मधुबनी । पूर्व- मध्य रेलवे समस्तीपुर क मंडल रेल प्रबंधक आरके जैन कहला जे मधुबनी रेलवे स्टेशन क पहचान बनत मिथिला पेंटिग्स । स्टेशन कए मिथिला पेंटिग्स से एहि तरह सजाओल जाएत जे स्टेशन पहुंचति धरि यात्री मिथिला पेंटिग्स क आकर्षक छटा से रूबरू भए सकत । ई गप सोमदिन स्थानीय रेलवे स्टेशन पर मिथिला पेंटिग्स कार्य प्रारंभ कार्यक्रम क उद्घाटन मौका पर कहलथि । श्री जैन कहलथि जे मधुबनी रेलवे स्टेशन कए पूरा तरह मिथिला पेंटिग्स से संवारवाक लेल स्थानीय कलाकार कए रेलवे द्वारा संसाधन मुहैया कराओल जाएत । उत्कृष्ट पेंटिग्स क कलाकार कए रेलवे दिस स सेहो प्रोत्साहित कैल जाएत । मिथिला पेंटिग्स स जुड़ल कैकटा संस्था क संचालक वा कलाकार क मौजूदगी मे करीब एक दर्जन कलाकार द्वारा प्लेटफार्म क दिवार पर मिथिला पेंटिग्स बनेबाक काज शुरु कैल गेल । मिथिला पेंटिग्स क प्रसिद्ध संस्था ग्राम विकास परिषद क सचिव षष्ठीनाथ झा बतेलथि जे प्लेटफार्म क दिवार क अलावा स्टेशन परिसर कए करीब तीन महिना क अंदर पेंटिग्स क काज पूरा कए लेल जाएत । एहि मौका पर डीआरएम श्री जैन दिस स स्टेशन पर यात्री सुविधा, सुरक्षा व सफाई क स्थिति का जायजा लेलक । मौका पर अधीक्षक जगदम्बा प्रसाद, वाणिज्य अधीक्षक मो. कबीर आलम, सहायक अनिल कुमार, स्वर्णिम कुमार सहित आन लोग मौजूद छल ।