4.28 करोड़ क लागत सँ गया आ बोधगया क धार्मिक पर्यटन स्थल सबकए बदलत सूरत
मणिभूषण राजू
गया । ‘स्वदेश दर्शन योजना’ क तहत जिला क धार्मिक आ पर्यटन स्थल सबहक विश्वस्तरीय सुविधा युक्त बनेबाक प्रयास तेज भए रहल अछि । गया शहर आ बोधगया क अलग-अलग धार्मिक आ पर्यटन स्थल क विकास आ सौंदर्यीकरण पर 4.28 करोड़ टकाक खर्चक योजना बनल अछि । गया आ बोधगया क सौंदर्यीकरण क काज स्वदेश दर्शन योजना क तहत भए रहल अछि । एहि योजना क काजक जायजा लेबाक हेतु केन्द्रीय पर्यटन मंत्रालय क सचिव रश्मि वर्मा आ संयुक्त सचिव सुमन बिल्ला गया पहुँचलथि ।
डीडीसी राघवेंद्र सिंह आ आन पर्यटन विभागक अधिकारी सभसंग केन्द्रीय टीम विष्णुपद मंदिर, देवघाट, बोधगया, डुंगेश्वरी, सुजाता कुटीर क भ्रमण कए प्रसाद योजना आ स्वदेश दर्शन योजना क तहत चालू काजक मुआयना कएलथि। केन्द्र सरकार दिस से पर्यटक स्थल कए विश्वस्तरीय सुविधा युक्त बनेबाक लेल प्रसाद योजना क तहत विष्णुपद मंदिर क लगीच फल्गु नदी क घाट पर बनल देवघाट सँ डंडीबाग धरि सौंदर्यीकरण क काज कैल जा रहल अछि । एहि पर करीब 12 करोड़ खर्च करबाक प्रस्ताव अछि ।
विश्वस्तरीय सुविधायुक्त बनत धार्मिक आ पर्यटन स्थल
एहि योजना क तहत धार्मिक आ पर्यटन क लिहाज सँ महत्वपूर्ण स्थल कए विश्वस्तरीय सुविधा सँ सम्पन्न बनेनाई अछि । एहि सभ स्थल कए बिजली, पानि आ सड़क सनक मूलभूत सुविधाक संगे बेहतर पार्किंग, रहबाक लेल अतिथिगृहक निर्माण सबहक योजना बनाओल गेल अछि ।
एहि योजनाक अनुसार तीर्थ-स्थल पर ठहराव, पेयजल, स्नानागार, शौचालय, साफ-सफाई, बिजली, सुरक्षा संगे आन सब सुविधा उपलब्ध करेबाक योजना बनाओल गेल अछि । संगहि सब स्थल पर सुविधा सबकए उचित बहाली लेल केयरटेकर क तैनाती क व्यवस्था सेहो भए रहल अछि ।