• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

उम्मीद क दसम डेग

January 15, 2017
in विचार, समाचार
A A

समदिया

इसमाद अपन दसम सालक यात्रा शुरु क रहल अछि । ई यात्रा असगर इसमाद क नहि अपितु एहि यात्रा मे ओ सभ शामिल छथि‍ जे एहि स अपना कए जुड़ल महसूस करैत छथि‍, पाठक क रूप मे, आलोचक क रूप मे वा फेर मददगारक रूप मे। कैक बेर निराशा वा हताशा क दिन सेहो आएल, हमरा सबहक आर्थिक संकट सेहो झेलय पड़ल। मुदा ओ निराशा अहाँ सबहक प्रेम स बेसी दिन नहि टिक सकल। जखनकि उम्मीद रोज नब ऊर्जा प्रदान करैत रहल। आय जखन इसमाद दसम डेग उठेलक अछि अछि त ई मैथि‍ली लेल एकटा कीर्तिमान सेहो हासिल कए लेने अछि । ई आत्मुग्घता नहि अछि आ नहि ई आत्मलब्धता अपितु मैथि‍ली वा कोनो अखबार/पत्रिका लेल ओकर गतिशीलता ओकर ताकत होएत अछि आ आय हम सभ गर्व स कहि सकैत छी जे इसमाद परिवार ओहि गति‍शीलता कए पेबा मे अंशत: सफल भ गेल अछि।

Ten year of esamaad

पिछला नौ साल मे हम पाठक क भरोसा हासिल केने छी । हुनकर विश्वास अर्जित केने छी । हम सदिखन पारंपरिक अखबार स इतर देबाक कोशि‍श केने छी। यैह कारण अछि जे इसमाद क हरेक खबरि तथ्यंपूर्ण आ आँकडा स भरल होएत अछि। यैह कारण अछि जे कोनो मैथि‍ली अखबार क कंटेट अनुदित भए कए हिंदी वा अंग्रेजी क पोर्टल आ पत्रिका मे लगैत अछि। पिछला नौ साल मे इसमाद लए कए पाठकक अवधारणा सकारात्मक रहल अछि । एक बेर फेर हम दोहराबे चाहब जे हम खबरक निष्पक्षता क कोनो दावा नहि करैत छी। खबर कहियो निष्पक्ष नहि होएत अछि। ई पाठक पर निर्भर करैत अछि जे कोन खबर हुनकर पक्ष मे अछि आ कोन विपक्ष मे। हम खाली तथ्य क संग रहैत छी। आँकड़ा आओर तथ्य कए देखबाक हमर अपन नज़रिया होएत अछि। ओकर व्याख्या हम अपन सरोकार क हिसाब स करैत छी। प्रस्तुति क हमर अपन शैली अछि आ ई अखैन धरि पाठक कए पसिन आयल अछि। हम शुरू स कहैत आयल छी जे इसमाद कोनो दान वा भीख मे विश्वाास नहि करैत अछि। मुदा समाज स इहो आग्रह करैत अछि जे दस सालक एहि यात्रा कए आँगा बढ़ेबाक लेल सहयोग करि। तखने ई सिलसिला जिंदा रहि सकत । इसमााद क जिंदा रखबाक एक्के टा मकसद अछि जे मैथि‍ल क बीच हमर सबहक संवाद जिंदा रहि सकय। मुदा ई कहिया धरि चलत एकर हम वा हमर टीम कोनो वादा त नहि कए रहल अछि मुदा जहिया धरि ई चलत अपन कंटेट आ अपन खबरि लेल ई सदिखन भीड़ स अलग ठाड़ रहत।

दस सालक एहि यात्रा मे कई टा लोकक परोक्ष आ अपरोक्ष रूप स योगदान अछि। मुदा सबसे बेसी योगदान ओहि सुधी पाठक क अछि जे एकर निरंतरता बनेबा मे सबसे बेसी योगदान देलथि‍। कोनो पोर्टल वा अखबार क भविष्य ओकर पाठक पर निर्भर अछि आ हमसभ एहि मे पूर्ण रूप स सफल भेलहूँ अछि। ओना इसमाद क दसम डेग एहिक संपूूर्ण टीम क समर्पण आ सहयोग क बिना सेहो अधूूरा छल। जों इसमाद आई पाठक क विश्वास पेबा मे अंशत: सफल भेल अछि त एकर श्रेय संपूर्ण टीम कए जाएत अछि। आगू क यात्रा लेल हाजिर छी हम…।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
Tags: esamaadmaithilimithila

Related Posts

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

बिहार क ‘’मगध वारियर’’ खेलत आईपीएल

मनाओल जाएत चंदा झाक अवतरण दिवस

सहरसा ओवरब्रि‍ज कए भेटल स्वीकृति, 6 महिना मे होएत काज शुरू

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि