15 फरवरी कए सहरसा मे देल जाएत सम्मान
एक लाख टका आ प्रशस्ति पत्र देल जाएत
सहरसा । साल 2015 क प्रबोध साहित्य सम्मान मैथिली क प्रसिद्ध गीतकार-गायक जोड़ी रविंद्र-महेन्द्र क रविंद्र नाथ ठाकुर कए देल जाएत । मैथिली साहित्य क क्षेत्र मे हरेक साल स्वस्ति फाउंडेशन क दिस स दिवगंत साहित्यकार प्रबोध नारायण मिश्र क नाम पर विभीन्न विद्या क लोग कए इ सम्मान देल जाएत अछि ।
पूर्णिया जिला क धमदाहा मे जनमल रविंद्र जी क गीत भारत संगे नेपाल मे सेहो पसंद कएल जाएत रहैत अछि । पार्श्वगायक उदित नारायण सेहो अपन पहिल गीतक रिकॉर्डिंग रविंद्र जी क सुन-सुन पनभरनी गे से केने छथि । निर्णानय मंडल मिथिला दर्शन क पाठक आ सोशल साइट पर लेल अभिमतक आधार पर सम्मान हेतू रविंद्र जी क चयन केने छथि । एहि स पहिने इ सम्मान लिली रे, महेन्द्र मलंगिया, गोविन्द झा, मायानंद मिश्र, मोहन भारद्वाज, राजमोहन झा, जीवकांत सोमदेव, चंद्रभानु सिंह, रामलोचन ठाकुर, सुभाष चंद्र यादव आ भीमनाथ झाक प्रदान कैल गेल अछि ।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
ई 2015 क सम्मान छी ।