जुर्माना वसूलल गेल कि एकरा जानिकS बैंकक खाताधारी विस्मृत अछि । मिनिमम बैलेंस नहि रखला पर वित्त वर्ष 2017-18 मे ग्राहक सभसँ 5 हजार करोड़ रुपैया जुर्माना असुललक । सभसँ बेसी वसूली स्टेट बैंक ऑफ इंडिया । स्टेट बैंक ऑफ़ इंडिया अपन ग्राहक सभसँ 2433 करोड़ रुपैया जुर्माना वसूललक अछि। जे कि शेष जुर्माना कें करीब आधा अछि।
जुर्मानाा क राशि में बढ़ोतरी दर्ज कएल गेल अछि । जखन कि जनधन योजना क तहत बैंक सभ 30.8 करोड़ एहन ग्राहक सभक खाता खुजल जे मिनिमम बैलेंस रखबा मे सक्षम नहि अछि । स्टेट बैंकक अलावा नंबर 2 पर एचडीएफसी बैंक अछि, ई बैंक अपन ग्राहक सभसँ 590.84 करोड़ रुपया वसूली कएलक अछि । ओतय एक्सिस बैंक 530 करोड़ त’ आईसीआईसीआई बैंक करीब 317 करोड़ वसूली कएलक।
कोन बैंक कतेक जुर्माना वसूली कएलक
बैंक जुर्माना (करोड़ रु.
स्टेट बैंक 2433
एचडीएफसी बैंक 590.84
एक्सिस बैंक 530
आईसीआईसीआई बैंक 317
2017-18 मे एसबीआई को 6,547 करोड़ का नुकसान : एसबीआई 2012 तक खाता मे न्यूनतम राशि नहि रखला पर जुर्माना लगाबैत छल । एकर बाद पुनः 1 अप्रैल 2017 सँ शुरू कएल गेल । मुदा विरोध के बाद न्यूनतम सीमा 1 अक्टूबर 2017 मे कम कS देलक ।स्टेट बैंक कए 2017-18 मे 6,547 हजार करोड़ रुपए केर नोकसान भेलै । स्टेट बैंक ‘गरीबी’ पर फाइन लेब’ मे व्यस्त अछि, अप्रैल सँ नवंबर 2017 धरि वसूललक 1771 करोड़ एखन न्यूनतम बैलेंस केर सीमा (मासिक)
बैंक मेट्रो-शहरी क्षेत्र सभमे अर्ध शहरी ग्रामीण
स्टेट बैंक 3000 2000 1000
एचडीएफसी बैंक 10,000 5000 5000
आईसीआईसीआई 10,000 5000 1000
मुदा SBI समेत कैकटाा बैंक सभक ई डेग सँ बचत खातामे छोटकी रकम जमा करय आऔर निकाल’ बला गरीब ग्राहक सभसँ बेसी प्रभावित भेल अछि। RTI फाइल करय बला कार्यकर्ता कहलनि NHN टैक्स एसबीआई के’ आर्थिक रूप सँ कमजोर वर्गक लोक सभक हितमे ई शुल्क वसूली केर नियमक समीक्षा करबाक चाहि। अहि वर्गकें बेसी ग्राहक अपन खतामे बहुत बहुत दिन धरि मोटगर रुपैया नहि रखैत अछि। तकरा बाद थोड़ेक राहत देल गेल छल।