पटना । बिहारक मुक्तेश कुमार परदेशी मैक्सिको मे भारत क राजदूत बनताह । वर्तमान मे पीएसपी मे मुख्य सचिव आओर भारतक मुख्य पासपोर्ट अधिकारी क पद पर काज केनिहार श्री परदेशी अगिला महिना राजदूत क पद सम्हारताह । बिहारक अरवल जिलाक संभुआ गामक रहनिहार मुक्तेश पत्रकार स गप करैत कहलथि जे हुनकर सौभाग्य अछि जे देश क राजदूत बनिकए ओ वो एकटा महत्वपूर्ण देश मे जा रहल अछि । ओ कहलथि जे उत्तर अमेरिकी एहि देश स भारतक व्यापारिक संबंध मजबूत अछि । ई एकटा पैघ आओर शक्तिशाली देश अछि ।
बिहारक संबंध मे श्री परदेशी कहलाह जे वो काल्हि बिहार क अधिकारी स गप करत आओर हुनका स पता करत जे मैक्सिको स बिहार क विकास मे की भए सकैत अछि । ओ कहलाह जे भारतक पहिल हरित क्रांति क लेल गहूँम क उन्नत बीज मैक्सिको स आयात कैल गेल छल । कृषि, मनोरंजन आओर आधारभूत संरचना क निर्माण मे मैक्सिको क संग बिहार क रिश्ता व्यावसायिक भए सकैत अछि । ओ कहलथि जे हम चाहब कि हमर ओतय राजदूत बनबा स बिहार कए अतिरिक्त लाभ भेटय ।
bahut garv yaa hinka par