• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

चनका मे चमकल आभासी दुनिया क सितारा

January 18, 2015
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

सुनील कुमार झा

Social Media Meetरविदिन पूर्णिया क श्रीनगर प्रखंड क छोट स गाम चनका मे, जखन देश विदेश स आयल आभासी दुनिया क सितारा अपन चमक बिखेर रहल छलाह तखन नैनपन मे हीरो-होंडा क एकटा विज्ञापन स्‍मरण करबा लेल बाध्‍य छलहुं, जाहि मे कहल गेल छल- जे  बाट गाम स शहर दिस जाइत अछि, ओ बाट शहर स गाम दिस सेहो अबैत अछि। स्थानीय किसान आओर सोशल मी़डिया मे सक्रिय गिरीन्द्र नाथ झा आओर श्रीनगर डयोढी क चिन्मयानंद सिंह एहने बाट कए आइ कोलकाता आ दिल्‍ली स गाम दिस अनबाक प्रयास क रहल छथि। हिनक प्रयास स सोशल मीडिया मीट क आयोजन एकटा एहन गाम मे भेल जाहि ठाम पहुंचबा लेल एखनो ढंग क सडक नहि अछि, मुदा आभासी दुनिया स संपर्क लेल इंटरनेट उपलब्‍ध अछि। इ आयोजन नैनपन क भतकुरिया भोज क स्‍मरण करा देलक। तरह-तरह कए लोग एहि मे जुटलाह। कियो वामपंथी छलाह, त कियो उत्तर आधुनिक विमर्शकार। कियो आरएसएस क प्रचारक छलाह त कियो पत्रकार। सोच आ भाषा मे सब अपना मे अलग अलग, मुदा सब कए जोडि रहल छल एकटा अदृश्‍य तरंग जेकरा स्‍पेंट्रम कहल जाइत अछि। लगभग पूरा दिन क एहि बैसार में मुख्‍य रूप स सोशल मिडिया क लोकतंत्र पर चर्च भेल आ ओ देखबा लेल सेहो भेटल। किछु पुरान आ गंभीर सदस्‍य एकर पैरवी केलथि जे फालतू टाइप क पोस्ट पर सामूहिक प्रतिबंध लगाउल जाये, मुदा इ प्रस्ताव बाकी सदस्‍य कए नीक नहि लागल आ प्रस्‍ताव चर्च क बिना खारिज क देल गेल। मीडिया मीट मे जे तार्किक निष्‍कर्ष निकलल ओ इ छल जे अभिव्यक्ति क आजादी क समर्थक आब बेसी छथि जखन कि विरोध करनिहारक संख्‍या कम भेल जा रहल अछि। सोशल मिडिया क दुनिया एकटा समुद्र अछि आ आहि मे सब कए अपन अपन नदी कए विसर्जित करबा लेल विनम्रता स अनुमति देबाक चाही।

फेसबुक, ट्विटर आओर ब्लॉग जेहन सोशल मीडिया स जुडल लोक जखन शहर स कोसी क कछैर क रुख करैत छथि‍ त खि‍स्से बदलि‍ जाएत अछि। अमर कथाकार फणीश्वर नाथ रेणु क धरती पर सोशल मीडिया क दिग्गज जखन इकट्ठा भेलाह त माहौल आंचलिक ग्‍लोबलाइजेशन क भ गेल। बैसा मे गामक विकास पर कईटा सुझाव आयल आ ओहि पर चर्च भेल। सभ एक सुर मे गाम क विकास मे इंटरनेट आ सोशल मीडिया क योगदान कए महत्‍वपूर्ण मानलथि। एकर अलावा ग्रामीण भारत, डिजिटाइलेजशन आओर सोशल मीडिया से जुड़ल तमाम मुद्दा पर एहि बैसार मे चर्चा भेल। बैसार मे मुख्य रुप स नेपाल स आयल युवा उद्यमी प्रवीण नारायण चौधरी,  वरिष्ठ साहित्यकार आओर बिहार प्रशासनिक सेवाक अधिकारी तारानंद वियोगी, स्टील ऑथोरेटि ऑफ इंडिया क सेवानिवृत अधिकारी एनके ठाकुर, शिक्षाविद राजेश मिश्र, धरोहर रक्षा पर काज करिनिहार अमित आनंद सहित कई गोटे शामिल भेलथि‍।

 

कार्यक्रम क आयोजक गिरीन्द्र नाथ कहलथि‍ जे ओ अपन कि‍छु दोस्त स विचार केलाक बाद चनका गाम मे एहि तरहक आयोजन करबाक योजना तैयार केने छलाह आओर आइ सबकि‍छु सफल देखि‍कए ओ खुश छथि‍। ओ कहलथि‍ जे आगाँ सेहो एहि तरह क कार्यक्रम आयोजित होएत रहत। गाम मे विकासक किरण संगे डिजिटल दुनिया क रोशनी सेहो पहुँचेबाक बेगरता अछि। प्रधानमंत्री क डिजिटल इंडिया क नारा कए गाम तक पहुंचेबा क लेल ऐहन कार्यक्रम क जरुरत अछि, ताकि गाम देहात क लोग सेहो इंटरनेट क ताकत आ फायदा कए बुझि सकय। गिरीन्द्र नाथ कहलथि‍ कि ओ आगाँ सेहो गाम-देहात मे एहि तरह क बैसार आयोजित करैत र‍हताह। एकर अलावा ओ गाम मे स्‍कूली छात्र लेल सेहो एकटा योजना पर काज क रहल छथि, एहि लेल आईआईटी खडगपुर क छात्र संग सेहो संपर्क मे छथि। योजना क तहत चनका गाम क ग्रामीण आ स्कूली बच्चा कए डिजिटल दुनिया स रुबरु कराउल जाएत।

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

चनका बनल आधुनिक ग्रामीण बिहारक पहचान

पिछला एक साल पहिने तक पूर्णिया क श्रीनगर प्रखंड क छोट स गाम चनका क नाम आसपास क जिला मे सेहो लोक ठीक स नहि जनैत छल, मुदा पिछला एक साल मे स्थानीय किसान आओर सोशल मी़डिया मे सक्रिय गिरीन्द्र नाथ झा चनका कए आधुनिक ग्रामीण बिहारक केंद्र बना देलथि अछि। एहि मे हुनक संग द रहल छथि बनैली स्‍टेट क श्रीनगर डयोढी क कुमार चिन्मयानंद सिंह। श्रीनगर बिहारक पहिल शिक्षामंत्री कुमार गंगानंद सिंह क गाम अछि। चनका कए आधुनिक ग्रामीण बिहारक केंद्र बना देनिहार गिरीन्द्र नाथ झा अपनहुं शिक्षित युवा लेल एकटा आदर्श बनि गेल छथि। दिल्‍ली विश्‍वविद्यालय स शिक्षित आ कानपुर आ दिल्‍ली मे पत्रकारिता केलाक बाद श्री झा चनका क खेत मे अपना कए समर्पित क चुकल छथि। हुनक किसानी रेणु आ गुलजार क सपना कए साकार करबा लेल अछि। गिरीन्द्र नाथ झा ओहि युवा टोली लेल एकटा उदाहरण छथि जे अपन जमीन छोडि आन ठाम नौकरी लेल जाइत अछि।  गिरीन्द्र नाथ झा आओर चिन्मयानंद सिंह क जोड़ी एतौका किसान कए यूट्यूब जेहन सोशल मीडिया टूल स सेहो परिचय कर रहल छथि‍। एकरा संगहि पिछला एक साल मे हिनक सबहक प्रयास स चनका मे यूनिसेफ क सौजन्य से ग्राम्य फिल्म महोत्सव क आयोजन भेल। एकर अलावा अंतराष्ट्रीय साइकि‍ल चालक जोड़ी डेविड आओर लिंडसे फ्रेनसेन चनका आयल छलथि आ चनका क किसानी स अवगत भेलथि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

केंद्र कए सौंपल गेल राजेन्द्र कृषि विश्वविद्यालय

उषा किरण खान कए पद्म श्री

Esamaad Epaper Website

नव पल्लव देत मेधावी छात्र कए छात्रवृति

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

by संपादक
May 31, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

डॉ सत्येन्द्र कुमार झा मैथिली गीतक सर्वाधिक लोकप्रिय हस्ताक्षर मैथिलीपुत्र प्रदीप आब एहि नश्वर संसारमे नहि छथि। चौरासी बरखक अवस्थामे...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि