विनीत ठाकुर
मधुबनी । स्थानीय टाउन हाल मे बृहस्पति दिन दिव्यांग सबहक समस्या समाधान लेल चलंत न्यायालय क आयोजन कयल गेल जेकर शुभारंभ शिवाजी कुमार, राज्य आयुक्त, नि:शक्तता, बिहार केलथि। एहि अवसर पर जिला पदाधिकारी शीर्षत कपिल अशोक सेहो उपस्थित छलाह। कार्यक्रम के संबोधित करैत जिला पदाधिकारी दिव्यांग जन मनोबल बढ़बैत कहला जे ई लोकनि ककरो सँ कम नहि छथि। हिनका सबहक विशेषता छैन्ह जे एक अंग यदि दिव्यांग होइत छन्हि त दोसर अंग बढय़िा काज करैत छन्हि। चलन्त न्यायालय क उद्देश्य सब परेशानी के दूर करब अछि। एहि तरहक चलन्त न्यायालय क आयोजन सँ दिव्यांग कए अधिक सहुलियत होयतन्हि आ समस्या समाधान क मौका भेटतन्हि। जिला पदाधिकारी जनौलन्हि जे प्रत्येक सप्ताह में शुक्र आ शनि दिन दस बजे समाहरणालय क निचला तल परओ स्वयं दिव्यांग क समस्या सुनता,हुनक अनुपस्थित मे सहायक निदेशक, सामाजिक सुरक्षा समस्या सुनता आ तत्पश्चात ओ स़्वयं समस्या क निदान करता। समाहरणालय मे दिव्यांग आ वृद्ध लोकनिक सहुलियत हेतु लिफ्ट लगयवाक प्रस्ताव द्ल जायत। विहार सरकार क सात निश्चय क अतिरिक्त ईआठम निश्चय होयत। मूक बधिरक लेल इन्टर प्रेन्योर क व्यवस्था करबा क आश्वासन सेहओ देलन्हि।
आयुक्त नि:शक्तता द्वारा कहल गेल जे दिव्यांग अपन समस्या 24 घंटा टाल फ्र ी नंबर 8448385590 पर अपन समस्या नाम पत्ता आ मो.नंबर संग राखि सकैत छथि। राज्य स्तरीय पदाधिकारी द्वारा एकर निराकरण कयल जायत।ओ प्रसन्नता व्यक्त कयलजे दिव्यांग हेतु मधुबनी माडल जिला बनत। एतहि सँ चलन्त न्यायालय शुरू कयल गेल अछि। प्रभावित के आधार बनेबाक सुझाव देल जाहिसँ सरकारी लाभ लेबा मे सुविधा हो।
कार्यक्रम में 750 दिव्यांग सम्मिलित भेलाह। दिव्यांग पेंशन, इन्दिरा आवास सबहक सुनवाई कयल गेल। र्टाइसाकिलक आवेदन लेल गेल जे प्रखंड सब सँ मांग पत्र प्राप्त भेला संता देल जायत। विभिन्न स्टालक माध्यमे दिव्यांग क समस्या समाधान कयस गेल। पहिल बेर थैलसीमीया क दिव्यांग आदित्य कुमार केँ प्रमाण पत्र देल गेल।
एहि अवसर पर विधायक समीर कुमार महासेठ, डा. शम्भू कुमार रजक, अपर आयुक्त नि:शक्तता, बिहार, कुमार सत्य काम, विनोद कुमार, प्रभारी जिला सूचना सम्पर्कपदाधिकारी, रोटेरियन अजयधारी सिंह उपस्थित छलाह।