भारत आ चीनक बीच जारी तनावक बीच नेपाल सेहो अपन आदति नहि सुधारि रहल। भारत आ नेपालक बीच पछिला किछु मास स’ लिपुलेख, कालापानी आ लिम्पियाधुराके ल’ विवाद चलि रहल अछि। एहिमे स’ लिपुलेख एहन क्षेत्र अछि, जतय भारत, नेपाल आ चीनक सीमा सटैत अछि।
आब नेपाल एहि इलाकामे सेनाक पूरा बटालियन तैनात क’ देलक अछि. एहि बटालियन स’ कहल गेल अछि जे ओ भारतीय सेनाक गतिविधि पर नजरि राखय। न्यूज एजेंसीक मुताबिक, पछिला हफ्ता केपी शर्मा ओलीक सरकारक गृह मंत्रालय सेनाके एगो आदेश जारी कयलक। एहिमे कहल गेल जे भारत आ चीनक बीच जारी तनावके देखैत लिपुलेख सीमाक कड़गर निगरानी आवश्यक अछि।
एकरा बाद नेपाल आर्म्ड पुलिस फोर्स (एनपीएफ) केर ४४म बटालियन एतय तैनात कयल गेल अछि। मात्र नेपाले किएक, एहिठाम चीनक 150 लाइट कम्बाइंड आर्म्स ब्रिगेड सेहो तैनात अछि। पछिला मास एकरा एतय पठाओल गेल छल। एहिठाम स’ लगभग 10 किलोमीटर दूर पाला क्षेत्र अछि, एतय सेहो चीनी सैनिक तैनात अछि। भारत लिपुलेखमे 17 हजार फीट पर बेहतरीन सड़क बनौलक अछि।
रोड कंस्ट्रक्शन काल नेपाल कोनो आपत्ति नहि जतओने छल। मुदा, एकरा बाद भारत आ नेपालक बीच एहि मुद्दा पर बयानबाजी आ तनाव शुरू भ’ गेल. नेपाल लिपुलेख पर ने मात्र अपन दावा कयलक बल्कि एक नव नक्शा जारी सेहो क’ देलक। एहिमे लिपुलेखके सेहो शामिल कयलक। भारत एहि पर विरोध जतओलक ।