नई दिल्ली । वरिष्ठ पत्रकार रवीश कुमार कए 2019 क प्रतिष्ठित रेमन मैग्सेसे सम्मान दैल जाएत । इ सम्मान एशिया मे साहसिक आओर परिवर्तनकारी नेतृत्व क लेल हुनका देल जेताह ।
अवॉर्ड देनिहार संस्था क कहनाय अछि जे रवीश कुमार अपन पत्रकारिताक स हुनकर आवाज़ कए मुख्यधारा मे आनलक, जिनकर सदति उपेक्षा कैल जाएत छल । रेमन मैग्सेसे संस्थान दिस स कहल गेल जे, ‘जौं अहाँ लोगक आवाज बनैत छी त अहाँ पत्रकार कहाबैत छी’ । संस्था कहलथि जे रवीश कुमार पत्रकारिता कए उच्चस्तरीय, सत्यनिष्ठ, ईमानदार आओर निष्पक्ष बतेने अछि, फ़ाउंडेशन कहलाह जे रवीश कुमार बेज़ुबान कए आवाज़ देने अछि ।
रवीश कुमार हिन्दी समाचार चैनल एनडीटीवी इंडिया क सबसे लोकप्रिय चेहरा छथि । रवीशक अलावा 2019 क मैग्सेसे अवॉर्ड म्यांमार क को स्वे विन, थाईलैंडक अंगखाना नीलापाइजित, फ़िलीपीन्स क रेमुन्डो पुजांते आओर दक्षिण कोरिया के किम जोंग-की को सेहो भेटलाह ।
ज्ञात होए कि एहि स पुर्व एकमात्र बिहारी जय प्रकाश नारायण कए पब्लिक सर्विस लेल रैमन मैग्सेसे अवार्ड भेटल छल । ओ पहिल एहन बिहारी छलाह जिनका ई प्रतिष्ठित पुरस्कार भेटल छल । एहि स पहिने बेहतरीन पत्रकारिता लेल भारतेक पी साईनाथ कए सेहो मैग्सेसे सम्मान भेटि चुकल छथि । एहिक अलावे दिल्लीक मुख्यमंत्री अरविंद केजरीवाल, अरुणा रॉय और संजीव चतुर्वेदी संगे 54 टा भारतीय कए ई अवार्ड भेटि चुकल छथि ।