• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

ज्योतिष शास्त्र मे दरंभगा राजक अवदान बताओत मिथि‍ला मे ज्योतिषक परम्परा

February 2, 2016
in समाचार
A A

Mithila Me Jyotishak Pramparaमिथिलाक गौरवपूर्ण इतिहास मे मिथिलाक विद्वान लोकनिक ज्योतिष गणित मे योगदान विषय उपेक्षित रहल अछि । प्रस्तुत पुस्तक एहि पक्ष कए प्रकाश मे आनबाक संभवत: प्रथम प्रयास अछि । एतय प्राचीन काल सँ अद्यावधि मिथिलाक ज्योतिषविद् लोकनि आ हुनका द्वारा रचित ग्रंथ सभक विवरण क्रमबद्ध रुपें दश अध्याय मे प्रस्तुत केल गेल अछि ।

प्रथम अध्याय मे मिथिला मे ज्योतिष, ज्योतिष शास्त्रक महत्ता, सिद्धांत ग्रंथ, ग्रह गणना, पंचांग वेध, संहिता, होरा, शकुन शास्त्र आ गणित संबंधी ग्रंथ । द्वितीय अध्याय मे मिथिलाक ज्योतिषविद् । तृतीय अध्याय मे वर्ण रत्नाकरक आधार पर मिथिला मे ज्योतिषशास्त्रक परम्परा । चतुर्थ अध्याय मे महाकवि विद्यापति ज्योतिषविद् छलाह ? पंचम अध्याय मे ज्योतिष शास्त्र मे दरभंगा राजक अवदान । षष्ठ अध्याय मे ज्योतिषविद् गोकुलनाथ उपाध्याय । सप्तम अध्याय मे मिथिलाक लोक चित्रकला मे गणित एवं ज्योतिष । अष्टम अध्याय मे मिथिला मे ज्योतिष विद्याक प्रमुख केन्द्र । नवम अध्याय मे मिथिला मे मिथिलेतर ज्योतिष सिद्धांत आ दशम अध्याय मे मिथिलाक प्रसिद्ध ज्योतिष ग्रंथक सूची देल गेल अछि ।

एहि पुस्तक मे उपलब्ध सूचना सभ कें व्यवस्थित रूपें सरल, सुबोध भाषा में प्रस्तुत कयल गेल अछि । जाहि स सर्वसाधारण पाठकक संगहि जिज्ञासु विद्वान लोकनि सेहो एहि पुस्तक स लाभान्वित होएत । विशेष रूप स युवा पीढीक शोधार्थी कए एहि पुस्तक स प्रेरणा भेटत । पुस्तक पठनीय अछि आ संग्रहणीय सेहो ।

Dr.Prameshwar Jhaएहि पुस्तकक लेखक डा. परमेश्वर झा बिहारक विभिन्न कालेज मे प्राचार्यक पद पर काज करैत सेवानिवृत भेल छथि‍ । संगहि गणितक विभिन्न पक्ष स संबंधित शोधकार्य मे संलग्न रहलाह । फलस्वरूप वैदिक गणित, आर्यभटक गणितीय अवदान, मिथिला मे गणित ज्योतिष, जैन गणित आदि महत्त्वपूर्ण पक्ष सँ संबंधित हुनक ५ दर्जन शोधपत्रक संगहि ५ पुस्तकक प्रकाशन संभव भेल अछि । देशक विभिन्न भाग मे आयोजित राष्ट्रीय अंतराष्ट्रीय संगोष्ठी सम्मेलन मे हिनका भारतीय गणित सँ संबंधित शोधपत्र प्रस्तुत करबाक अवसर भेटलनि आ सम्मानित आ पुरस्कृत भेलथि‍ । एखनहु लगभग ८१ वर्षक आयु मे शोधकार्य मे संलग्न रहैत छथि । फलतः एहि महत्त्वपूर्ण प्रामाणिक पुस्तक ‘ मिथिला मे ज्योतिषक परम्परा‘ प्रणयण प्रकाशन संभव भ सकल ।

पुस्तकक मूल्य- १८०/- टका.
पुस्तकक लेल संपर्क – व्यवस्थापक, मांडवी प्रकाशन, सरस्वती सदन,
विद्यापूरी, सुपौल ( बिहार) -८५२१३१. फोन- ०६४७३-२२३५५१

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
Tags: Dr Parmeshwar JhaMithila me Jyotishak Pramparaमिथिला मे ज्योतिषक परम्परा

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

मैथि‍ली साहित्य महासभाक कार्यकारि‍णी गठित, द्व‍ि‍तीय संगोष्ठी २१ फरवरी कए

Esamaad Epaper Website

आब नव समस्या...की करब एतबा बिजली

Esamaad Epaper Website

धरोहरक कीमत पर नहि बनत मेट्रो : नीतीश

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि