• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

ए सुन रविंदर अपन कल्पना बडका डागडर बनि गेल

June 7, 2018
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
रामबाबू
सीतामढी । ए सुन ‘रविंदर’… रमेश क बेटी बड़का डागडर बनि गेल ‘ किछु एहने सन चर्च बड़ बुजुर्गक मुँहे बिहारक शिवहर जिला अंतर्गत नरवारा गाममे सुनल जा रहल अछि की रमेशक छोटकी बेटी कल्पना डॉक्टर बनि गेलीह। कल्पनाकें पैतृक गांव नरहरा निवासी राकेश मिश्र एवम ममता कुमारीक बेटी कल्पना के’ नीट परीक्षामे इंडिया टॉपर बनला सँ उत्सव जकाँ माहौल अछि। नरवारा स्थित घर पंहुचि कल्पना के’ परिजन सभकेँ बधाई देनिहारक पाँति लागल अछि। गामक चौक-चौराहा पर एक दोसर के’ बधाई दैत देखल जा रहल अछि।
कल्पना केर पित्ती अवकाश प्राप्त शिक्षक महेश मिश्र एवम प्रो. विवेक मिश्र सेहो अहि उपलब्धि सँ गदगद छथि। चारु कात केवल कल्पनाक उप्लब्धिक चर्च चलि रहल अछि।  अहि बातसँ सभ गौरवान्वित भ रहल अछि कि नरवारा गामक नाम पूरा देशमे ऊंचगर भ’ गेल। गामक लोक कल्पना केर नरवारा पहुँचबाक प्रतीक्षा कS रहलैए जाहिसँ बेटी के’ शानदार स्वागत कएल जा सकैए।
शिवहर जिलाक डीएम अरशद अजीज कल्पना केर अहि उपलब्धि सँ जिलाक सम्मान बढाबय बला बतौलनि आ कहलनि जे ई जिला वासिक लेल गौरवक बात अछि। ओतय अन्य छात्र सभक लेल प्रेरणादायक सेहो। एसपी संतोष कुमार कल्पनाक उज्जवल भविष्यक कामना करैत कहलनि कि हुनक ई उपलब्धि नव पीढ़ीक लेल प्रेरणापुंज सेहो अछि। छोट सन जिला शिवहरक ई पैघ उपलब्धि अविस्मरणीय अछि। उमहर कल्पनाक पैतृक गाम नरवारामे उत्सवी माहौल बनल अछि। ग्रामीण एवम अड़ोस पड़ोसक लोक बधाई देमय लेल हुनकर घर पहुँचि रहल अछि। बधाई देमय बलामे ग्रामीण लोकनिक साथ एसडीएम आफाक अहमद, एसडीपीओ राकेश कुमार सेहो शामिल छथि।
बिहारक शिवहर जिलाक कल्पना कुमारी ऑल इंडिया टॉपर बनल अछि। NEET मे 720 अंकक परीक्षा भेल छल जाहिमे कल्पना 691 अंक प्राप्त कS इतिहास रचि देलक। इतिहासमे पहिल बेर एहन भेल कि नीट केर परीक्षामे बिहारक विद्यार्थी पहिल स्थान प्राप्त कएलक अछि। कल्पना बिहार केर शिवहर जिलासँ अछि आऔर हुनक बाबू जी राकेश मिश्रा सीतामढ़ी शिक्षा विभागमे अधिकारी छथि आ माता जी सेहो शिक्षिका छथिन। कल्पना अपन अहि सफलता पर बजलीह कि हमरा गर्व अछि की हम बिहार सँ छी। आगु कल्पना बतौलनि की एखन दिल्लीमे रहिकS नीट परीक्षाक तैयारी कS रहल छलहुँ। कल्पना नवोदय स्कूल सँ मैट्रिक आऔर इंटर  परीक्षा पास कएने अछि आऔर ओ अपन सफलताक श्रेय अपन शिक्षक एवम माता-पिता व सगे स्मन्धी सभके दैत छथिन।18 सालक कल्पना अपन पहिलहि प्रयासमे ई सफलता ग्रहण कएलीह। लाइव बिहार सँ भेल ख़ास बातचीतमे कल्पना अपन सफलता के’ लSक कएको मुख्य विंदु सभ साझा कएलीह। मेडिकल केर पढ़ाईक  फैसला केर जबाब मे कल्पना बतौलनि की मेडिकलमे जएबाक निर्णय हमर स्वयंकें छल। कोनो तरहक पारिवारिक दवाब नहि छल। परीक्षाक तैयारी के’ लSक जखन कहियो दिकक्ति होयत छल तखन हमर भैया आऔर परिवारक लोक सभ हमरा हौसला बढ़बैत छल।
आगु ओ  मेडिकल केर तैयारी करय बला वाले छात्र सभ लेल सन्देश मे ओ कहलनि जे  मानसिक दवाब संगहि सफलता सम्भवतः नहि पाओल जा सकैए। आत्म इक्षा अनिक्षा लक्ष्य धरि पहुँचबैत अछि। संगहि परिवारक सहयोग केर भूमिका प्रबल होयत अछि। अही सभ कारणे ई परिणाम भेटल अछि की हम बिहार समेत अपन परिवार केर गौरवान्वित करबामे सफल भेलहुँ अछि।
Tags: Bihar Board TopperKalpnaNeetTopper Bihar

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

पी. एम. फसल बीमा योजना स विहार अलग भेल, नितीश स्वयं शुरू केलन्हि नव बीमा योजना

उग्र भीड़ स पाँचटा युवकक जान बचेबा लेल जनप्रतिनिधि भेला सम्मानित

इंटरक परिणाम रहल मिथिलाक बेटी सबहक नाम

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि