• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

स्वास्थ्य विभाग क अपर मुख्य सचिव प्रत्यय अमृत हलफनामा पर कोर्ट कए एहि संबंध मे जानकारी देलथि अछि.

June 4, 2021
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

पटना : कोरोना मामलाक सुनवाई क दौरान राज्य सरकार दिस स देल गेल हलफनामा मे हाईकोर्ट कए कहल गेल अछि जे संक्रमण क तेसर लहर स निपटबा लेल ऑक्सीजन क उत्पादन आ आपूर्ति मे बिहार आत्मनिर्भर राज्य बिन रहल अछि. स्वास्थ्य विभाग क अपर मुख्य सचिव प्रत्यय अमृत हलफनामा पर कोर्ट कए एहि संबंध मे जानकारी देलथि अछि.

 

कोर्ट कए इ सेहो कहल गेल अछि जे राज्य क 15 जिला मे 20 आरटीपीसीआर लैब काज क रहल अछि. 20 आओर जिला मे लैब स्थापित भ्ज्ञ रहल अछि. ओहि मे 10 जून अंत तक और बाकी अगस्त तक चालू भ जायत. बाकी बचल तीन जिल मे मोबाइल लैब क जरिए आरटीपीसीआर जांच क व्यवस्था होएत. कोर्ट कए कहल गेल जे मार्च में 1305479, अप्रैल में 2767844 आ मई में 3489367 कोविड जांच भेल.

 

10 चिकित्सा संस्थान मे स्थापित भ रहल अछि ऑक्सीजन प्लांट

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

कोर्ट कए कहल गेल जे राज्य क नौ सरकारी मेडिकल कॉलेज अस्पताल सहित आईजीआईएमएस मे औसतन ढाई स तीन हजार लीटर प्रति मिनट ऑक्सीजन उत्पादन करबा योग्य प्लांट स्थापित भ रहल अछि. वर्तमान मे उक्त सबटा 10 चिकित्सा संस्थान मे 280 स 300 लीटर प्रति मिनट ऑक्सीजन उत्पादन शुरू भ चुकल अछि. एहि सबटा अस्पताल मे प्लांट क संग ऑक्सीजन टैंक सेहो स्थापित भ रहल अछि.

 

इ प्लांट सितंबर अंत तक पूरा क्षमता (ढाई स तीन हजार लीटर प्रति मिनट) क अनुसार शुरू भ जायत. ओतहि राज्य सरकार 4 मई स ऑक्सीजन प्रमोशन नीति कए लागू केलक अछि, जेकर लाभ राज्य क तमाम प्राइवेट अस्पताल कए ऑक्सीजन प्लांट बैसेबाक मे मदद भेटत.

 

बिहटा ईएसआईसी क प्रबंधन पर केंद्र सरकार स जवाब तलब

 

राज्य मे करोना महामारी पर सुनवाई करैत पटना हाई कोर्ट केंद्र सरकार स पूछलक जे बिहटा स्थित ईएसआईसी अस्पताल क संचालन क जिम्मा तीन क बजाए एक प्रबंधन लग मे किया नहि अछि? गौरतलब अछि जे वर्तमान मे उक्त अस्पताल क संचालन भारतीय सेना, ईएसआईसी आ बिहार सरकार तीनू क डॉक्टर क देखरेख मे भ रहल अछि. चीफ जस्टिस संजय करोल क खंडपीठ शिवानी कौशिक आ अन्यक जनहित मामलाक सुनवाई करैत बिहार राज्य प्रदूषण नियंत्रण बोर्ड स सेहो पूछलक जे राज्य मे कोविड स जुड़ल चिकित्सा संस्थान क बायो मेडिकल कचरा कोना नष्ट कैल जाइत अछि?

 

हाई कोर्ट कहलक-संचालन एकहि हाथ मे किया नहि

सुनवाई क दौरान ईएसआईसी अस्पताल मे पदस्थापित सेना क नोडल अफसर क हलफनामे पर चर्चा भेल. कोर्ट कए बताउल गेल जे अस्पताल मे कोविड मरीज लेल 217 बेड, जाहि मे सात आईसीयू अछि. एहि मे केयर इंडिया एनजीओ आ बिहार सरकार क साझा सौजन्य स दवा क व्यवस्था अछि. मरीज कए एडमिट कैलाक बाद पहिने हुनकर हालात कए स्थिर क ऑब्जर्वेशन मे राखल जाइत अछि. बाद मे लक्षण क गम्भीरता आ नाजुकता पर मरीज कए आईसीयू या साधारण वार्ड मे राखल जाइत अछि. कईटा मरीज ठीक भ कए घर जा चुकल छथि. हाई कोर्ट कहलक जे जखन बिहटा क उक्त अस्पताल पूर्णत: काज क रहल अछि तखनओकर संचालन एक हि हाथ मे किया नहि अछि. एहि मामला क आगू सुनवाई आब नौ जून कए होएत.

Tags: BiharCoronapatna high court
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल 'Price War', Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम...मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत "खास सनेस", बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि