पटना। बिहार मे सड़क का पैघ जाल बिछत। हरेक गाम, कस्बा आओर शहर सड़क क नेटवर्क स जुड़ि जाएत। एहि नेटवर्क मे 6700 किमी सड़क बनत। चारू दिशा क सीमा आपस मे जुड़ि जाएत। खास गप ई अछि जे एहिक लेल राज्य सरकार ड़ेढ हजार किमी जिला पथ क सेहो उन्नयन करत।
दू लेन संगे बनत फुटपाथ
राज्य सरकार क एहि प्रस्ताव क अनुसार बनय बला एहि नब सड़क क चौड़ाई कम से कम फुटपाथ क आलावा दू लेन क होएत। ट्रैफिक क घनत्व कए देखैत कैक जगह ई सड़क चार लेन क सेहो भए जाएत । एहि नेटवर्क मे राष्ट्रीय उच्च पथ आओर राजकीय उच्च पथ क उन्नयन क लेल पैसा क व्यवस्था त राज्य सरकार कए लेने अछि, मुदा जिला पथ क उन्नयन मे लगभग सात हजार करोड़ खर्च होएत जेकर व्यवस्था जायका से उधार लकए कैल जा सकत अछि । जायका से लोन लेबाक लेल केन्द्र स अनुमति लेबा लेल 7 फरवरी कए अफसर क टीमक संग डिप्टी सीएम दिल्ली जाएत। पूरा नेटवर्क का प्रस्ताव तैयार अछि।
एक साथ जुड़त कैक टा सड़क
राज्य सरकार चारू दिशा क सीमा कए एक संग कैकटा सड़क से जोड़बका अद्भुत योजना बनेने अछि। दो सड़क क बीचक दूरी कए नाम ग्रिड राखल गेल अछि । पूरब स पश्चिम जाए बला सड़क कए हर 35 किमी पर उत्तर से दक्षिण दिस जाए बला एकटा सड़क क्रॉस करत। एहि तरह क क्रॉसिंग दोसरो दिशा मे सेहो होएत मुदा ओहिक दूरी 50 किमी तक भए सकैत अछि । एहि स राज्य क कुनू कोन से नहि खालि पटना बल्कि राज्य क कोनो दोसर कोने में जाएब आसान भए जाएत। सरकारक लक्ष्य अछि जे राज्यक कुनू कोन स पटना एबाक लेल 5 घंटा स बेसी समय नहि लागय ।