सुनील कुमार झा
पटना । 12म पं. विदुर मल्लिक संगीत समारोहक आयोजन एहि साल एक बेर फेर स देहरादून मे 29 आ 30 मार्च कए भ रहल अछि। विश्व अखंडता केंद्र (डब्ल्यूआइसी) देहरादून आ प. विदुर मल्लिक ध्रुपद एकेडमी, इलाहाबाद क संयुक्त त्वावधान मे आयोजित भ रहल एहि कार्यक्रम मे प. विश्व मोहन भट समेत कईटा विश्व प्रसिद्ध कलाकार अपन प्रस्तुति देताह। दरभंगा घरानाक पं. रामकुमार मल्लिक आ प. प्रेमकुमार मल्लिक के अलावा युवा हस्ताक्षर प. प्रशांत आ निशांत मल्लिक क प्रस्तुति सेहो होएत।
कार्यक्रमक संबंध मे जानकारी दैत प. विदुर मल्लिक ध्रुपद एकेडमी, इलाहाबाद क सचिव आ दरभंगा घरानाक युवा पीढीक सबसे साधल गायक प्रशांत मल्लिक कहला जे एहि आयोजनक पाछु उद्देश्य देशक विभिन्न इलाका मे ध्रुपद क प्रसार करब अछि। करीब 500 साल पुरान दरभंगा घराना क ध्रुपद शैली कए जन जन तक पहुंचेबा लेल पिछला 12 वर्ष स इ आयोजन भ रहल अछि। ओ कहला जे पहिल आयोजन पटना दूरदर्शनक सहयोग स दरभंगाक दरबार हॉल मे भेल छल। ओकर बाद दिल्ली आ अन्य शहर मे भ रहल अछि।
दरभंगा घरानाक अनमोल रत्न पंडित विदुर मल्लिक क पौत्र पं प्रशांत मल्लिक कहला जे देहरादून मे इ पांचम आयोजन छी। एहि साल ग्रेमी अवार्ड विजेता आ पद्मभूषण स सम्मनित प. विश्वमोहन भट (मोहनवीणा), प. राज खुशीराम(पखावज), प. शैल भट (स्वतिक वीणा), पंडित साधिका (विचित्र वीणा), प. विनोद मिश्रा (सारंगी), आशुतोष उपाध्याय (पखाबज), मृणाल उपाध्याय (पखावज) आ हिमांशु महंत (तबला) क प्रस्तुति होएत। एकर संगहि दरभंगा घरानाक प. रामकुमार मल्लिक, प. प्रेमकुमार मल्लिक, प. प्रशांत आ निशांत मल्लिक क सेहो प्रस्तुति होयत। दू दिनक एहि कार्यक्रम मे दरभंगा घरानाक पुरान बंदिश क संगहि पं विश्व मोहन भट आ शैल भट क जुगलबंदी सेहो देखबा-सुनबा लेल भेटत।