पटना । मैथिली क प्रखर साहित्यकार आ इतिहासकार उषा किरण खान जीक चुनाव पद्म श्री पुरस्कार लेल भेल छल । भारतक तेसर सभसे पैघ नागरीक सम्मान हुनकर हिंदी आ मैथिली मे उतकृष्ट लेखन लेल देल जाएत ।
उषा किरण खान पूर्व आइपीएस अधिकारी श्री रामचंद्र खानक कनिया छथि । ‘मिथिलाक सांस्कृतिक इतिहास’ मे पीएचडी आ बीडी कॉलेज, मगध विश्वविद्यालय क एचओडी पद स रिटायर्ड श्रीमती खान एहि पुरस्कारक घोषणा पर हर्ष व्यक्त केलथि । ओ कहलथि हमर साहित्य कए भारत सरकार सम्मानि केलक इ हमार लेल गर्व क गप अछि । मूल रूप स दरभंगा जिला क रहनिहार उषा जीक साल 2011 मे हुनकर उपन्यास ‘भामती’ लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार भेट चुकल छथि । काँचहि बाँस, अनुत्तरित प्रश्न, दूर्वाक्षत, जाय सं पहिने, भामती आदि हिनक प्रमुख मैथिली पोथी अछि । हुनकर पुरस्कार घोषणा से संपूर्ण मिथिला संगे बिहार मे हर्षक माहौल अछि । ज्ञात होए कि हिनका संगे बिहार क एकटा प्रख्यात सर्जन डा. नरेन्द्र प्रसाद कए सेहो पद्म श्री लेल चयनित कैल गेल अछि । इसमाद परिवार दिस स दूनू गोटे क बधाई आ शुभकामना ।