पटना । भूटान स दरभंगा बिजली अनबा लेल पावर हाईवे बनत। किशनगंज स दरभंगा क बीच उच्च क्षमता क एहि ट्रांसमिशन लाइन क माध्यम स भूटान स दरभंगा मे बिजली पहुंचत। दरभंगा स इ बिजली बिहार क अलावा देश क विभिन्न राज्य कए उपलब्ध कराउल जाएत । भूटान स दरभंगा बिजली पहुंचबाक संबंध मे पदाधिकारी कहब अछि जे भूटान मे तैयार भ रहल चारिटा परियोजना स बिजली भूटान क जिगमेलिंग स पहिने भारत क अलीपुरद्वार तक आउत। ओहि ठाम स सिलीगुड़ी, फेर ओहि ठाम स किशनगंज आउत । किशनगंज स दरभंगा तक बिजली अनबा लेल पावर हाईवे क तहत किशनगंज-दरभंगा 400 केवी डबल सर्किट लाइन बिछाउल जाएत। एकर एक सर्किट स 1500 मेगावाट बिजली पहुंचत। एकर पूरा क्षमता 3000 मेगावाट होएत।
पदाधिकारी क कहब अछि जे किशनगंज-दरभंगा ट्रांसमिशन लाइन स देश क अन्य पैघ ट्रांसमिशन लाइन आ ग्रिड जुड़ल रहत जाहि स पूरा बिजली देश क अन्य हिस्सा मे सहजता स पहुंच जाएत। बिहार क पहल पर केन्द्र सरकार एहि परियोजना कए मंजूरी द देलक अछि। एहि पावर लाइनक क्षमता 3000 मेगावाट बिजली अनबाक होएत। एहि पर 750 करोड़ टका खर्च होएत। एहि लाइन क माध्यम स जे बिजली भारत पहुंचत ओहि मे स लगभग 900 मेगावाट बिहार क हिस्सा मे आउत। एहि परियोजनाक पूरा भेला स बिहार क बिजली संकट दूर भ जायत। इ परियोजना दू साल मे पूरा भ जेबाक उम्मीाद अछि। उल्लेिखनीय अछि जे भूटान मे चारिटा पैघ बिजली परियोजना क निर्माण चलि रहल अछि। एहि मे स तीनटा मे बिहार कए आठ अन्य राज्य क संग हिस्सेदारी देल गेल अछि। अन्य परियोजना स देश क पश्चिमी आ दक्षिण क राज्य कए बिजली क आपूर्ति होएत। एहन मे पूरा बिजली एहिट्रांसमिशन लाइन स पहुंचत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार भूटान क परियोजना स भेट रहल बिजली पर बिहार क दावेदारी पेश केने छलाह । एकर बाद एहि परियोजना मे बिहार कए 889 मेगावाट क हिस्सेदारी तय कैल गेल छल।
की अछि परियोजना
ट्रांसमिशन सिस्टम स्ट्रेंथनिंग इन इंडियन सिस्टम फॉर ट्रांसफर आफ पावर फ्राम न्यू एचइपी भूटान (भूटान मे तैयार भ रहल बिजलीघर)
पुनासांगचू फेज-1 1200 मेगावाट
पुनासांगचू फेज-2 900 मेगावाट
मांगडेचू 720 मेगावाट
वांगचू 570 मेगावाट