सहरसा । नबका साल सहरसा लेल निश्चित रूप स सुखदायी रहत । सहरसा क बहुप्रतिक्षित बंगाली बाजार स्थित ओवरब्रिज कए मंजूरी भेट गेल अछि । मधेपुरा सांसद पप्पू यादव एहि संबंध मे जानकारी साझा करैत कहलाह अछि जे भारत सरकार क सड़क आ परिवहन मंत्रालय बंगाली बाजार मे ओवरब्रिज निर्माण कए स्वीकृति प्रदान केने अछि । ओवरब्रिज क निर्माण 78 करोड़ टाका क लागत से कैल जाएत । एहिलेल राशि सेहो आवंटित क देल गेल अछि ।
भारत सरकर क सचिव उत्तम प्रकाश बिहार क पथ निर्माण विभाग कए भेजल स्वीकृति पत्र मे कहने छथि जे ओवरब्रिजक निर्माण लेल तकनीकी आ प्रशासनिक स्वीकृति पर राष्ट्रपति सेहो अपन सहमति द देने छथि ।
एनएच 107 पर सहरसा क बंगाली बाजार मे ओवरब्रिज निर्माण लेल सड़क परिवहन मंत्रालय टेंडर निकालबाक निर्देश देने अछि। ओवरब्रिज निर्माण क सिविल वर्क मे 34.23 करोड क राशि स्वीकृत अछि। ओतहि तकनीकी काज लेल 78.66 करोड़ क राशि स्वीकृत अछि । पत्र मे छ: मास क अंदर काज शुरू करबाक निर्देश सेहो अछि ।
ज्ञात होए जे ओवरब्रिज निर्माण लेल पहिनो एहि स पहिने सेहो तीन बेर शिलान्यास भ चुकल अछि। पूर्व रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव, दिग्विजय सिंह, अधीर रंजन चौधरी दिस स ओवरब्रिज निर्माण लेल शिलान्यास कैल गेल छलाह। मुदा निर्माण काज शुरू नहि भेल छल। एहि बीच सांसद पप्पू यादव ई घोषणा केने छलाह जे जों ओवरब्रिज क निर्माण हुनकर कार्यकाल मे शुरू नहि भेल ते ओ मधेपुरा लोकसभा क्षेत्र स अप्पन नामांकन क पर्चा दाखिल नहि करताह ।