• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

मिथिलाक विकास लेल कामेश्वर सिंह क विजन बुझब जरुरी : पांडेय

October 2, 2015
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

मनीष/संतोष
Kameshwar SinghKameshwar Singhदरभंगा । काशी विद्यापीठ क प्रध्यावपक प्रो रवि प्रकाश पांडेय कहला अछि जे पूंजीवाद साम्यजवाद आ उपनिवेशवाद आदि पर पूरा विश्व् में चर्चा आ शोध होइत रहल अछि मुदा सब विद्वान दरभंगा महाराज कए सर्वश्रेष्ठा मानलथि अछि, ओ कहला जे विज्ञान, शिक्षा, समाज, उद्योग आदि क क्षेत्र में दरभंगा महाराज जे अपन योगदान देलथि, ओ जे समरस समाज क स्थापना केलथि ओकर सही-सही मूल्याकन हेबाक चाही। श्री पांडय कहला जे एहि इलाका क विकास लेल महाराजा कामेश्वर सिंह क विजन कए बुझब जरुरी। गुरुवार कए ललित नारायण मिथिला विश्वाविद्यालय क समाजशास्त्र विभाग में महाराजा कामेश्वरर सिंह क पूण्यतिथि पर बाजि रहल छलाह। श्री पांडय कहला जे तिरहुत क्षेत्र मे पोखरिक अधिकता बता रहल अछि जे एहि ठामक नेतृत्वकर्ता खेत आ खेती पर केतबा सजग छलाह आ खेती कए लाभदायक बना रखबा लेल केतबा अग्रसाची छलाह।
श्री पांडेय कहला जे पोखरि एक दिस जतए खेत कए उर्वरक बनेबा मे सहायक भेल, ओतहि किसान आत्मरनिर्भर रहल। महाराजक दूरदृहष्टि क इ सबस पैघ उदाहरण अछि। श्री पांडेय कहला जे एहन नहि जे दरभंगा महाराज दुनिया मे भ रहल परिवर्तन स एहि इलाका कए अनभिज्ञ रखलाह। जखन विश्वे मे औद्योगिक क्रांति शुरु भेल त दरभंगा मे सेहो ओकर प्रभाव साफ तौर पर देखल गेल। देश में अन्य भूभाग में कारखाना पूंजीवादी व्यंवस्था क निशानी रहल, मुदा दरभंगाक औद्योगिक नीति क सबसे पहिल लक्ष्य रोजगार क अवसर पैदा करब रहल । एहन उद्योग क एहि ठाम स्थापना कैल गेल जेकरा लेल कच्चा माल स्थानीय स्तर पर उपलब्ध छल आ रोजगार स्थानीय लोक कए उपलब्ध कराउल गेल। श्री पांडेय कहला जे दरभंगा महाराज लेल सबस पैघ श्रद्धांजलि त हुनक विजन कए आगू बढा मिथिला कए समूद्ध करब अछि। सेमिनार मे प्रसिद्ध समाजशास्त्री  प्रो हेतुकर झा महाराज संग अपन स्मरण कए विस्तार स रखलथि । श्री झा कहलथि जे महाराजा क देल वस्तु‍ कए धरोहर समान सहेजबाक जरुरत अछि । कईटा वस्तु गायब भ चुकल अछि, कईटा वस्तु क लेखा नहि अछि। एकर जांच हेबाक चाही। जे गायब भेल ओ वस्तु दरभंगा क धरोहर छल आ दुनिया मे आर कतहु नहि उपलब्ध  छल। एकर सीबीआइ स जांच हेबाक चाहैत छल, मुदा एहि ठामक लोक जांच क मांग नहि केलथि, किया त हुनका ओ धरोहर अपन नहि लगलैन। श्री झा कहलथि जे एहि धरोहर सब कए अपन बुझबाक जरुरत अछि, इ समस्त मिथिला नहि बल्कि देश क धरोहर छी। श्री झा कहलथि जे महाराज अपन संपत्ति जनता लेल देलथि एरि पाछू एकटा उद्देश्य  इ छल जे हुनकर साधन क लाभ आम लोग कए उपलब्ध भ सकैछ, मुदा एखन धरि एहन नहि भ सकल अछि। डॉ झा कहला जे इतिहास नहि बदलि सकैत अछि। 1558 स 1962 क इतिहास खंडवाला राजवंशक अछि। करीब 400 साल क इतिहास अहां मिथिला या तिरहुत क इतिहास स अलग कोना क सकैत अछि । एतबा दिन मे जे एहि राज्यक नेतृत्व  केलथि वो विद्वान छलाह। आन राज्य मे योद्धा क इतिहास अछि, मुदा एहि ठाम विद्वान क इतिहास अछि । एहि ठाम क नेतृत्वकर्ता सब सामाजिक, आर्थिक, शैक्षणिक उत्थान समेत भारत क स्वतंत्रता संग्राम मे बहुमूल्य योगदान देलथि, जेकर चर्च दुनिया भरि क विद्वान करैत छथि, मुदा एहि ठाम क लोग ओहि योगदान कए घृणा क नजरि स देखैत अछि। एहन मे लगैत अछि जेना एहि ठामक लोक हुनकर योगदान स नहि बल्कि मिथिला आ ओकर समृद्ध इतिहास स घृणा करैत छथि। नहि त विश्वविद्यालय क स्थापना क एतबा दिन बाद महाराजक पुण्य तिथि क आयोजनक पाछू कोन कारण अछि। प्रो झा एहि लेल कुलपति साकेत कुशवाहा कए साधुवाद देलथि । एहि असवर पर कुलपति साकेत कुशवाहा कहलथि जे देश मे बहुत राजा आ जमींदार भेल, मुदा जाहि स्तर पर दरभंगा महाराज सामाजिक आ आर्थिक रूप से सब तबका लेल रोजगारक अवसर पैदा केलथि ओ अपने आप मे एकटा मिशाल अछि। श्री कुशवाहा कहलथि जे आजुक सरकार मनरेगा कए अपन उपलब्धि आ सोच बता रहल अछि मुदा दरभंगा महाराज काज क बदला मे अनाज योजना 1938 मे शुरु केने छलाह, जे मनरेगा क समान छल। कुलपति एकर संग तकनीकी शिक्षा, स्कीरल डिवलपमेंट लेल महाराजक प्रयास कए सामने रखलथि। ओ कहला जे आइ हुनका पर सवाल बहुत उठैत अछि, मुदा हुनका बुझबाक, पढबाक आ लिखबाक प्रयास कियो नहि केलक। एहन में हुनकर विजन कए सकारात्मकक सोच क संग आगू बढेबाक जरुरत अछि आ इ तखन होएत जखन एहि ठामक लोग महराजक काज कए बुझबाक प्रयास करत। सभा कए कुलसचिव डा अजित कुमार सिंह, विद्या कुमार झा, बैद्यनाथ चौधरी, गोपी नारायण सिन्हाव, मीरा मिश्रा आदि सेहो संबोधित केलथि। धन्य वाद ज्ञापन महाराजा कामेश्वार सिंह चेयर क निदेशक विनोद कुमार चौधरी देलथि।

Tags: darbhangadarbhanga maharajदरभंगादरभंगा महाराजराज दरभंगाविजन
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

तीर क बाट तकैत तिरहुत मे छल 127 प्रजाति क माछ

2500 मे आब हेलीकॉप्टर स सैर

मि‍थिला शैली क चित्रकारी स भ रहल अछि देवी क श्रृंगार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि