वस्त्र मंत्रालय आ अमेजन के बीच भेल अनुबंध
मधुबनी । वस्त्र मंत्रालय आ अमेजन के बीच भेल अनुबंध क तहत मिथिला पेंटिंग क कलाकार अपन शिल्प आब आन लाइन बेच सकता. कलाकार के एहि हेतु आब बाजार वा एक्जीविशन मे जेवाक प्रयोजन नहि होयतन्हि। घर बैसल अपन शिल्प अपन मूल्य पर कलाकार बिना बिचौलिया के बेच सकता। सम्प्रति एकर शुरूआत मधुबनी से भ गेल अछि।मिथिला पेंटिंग क बिक्री भारत सहित ३७ देश मे आन लाइन कयल जायत। एहि लेल अमेजन आ फ्लिपकार्ड क प्रतिनिधि कलाग्राम जितवारपुर, रांटी, हरिपुर, डीह टोल आदि गाँव जा के कलाकार सबहक पेंटिंग आ अन्य उत्पाद के अमेजन आ फ्लिपकार्ड से जोड़ बा हेतु प्रयास क रहल छथि।
आनलाइन विक्री हेतु कलाकार के पैन कार्ड , जी एस टी एकाउन्ट हैब आवश्यक छैक। एहि हेतु आन लाइन रजिस्ट्रेशन फार्म भरिके ७८० क शुल्क सहित जमा क निबंधित भ सकैत छथि।
हरिपुर डीह टोल क राज्य पुरस्कार प्राप्त उमा झा अमेजन से जुड़बा फायदा गनौलनि जे आब हुनक शिल्प के उचित मूल्य भेटए लागल अछि, आ बिचौलिया से मुक्ति भेटल। अमेजन प्रतिनिधि कुमार विश्वजीत कहलनि जे मधुबनी आ दरभंगा मिला के लगभग 15 कलाकार के अमेजन पर रजिस्ट्रेशन भ गेलैन अछि। कलाकार सबहक पेंटिंग क फोटो अमेजन पर अपलोड कयल गेल अछि जे शूट भ के आफर ईआबि रहल अछि।