• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

25 करोड़ मे डालमिया क भेल दिल्ली क लालकिला

April 28, 2018
in समाचार
A A
61
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

ताजमहल लेल जीएमआर स्पोर्ट्स आ आईटीसी अंतिम दौर क रेस मे ।

अजय धारी सिंह

मधुबनी । दिल्ली क लाल किला आब डालमिया क भ गेल। केंद्र सरकार क “एडॉप्ट ए हेरिटेज” योजना क तहत मुगल बादशाह शाहजहां क बनाओल लाल किला कए डालमिया ग्रुप गोद ल लेलक । देशक ऐतिहासिक धरोहर कए संवारवां क लेल डालमिया ग्रुप 25 करोड़ क बोली लगौलक। एहि तरहे ऐतिहासिक इमारत गोद लेनिहार भारत क ई पहिल कॉर्पोरेट हाउस बनि गेल । डालमिया ग्रुप क ई कॉन्ट्रैक्ट 5 साल लेल इंडिगो एयरलाइन्स आ जीएमआर ग्रुप कए हराक भेटल छल ।

लाल किला क बाद केंद्र सरकार क’ “एडॉप्ट ए हेरिटेज” योजना क तहत जल्दि‍ए ताजमहल कए गोद लेबाक प्रक्रिया सेहो पूरा भ जाएत। ताजमहल लेल जीएमआर स्पोर्ट्स आ आईटीसी अंतिम दौर क रेस मे छथि‍ । दरअसल सरकार क “एडॉप्ट ए हेरिटेज” स्कीम सितंबर 2017 मे लॉन्च कैल गेल रहय । देश भरि क 100 ऐतिहासिक स्मारक लेल ई स्कीम लागू कैल गेल रहय।

बैसाख मास स काज होएत शुरू

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

डालमिया ग्रुप संभवतः बैसाख मास सँ काज शुरू करत। सूत्र क हवाला सँ मीडिया मे जे खबैर आबि रहल अछि ओकरा सच मानल जाय त काज 23 मई सँ शुरू करबा क प्रक्रिया मे अछि । ओना 15 अगस्त कए प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी क भाषण सँ पहिने जुलाई मास मे डालमिया ग्रुप कए लालकिला फेर सँ सिक्योरिटी एजेंसी कए सौंपअ पड़त। अहाँक बता दी जे आजादी भेटला क बाद सँ हरेक साल स्वतंत्रता दिवस क मौका पर 15 अगस्त कए देश क प्रधानमंत्री लालकिला पर तिरंगा फहरा कए आजादी क जश्न मनबैत आबि रहल छथि‍ । आ लालकिला क प्राचीर सँ सेहो ओहि दिन प्रधानमंत्री देश कए संबोधित करैत रहल छथि ।

लालकिला क कॉन्ट्रैक्ट क लए क डालमिया भारत ग्रुप, टूरिज्म मिनिस्ट्री आ आर्किलॉजिकल सर्वे ऑफ इंडिया क बीच 9 अप्रैले कए डील भ गेल छल। डालमिया ग्रुप क 6 मास मे शुद्ध पिबय बला पानि‍, स्ट्रीट लाइट आ फ़ूड कोर्ट सनक सुविधा देब परत। डालमिया भारत ग्रुप क सीईओ महेंद्र सिंधी कहलथि जे लाल किला मे 30 दिनक अंदर काज शुरू करा देल जाएत। ओ कहलैत जे शुरू मे हमरा सभ कए लालकिला 5 साल लेल भेटल अछि‍, कॉन्ट्रैक्ट क बाद मे बढ़ाओल जा सकैत अछि । हरेक पर्यटक हमरा लेल एक टा कस्टमर होएत आ एकरा ओहि तर्ज पर विकसित कैल जाएत । हमर सभहक प्रयास रहत जे पर्यटक एतय आबैत ओ एक्‍के बेर नहि आबय, ओ बेर-बेर आबय ।

धरोहर बचेबाक खातिर केंद्र सरकारक लिस्ट मे अनौपचारिक रूप सँ प्राप्त ख़बर क मोताबिक बिहार सँ नालंदा, राजगीर आ बोधगया भ सकैत अछि । मुदा मिथिलांचलक सैकड़ो धरोहरक प्रति जनता आ सरकार क तंद्रा कहिया टूटत ई देखबाक अछि ।

Tags: Adopt a HeritageDalmiyanLalkila
Share61TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

नीतीश उठौताह मोदी लग बलिराजगढ़ मे खुदाईक मसला

नाइजेरिया मे आयोजित इंडियन फूड फेस्टिवल मे बिहारक धूम

देशक अंतिम गाम मे भेल इजोत, 12 दिन पहिने मोदी सरकारक लक्ष्य भेल पूरा

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

by संपादक
January 15, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि