पटना । नालंदा क इस्लामपुर प्रखंड क कैलाशपुरी गाम नव शराबबंदी कानून क कोपभाजन बनल। एहि गाम पर सामूहिक जुर्माना लगा देल गेल अछि। महादलित बहुल एहि गाम क सब परिवार कए पांच हजार टका जुर्मानाक तौर पर सरकार कए देबाक अछि। एहि गाम पर इ आरोप साबित भेल अछि जे एहि ठामक लोक सामूहिक रूप स शराबबंदी कानून कए पालन नहि क रहल छथि। शराबबंदी क बाबजूद एहि गाम मे पैघ पैमाना पर देशी आ विदेशी शराब उपलब्ध अछि। एहि संबंध मे नालंदा के जिलाधिकारी डा त्याग राजन एसएम अपन अधिकार क प्रयोग करैत नव कानून क तहत कैलाशपुरी गाम क कुल 50 घर पर प्रति परिवार पांच-पांच हजार टका क सामूहिक आर्थिक जुर्माना लगा देलथि अछि। ओ कहला जे गाम क लोक कए जल्द एहि जुर्माना क राशि सरकार कए देनाई अछि। एकरा लेल जिला प्रशासन सब कए नोटिस पठा देलक अछि। दोसर दिस, नोटिस भेटला पर कैलाशपुरी मे उदासी पसरल अछि। लोकक कहब अछि जे शराबबंदी लागू क सरकार हुनका सब कए बेरोजगार बना देलक अछि, ऊपर स जुर्माना सेहो ठोंकि देलक अछि। लोक साफ कहब अछि जे ओ अपन अपन परिवार संग जेल जेबा लेल तैयार छथि मुदा जुर्माना नहि भरता।