• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

ब्रॉडगेज ट्रैक पर मालगाडी खींच विदा भेल मिथिला मे बनल विश्‍वक सबसे शक्तिशाली रेलइंजन

मधेपुरा रेल कारखाना मे तैयार देश क सबस शक्तिशाली एसी इलेक्ट्रिक इंजन पहिल बेर मालगाड़ी ल कए सोमदिन पूर्व मध्य रेल क पंडित दीनदयाल उपाध्याय जंक्शन स झारखंड क बरवाडीह तक 276 किमी क दूरी तय केलक।

May 20, 2020
in समाचार
A A
  • उच्च अश्व शक्ति क इंजन बनेनिहार भारत बनल छठम देश
  • 17 अप्रैल 1874 मे चलल छल तिरहुत रेलवेक पहिल बेर ट्रेन

पटना । एकटा सपना आखिरकार साकार भ गेल। मिथिलाक धरती देश कए सबस शक्तिशाली इंजन समर्पित केलक। मधेपुरा रेल कारखाना मे तैयार देश क सबस शक्तिशाली एसी इलेक्ट्रिक इंजन पहिल बेर मालगाड़ी ल कए सोमदिन पूर्व मध्य रेल क पंडित दीनदयाल उपाध्याय जंक्शन स झारखंड क बरवाडीह तक 276 किमी क दूरी तय केलक। 118 कोयला लदल वैगन कए ल कए इंजन पंडित दीनदयाल उपाध्याय जंक्शन स डेहरी होइत करीब 120 किमी प्रति घंटा गति स बरवाडीह पहुंचल। पूर्व मध्य रेलवे क मुख्य जनसंपर्क अधिकारी राजेश कुमार कहला जे भारतीय रेलवे लेल इ गर्व क समय अछि। उच्च अश्व शक्ति वाला इंजन क उत्पादन करनिहार दुनिया क छठम देश आब भारत भ गेल। ब्रॉडगेज ट्रैक पर 12 हजार उच्च हार्स पावर क इंजन क परिचालन केनिहार भारत पहिल देश अछि।

उल्‍लेखनीय अछि जे 17 अप्रैल 1874 तिरहुत रेलवे क पहिल ट्रेन वाजितपुर स दरभंगा लेल विदा भेल छल। ओहि समय मे किछु स्‍वदेशी नहि छल। सब किछु इंग्‍लैंड क बनल मिथिला मे आयल छल। मुदा आइ मिथिला मे बनल देशक सबसे शक्तिशाली रेलइंजन अपन सेवा शुरु क देलक अछि। जाहि इलाका मे एक दशक पूर्व तक बिजली अनुपलब्‍ध छल। जाहि इलाका मे ट्रेनक सुविधा कम छल आइ ओहि इलाका स देश कए सबस शक्तिशाली एसी इलेक्ट्रिक इंजन भेट रहल अछि। पिछला 50 साल मे एहन उपलब्धि बिहार खास क मिथिला लेल त सपना भ गेल छल।

सौ किलोमीटर क रफ्तार स मालगाड़ी ल कए पहिल बेर पटरी पर दौड़ल मिथिला मे बनल इंजन जाहि बाट स गुजरल अपन नव रूपरंग आ गति स लोकक क बीच चर्चा क विषय बनल रहल। रेल मंत्री पीयूष गोयल सेहो ट्वीट करैत एकरा पैघ उपलब्धि कहलथि अछि। रेल मंत्री ट्वीट कए ईस्ट सेंट्रल रेलवे, डीआरएम डीडीयू आ फ्रांस क कंपनी अल्सटॉम सेहो रिट्वीट केलक अछि।

पूर्व मध्य रेलवे क मुख्य जनसंपर्क अधिकारी राजेश कुमार कहला जे पंडित दीनदयाल उपाध्याय जंक्शन स झारखंड क बरवाडीह तक मालगाड़ी खींच पहिल बेर विदा भेल 12 हजार हॉर्स पावर क्षमतावाला इ इंजन मधेपुरा रेल कारखाना मे मेक इन इंडिया क तहत तैयार कैल गेल अछि। एकर लोको नंबर 60027 अछि। इ सौ किलोमीटर प्रति घंटा क रफ्तार स चलेबाक लक्ष्‍य कए प्राप्‍त केलक अछि। ताहि लेल एकरा रेलवे बोर्ड स मंजूरी सेहो भेटल अछि।

मधेपुरा रेल कारखाना क मुख्य प्रशासनिक अधिकारी (सीएओ) राजीव कुमार गुप्ता कहला जे एखन धरि रेलवे क ट्रैफिक विभाग कए छहटा एसी विद्युत इंजन सौंपल जा चुकल अछि। एखन कारखाना मे 12 हजार हॉर्स पावर क चारिटा और इंजन तैयार भ रहल अछि। जेना जेना इंजन तैयार होएत परिचालन लेल रेलवे क ट्रैफिक विभाग कए सौंपल जाएत।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

ज्ञात हुए जे मधेपुरा रेल कारखाना क घोषणा तत्‍कालीन रेलमंत्री लालू प्रसाद केने छलाह। प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी एकर दस अप्रैल 2018 कए उदघाटन केलथि।

Tags: Madhepura Rail Factoryrail

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
पाहुन जेंका कराओल गेल प्रवासी मजदूरक विदाई : पहिराओल गेल पीयर धोती

पाहुन जेंका कराओल गेल प्रवासी मजदूरक विदाई : पहिराओल गेल पीयर धोती

जे काज बाहर करैत रही, आब बिहार मे भेटत, रहू आब एहि ठाम : नीतीश

जे काज बाहर करैत रही, आब बिहार मे भेटत, रहू आब एहि ठाम : नीतीश

गुजरात स लौटलाह सबस बेसी मजदूर, लौटनिहार मजदूर में चंपारणक लोक सबस बेसी

गुजरात स लौटलाह सबस बेसी मजदूर, लौटनिहार मजदूर में चंपारणक लोक सबस बेसी

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि