अयाची मिश्रक प्रतिमा क भेल अनावरण
चमैनिया दायक प्रतिमा सेहो स्थापित कैल गेल
मधुबनी – मिथिलांचल शिक्षा आ न्याय दर्शन क केंद्र रहल अछि । हमर माननाय अछि जे जाहि तरह बिहार क विकास बिना भारत क विकास संभव नहि, ओनहिते मिथिला क विकास बिना बिहार क विकास कए परिकल्पना नहि कैल जा सकैत अछि। ई गप मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अयाची डीह विकास समिति दिस स आयोजित अयाची मिश्र और चमैनियाक प्रतिमा अनावरण समारोह मे शिरकत करैत कहलाह ।
मुख्यमंत्री कहलथि जे हमरा पर्यावरण क रक्षा लेल सेहो संक्लपित होमय पड़त । पकृति क संग छेड़छाड़ करब भविष्य मे बड्ड भारी पड़त । एबरी बेरुका बाढ़ि ओहिक नतीजा अछि । ऑंगा मिथिला क नैतिकता क बड़ाई करत ओ कहला जे जखन अयाची मिश्र अपन वादा क अनुसार अपन पहिलुका कमाई जे कि ओहि समय लाखो मे होएत क अपन वादा अनुसार हुनकर दाई ( प्रसव करौनिहार दाई ) क अपन वादा क अनुसार दए देलक । ओ महिला सेहो ओ पाय कए सामाजिक सरोकार लेल पोखरि खुनेबा मे लगा देलक, एहि से ओ समय क नैतिकता क ऑंकल जा सकैत अछि । आजुक मिथिला मे ओहि नैतिकता क बड्ड कमी अछि ।
अयाची मिश्र क काल्पनिक प्रतिमा क भेल अनावरण
पिछला छ: सौ साल से जे महान विभुति क बारे मे लोग खाली सुनैत रहल आबि रहल छल हुनका लोग आब देखि सकत । शनि दिन जहिना मुख्यमंत्री एहि प्रतिमा क आवरण केलथि लोगक माथ अपने आप चौड़गर ललाट, लंबा कान, सफेद वर्ण आ गले मे माला लटकेने गंभीर चेहरा वाला स्वरूप लग अपने आप झुकैत चलि गेल । अयाची मिश्र क संग मुख्यमंत्री चमैनिया दाय क प्रतिमा स अनावरण सेहो केलथि । हलॉंकि ओ प्रतिमा क स्थापना चमैनिया डाबर पर होनाय तय भेल छल मुदा ओहिठाम पानि हेबाक कारण बाद मे ओतय एहि प्रतिमा क स्थापना कैल जाएत ।