पटना। कोरोना संक्रमण काल मे बिहार से बाहर गेल मजदूरक घर वापसी आब दस लाखक आंकडा पार क लेलक अछि। सोमदिनक आंकडा क अनुसार एखन धरि साढ़े दस लाख बिहारी विभिन्न प्रदेश स वापस अपन राज्य आबि गेलथि अछि। सरकार लग इ आंकडा जरुर नहि अछि जे कोन राज्य मे केतबा बिहारी पलायन केने छल, मुदा आब सरकार लग इ आंकडा उपलब्ध अछि जे कौन राज्य स केतबा मजदूर लौट एलाह अछि। एतबे नहि राज्य सरकार लग इ आंकडा सेहो उपलब्ध अछि जे कौन जिला मे केतबा लोक लौटलाह अछि। सरकारी आंकडाक विश्लेषण करबाक काज शुरु भ चुकल अछि आ कईटा जानकारी चौका रहल अछि। कईटा आंकडा दिलचस्प अछि। मसलन सबस बेसी मजदूर कोरोना संक्रमण काल मे गुजरात स लौटल अछि। गुजरात स लौटल मजदूरक संख्या दिल्ली या अन्य प्रदेश स लौटल मजदूरक संख्या स कहीं बेसी अछि। ओहि ठाम स एखन धरि 170टा ट्रेन आबि चुकल अछि। गुजरात बाद लौटनिहारक संख्या महाराष्ट्र स अछि। ओहि ठाम स 120टा स बेसी ट्रेन आल अछि, पंजाब तेसर स्थान पर अछि। ओहि ठाम से महज 90टा ट्रेन आयल अछि।
आपदा प्रबंधन विभाग क अनुसार लौटनिहार लोक सबस बेसी चम्पारण स छथि। पूर्वी चम्पारण क 70 हजार त पश्चिमी चम्पारण जिलाक 52 हजार स बेसी लोक घर लौट चुकला अछि। यानी असगर चंपारण में 1.22 लाख लोक अन्य प्रदेश स लौट चुकल अछि।
अन्य जिला मे लौटनिहारक सूची एहि प्रकार अछि :
- -कटिहार के 60 हजार
- -पूर्णिया के 48 हजार
- -मधुबनी से अब तक 45 हजार
- -अररिया के 43 हजार
- -सारण के 40 हजार
- -मुजफ्फरपुर-गया से 36-36 हजार
- -समस्तीपुर-सुपौल के 32-32 हजार
- -बेगूसराय के 28 हजार
- -बांका के 28 हजार
- -भागलपुर के 27 हजार
- -मधेपुरा के 26 हजार
- -भोजपुर के 24 हजार
- -बक्सर के 22 हजार
- -दरभंगा के 22 हजार
- -किशनगंज के 22 बिहार
- -वैशाली के 20 हजार
- -नालंदा के 18 हजार
- -पटना के 14 हजार
- -जमुई के 87 सौ
- -अरवल के 75 सौ
- -जहानाबाद के पांच हजार
- -शिवहर में 43 सौ
कुल मिला कए कहल जा सकैत अछि जे गुजरात मे बिहारक लोक सबस बेसी असुरक्षित महसूस केलथि। सबसे बेसी गुजरात स लोक लौटल जखन कि जनसंख्या क अनुरूप सबस कम लोक दिल्ली से बिहार लौटलाह। एहिना कोसी प्रमंडल स बेसी तिरहुत प्रमंडल मे लोक वापस आयल अछि। इ आंकडा बिहारक सामाजिक आर्थिक आ राजनीतिक तीनू मान्यता कए फेर स परिभाषित करबा लेल लोक कए बाध्य करत।