• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

एक मई स कटाउ टिकट आ एक अगस्‍त स भेटत सेवा

March 6, 2019
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

स्‍पाइसजेट अपन ड्रीमलाइनर विमान कए दरभंगा मे उतारबाक क रहल अछि तैयारी
संतोष / सावित्री
दरभंगा । बहुप्रतीक्षित दरभंगा एयरपोर्ट पर विमान सेवा एक अगस्‍त स शुरु भ जायत। 1 मई स दरभंगा लेल अहां कंपनीक साइट स टिकट कटा सकैत छी। उडान योजनाक तहत 40 फीसदी सीटक किराया 3000 रुपया रहत। बाकी सीट लेल किराया मांग आधारित रहत।
बुधदिन दरभंगा मे भेल कंपनीक पहिल प्रेस कॉन्‍फेंस में स्पाइसजेट अपन योजनाक विस्‍तार स जानकारी देलक। स्पाइसजेटक प्रेस वार्ता मे जदयू नेता संजय झा सेहो उपस्थित छलाह।
बिहारक दोसर शेड्यूलड एयरपोर्ट पर उडान सेवा शुरु हेबाक घोषणा करैत कंपनीक वित्‍त प्रबंधक नवनीत कुमार कहला जे स्पाइसजेट दरभंगा स दिल्ली, मुंबई आ बेंगलुरु लेल सीधा विमान सेवा शुरू करत। ओ कहला जे पटना स यात्री कए किरासा संग टैक्स सेहो वसूल कैल जाइत अछि जखन कि दरभंगा स यात्री कए टैक्‍स नहि लागत जाहि स एहि ठामक किराया पटनाक मुकाबले कम रहत। दरभंगा कए छूट क फायदा भेटत। टिकट पटना स कहीं ज्यादा सस्त होएत। उल्‍लेखनीय अछि जे आरसीए क तहत जे सीट अछि तेकर शुरुआती किराया कंपनी 3000 तक वसूल सकैत अछि। एहन मे दरभंगा स दिल्‍ली, मुबई आ बेंगलुरु क किराया 3000 होएत।
पटना एयरपोर्ट पर कंपनीक प्रबंधक जे हसन कहला जे दरभंगा मे असीम संभावना देखा रहल अछि। ओ कहला जे दरभंगा मे सबस लंबा रनवे अछि जाहि कारण स एहि ठार कोनो विमान आसानी स उतरि सकैत अछि। पटना सन मजबूरी दरभंगा मे नहि अछि। दरभंगा मे कंपनी ड्रीमलाइनर सन पैघ जहाज कए सेहो उतारबाक योजना बना रहल अछि। कंपनी एखन पटना मे 189 सीटर विमान उतरि सकैत अछि मुदा दरभंगा मे हमसब ओहि स पैघ आकार कए जहाज उतारि सकैत छी। पैघ विमान उतरला स भविष्य मे टिकट आओर सस्त भ सकैत अछि। दरभंगा एयरपोर्ट पर चलि रहल काज पर संतोष व्‍यक्‍त करैत ओ कहला जे एहि रीजन मे कोनो एयरपोर्ट पर एतबा तेजी स काज होइत नहि देखल जेहन तेजी दरभंगा मे देखबा लेल भेटल अछि। पूरा उम्‍मीद अछि जे 1 मई स पहिने एयरपोर्ट क काज पूरा क लेल जायत। कंपनी टिकट बुकिंग सेवा शुरु हेबा स तीन माह पहिने शुरु क देत।
एहि मौका पर जदयू नेता आ एयरपोर्ट चालू करेबा मे महत्‍वपूर्ण भूमिका निभेनिहार संजय झा कहला जे विमान सेवा शुरु भेला स दरभंगाक नक्‍शा बदलि जायत। दरभंगाक आसपासक इलाकाक तेजी स विकास होएत। ग्रटर दरभंगा आ न्‍यू दरभंगा क विजन पर रोशनी दैत संजय झा कहला जे अगिला किछु साल मे शहरक जे विकास होएत ओ दरभंगा क एकटा नव इलाकाक रूप मे सामने आउत। एयरपोर्ट विकासक वाहक बनत आ निवेशक गति सेहो एहि स बढत। निश्चित रूप स दरभंगा आ उत्‍तर बिहार लेल इ एकटा सुभितगर संपर्कक स्रोत बनत।

Tags: BiharDarbhanga Airportmithilamodinitish

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

55 साल बाद फेर शुरु होएत दरभंगा आ कोलकाताक बीच विमान सेवा, इंडिगो क रहल तैयारी

दूनू हाथ स टका बटनिहार पप्‍पू यादव सेहो खर्च नहि क सकलाह सांसद निधिक राशि

दरभंगा मे 29 अप्रैल त पटना मे 19 मई कए मतदान

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि