• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

सुशांत अहां कए ऐना नहि जेबाक छल

फिल्‍म जगत स राजनीतिक जगत तक शोक मे डूबल

June 14, 2020
in समाचार
A A

नवीन शर्मा

सुशांत सिंह राजपूत क आत्महत्या करबाक समाद पर एखनो विश्‍वास नहि भ रहल अछि। एकर कारण सेहो अछि जे हुनका जखन देखलहुं मुंह पर चौव्‍वनी मुस्‍की संग देखलहुं। फिल्म मे सेहो आओर कखनो कताल कोनो चैनल पर इंटरव्यू या अन्य कार्यक्रम मे सेहो। बिना मुस्‍की क सुशांतक चेहरा ध्‍यान पर नहि अछि। हुनकर चेहरा पर आ मुस्कान मे एकटा बच्चा जेकां भोलापन छल जेकर कारण स वो आन अभिनेता स अलग नजरि अबैत छलाह।

सुशांत पर हमर ध्यान पहिल बेर 2013 मे आयल फिल्म काई पो चे स गेल छल। सिनेमा हॉल मे त इ फिल्म नहि लागल मुदा टीवी पर इ फिल्म देखने रही। गुजरात क दंगा क पृष्ठभूमि पर बनल एहि बेहतरीन फिल्म क नाम शुरू मे अटपटा लागल। एकर मतलब नहि बुझाइत छल। फिल्‍म देखलाक बाद पता चलल जे गुजराती मे गुडडी कए काटबाक संदर्भ मे इ इस्तेमाल होइत छै, जेना अपना सब दिस कहैत छिये ले काटा।

सुशांत एहि फिल्म मे एक युवा क्रिकेट कोच बनल छथि जे एकटा जूनियर मुस्लिम समुदाय क गरीब मुदा प्रतिभाशाली खिलाड़ी कए निशुल्क ट्रेनिंग दैत छथि। सुशांत अपन कद काठी आ हाव भाव स सचमुच खिलाड़ी हेबाक फिलिंग दैत छलाह। एहि फिल्म में क्रिकेट खिलाड़ी क भूमिका विश्वसनीय ढंग स निभेलक कारण स हिनका धौनी क बायोपिक मे धौनी क रोल ऑफर भेल छल।

 सुशांत हमरा खास तौर पर एहि लेल पसीन छलाह जे ओ धौनी क बॉयोपिक मे महेंद्र सिंह धौनी क किरदार परफेक्ट तरीका स निभौने छलाह। रांची क राजकुमार धौनी त अपन सबस फेवरेट क्रिकेट खिलाडी में शामिल छथिये, एहि फिल्म मे सुशांतक एक्टिंग देखला पर लागल जे धौनी क जेकां ओ अपना कए तैयार केलथि। धौनीक शैली कए हू ब हू सुशांत परदा पर उतारबा मे सफल भेलाह। धौनी स कई बेर भेंट क हुनकर हर गतिविधि क बारीकी पर ध्यान द हुनकर किरदार निभेबाक कोनो कसर नहि छोडलाह।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

छिछोरे मे अपन बेटा कए आत्महत्या क दंश स उबारनिहार सुशांत आइ अपने खुदकुशी क लेलथि। पिछला साल निर्देशक नीतीश तिवारी क फिल्म छिछोरे क लीड रोल मे सुशांत कए देखने रही। एहि मे ओ अनिरुद्ध पाठक क किरदार निभेने छलाह। एहि मे इंजीनियरिंग क इंट्रेंस एक्जाम मे फेल भेला पर आत्महत्या क प्रयास केनिहार अपन बेटा कए आत्महत्या क दंश स उबारबा मे मदद करैत हिनका किरदार आइ सेहो आंखि पर नाचि रहल अछि। ओ अपन कॉलेज क दिन क गप बता अपन बेटा राघव कए बुझबैत छथि जे जीवन मे कोनो परीक्षा मे फेल भ जेनाई खराब गप नहि होइत छै। लूजर भेनाई मे कोनो खराबी नहि छै। बस अपन पूरा ताकत झोंकबाक चाही। पूरा एफर्ट लगेबाक चाही। ओकर बाद रिजल्ट भले जे हो। अनिरुद्ध बनल सुशांत फिल्म मे भले अपन बेटा कए बुझा देलथि मुदा ओ खुद परदा से बाहर अपना कए इ नहि बुझा सकलाह। वास्तविक जिंदगी क संघर्ष, परेशानी आ तनाव शायद किछु बेसी होइत अछि जाहि स उबरब सहज नहि भ पबैत अछि। शायद ताहि लेल सुशांत आत्महत्या सन डेग उठौलाह। मुदा हुनका सन हंसमुख, हैंडसम, स्मार्ट युवा स एहि तरहक फैसला, जिंदगी स ऊब जायब, संघर्ष क बदला मे यू सरेंडर करब, एहन उम्मीद कतई नहि छल। एखन त महज 35 बसंत देखने छलाह सुशांत। एखन हुनका लंबी पारी खेलेनाई छल। हुनका सन खिलाडी नीक बैटिंग क रहल हो, त एहि तरह स हिट विकेट भ अपन विकेट गंवा देनाई कोनो तुक नहि बुझना जा रहल अछि। अहां खिलाड़ी छलहुं सुशांत, अहां स्पोर्ट्समैन स्पिरिट देखबितहुं। लड़ै – जूझैत यूं हारि मानब अहां रोल मे नहि छल।

 

सुशांत सिंह राजपूत क फिल्म

  • पैसा वसूल (2004)
  • शुद्ध देशी रोमांस (2013)
  • काई पो चे (2013)
  • पीके (2014)
  • डिटेक्टिव व्योमकेश बख्शी (2015)
  • एम एस धोनी: द अनटोल्ड स्टोरी (2016)
  • केदारनाथ (2018)
  • गुस्ताखियां (2018)
  • वेलकम टू न्यूयॉर्क (2018)
  • रोमिया अख्तर वॉल्टर (2019)
  • छिछोरे (2019)
  • सोनचिरैया (2019)
  • ड्राइव (2019)
  • दिल बेचारा (2020)
  • पानी (2020)

उल्‍लेखनीय अछि जे मिथिलाक बेटा सुशांत सिंह राजपूत अपन ब्रांद्रा स्थित घर मे फांसी लगा आत्‍म हत्‍या कर लेलथि। किछु दिन पहिने हुनकर सचिव सेहो आत्‍महत्‍या क लेने छलीह। ओकर बाद स ओ अवसाद मे छलाह। मुदा एखन धरि एकर कोनो पुष्टि नहि भेल अछि। नवंबर मे हुनकर विवाह सेहो तय छल। बिहारक पूर्णिया जिलाक रहनिहार सुशांत सिंह राजपूत क शव सबस पहिने हुनकर नौकर देखलक। ओ डुप्लैक्स फ्लैट मे रहैत छलाह। जाहि मे तीनटा नौकर आ एकटा हुनकर रूममेट रहैत छलथि।

हुनकर निधन क समाद आइ भोर मे जखन भेटल त पूरा देश स्‍तब्‍ध भ गेल। फिल्म इंडस्ट्री स ल कए राजनैतिक गलियारा तक मे शोक डूबी गेल। स्पॉटबॉय क रिपोर्ट क मुताबिक, 15 जून कए सुशांत सिंह राजपूत क अंतिम संस्कार भ सकैत अछि। बताउल जा रहल अछि जे हुनकर अंतिम संस्कार बिहार मे भ सकैत अछि, मुदा एकर संभावना बहुत कम अछि। रिपोर्ट क मुताबिक, सुशांत क पिता सोमदिन भोर मे 11 बजे मुंबई लेल पटना स रवाना हेताह। हुनकर एहि ठाम पहुंचलाक बाद अंतिम संस्‍कार पर स्थिति साफ होएत। ओना सुशांत सिंह राजपूत क शव कए पुलिस पोस्टमार्टम लेल पठा देलक अछि। कहल जा रहल अछि जे हुनकर कोरोना वायरस टेस्ट सेहो होएत।

Tags: Biharsushant

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
बिहार मे पास भेल 16 टा नव स्टार्टअप, मधुबनीक क्राफ्टवाला मारलक बाजी

बिहार मे पास भेल 16 टा नव स्टार्टअप, मधुबनीक क्राफ्टवाला मारलक बाजी

दुनिया लेल मिथिलाक सनेस : एक सकेंड मे कोरोना जांच, 100 टका मे भेटत रिपोर्ट

दुनिया लेल मिथिलाक सनेस : एक सकेंड मे कोरोना जांच, 100 टका मे भेटत रिपोर्ट

मिथिला पेटिंग कैल मास्‍क भेल हिट त आब बाजार मे धमाल करबा लेल आयल सिक्‍की स बनल राखी

मिथिला पेटिंग कैल मास्‍क भेल हिट त आब बाजार मे धमाल करबा लेल आयल सिक्‍की स बनल राखी

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि