• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

जनसभा स रैली : की की नहि देखलक पटना

November 3, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

भुवनेश्वर वात्स्यायन
पटना।
पटना एक बेर एकटा पैघ राजनीतिक रैली क गवाह बनबा लेल तैयार अछि। राजनीतिक रूप स सर्वाधिक जागृत समाज भेला स पटना उत्‍तर भारत मे शुरू स राजनेता लेल लोकप्रियताक एकटा मानक देलक अछि। पटनाक इतिहास देखी त शुरू मे पैघ पैघ सभा होइत छल जे बाद मे रैली क रूप ल लेलक। जानकारक कहब अछि जे 1980 स पूर्व जे पैघ सभा या रैली भेल ओ कोनो नेता या पार्टी द्वारा प्रायोजित नहि रहैत छल। राजनीतिक दल द्वारा प्रायोजित रैली क परंपरा 1980 क बाद शुरू भेल। बिहार बहुत रास गलत चीज दिल्‍ली स आयात केलक जाहि मे स एकटा इ सेहो कहल जा सकैत अछि। भारतीय इतिहास मे दिल्ली मे पहिल बेर एहि तरह क रैली भेल अछि। पटना कए इ रोग दिल्‍ली क लसरिया छी। राजनीतिक दल द्वारा प्रायोजित रैली गरीब रैला आ फेर मंडल रैली लोक क जेहन मे एखन धरि अछि। 1980 स पूर्व रैली लेल आमंत्रण क चलन नहि छल,बल्कि लोग स्वत: अपन हीरो कए सुनबा लेल भाषण स्‍थल तक अबैत छलाह। महात्मा गांधी क प्रार्थना सभा हुए बा पंडित जवाहरलाल नेहरू क 1962 क रैली, पटना सबहक गवाह रहल अछि। 1962 मे पटना बेली रोड मे खुलल जीप मे घूमैत नेहरू कए देखने अछि त दोसर दिस हेलीकाप्टर स गांधी मैदान पहुंचल मायावती कए सेहो देखबाक अवसर पटना कए भेटल अछि।
गांधीवादी विचारक डा. रजी अहमद क कहब अछि जे जनसभा से रैली तक क इतिहास पटना जेतबा लग स देखलक ओतबा आन कोनो शहर नहि देखलक। ओ कहैत छथि जे अगस्त क्रांति क लपट ग्यारह अगस्त कए पटना पहुंचल छल। अस्वस्थ रहबाक कारण डा. राजेंद्र प्रसाद पटना मे छलाह। हुनका गिरफ्तार क लेल गेल। हुनकर गिरफ्तारी क बाद पटना मे जे भीड़ जुटल छल ओ छात्र क पहिल रैली छल। कोनो सभा नहि छल ओ। अहमद कहैत छथि जे आजादीक बाद 1962 मे पंडित जवाहर लाल नेहरू क सभा पहिल एतिहासिक सभा छल। कांग्रेस क कार्यक्रम क सिलसिला मे ओ पटना आयल छलाह। आइ जाहि ठाम बेली रोड मे चिड़ियाघर बनल अछि ओतहि पंडित नेहरू क सभा भेल छल। ओ आम जनताक बीच स खुलल जीप मे सभा स्‍थल तक गेल छलाह। रास्‍ता क दूनू भाग काफी भीड़ छल।
डा.रजी अहमद अपन स्मृति कए जागृत करैत कहैत छथि जे जेपी क आह्वान पर गांधी मैदान मे चार नवंबर 1974 कए जे भीड़ जुटल छल ओकर चर्च सब करैत अछि, मुदा पाकिस्तान क संग युद्ध आ फेर बांग्लादेश क उदय क बाद तत्कालीन प्रधानमंत्री इंदिरा गांधी क जे सभा 1974 मे गांधी मैदान मे भेल छल ओकर सेहो अपन इतिहास अछि। ओ भीड कए सेहो नहि बिसरल जा सकैत अछि। इंदिरा गांधी अपन पिता क समान गांधी मैदान एकटा खुलल जीप स पहुंचल छलीह। अहमद कहैत छथि जे 1980 स पूर्व जनसभा या रैली मे लोक एहि भाव स नहि अबैत छल जे गांधी मैदान मे जे सभा भ रहल अछि ओ कोनो किसी दल विशेष क नेता क छी। बल्कि मामला इ छल जे लोक अपन हीरो कए सुनबा लेल अबैत छल। ट्रेन पकडि कए आसपास क लोक गांधी मैदान पहुंचैत छल। 1980 क बाद बस स लोक कए पटना अनबाक चलन शुरू भ गेल। हाल क दू दशक मे मंडल रैली, गरीब रैला आ फेर मायावती क रैली एकर उदाहरण अछि जे लोकक स्मृति मे अछि।
जहां धरि गांधी मैदानक सवाल अछि त आजादी क पहिने पटना मे देश क दिग्गज नेता क जनसभा मुख्य रूप स पटना सिटी क मंगल तालाब आ दानापुर इलाका मे होइत छल। तखन गांधी मैदान मे जनसभा क अनुमति नहि छल। मुदा आजादी क बाद इ मैदान बहुत किछु देखलक। डा.रजी अहमद अपन स्मृति कए जागृत करैत कहैत छथि- जेपी क आह्वान पर चार नवंबर 1974 कए जे जुटान गांधी मैदान मे भेल छल ओ एखन धरिक मात्र गांधी मैदानक नहि बल्कि भारतीय इतिहासक सबस पैघ स्वत: स्फूर्त रैली छल। भीड़ इतिहास मे दर्ज अछि। हाल इ छल जे फतुहा मे पुलिस प्रशासन एहि प्रकार स व्यवस्था क देने छल जे लोक पटना नहि आबि सकथि। तखन गंगा मे जल सेहो छल। प्रशासन कए एहि गपक भय छल जे लोक नाव स पटना पहुंच जाएत। एहि मामला मे जे सख्ती भेल ओकर अपन इतिहास अछि। एकर बावजूद लोक गांधी मैदान देखल गेल।
गांधी मैदान क संदर्भ मे बसपा सुप्रीमो मायावती क नाम सेहो एकटा इतिहास अछि। बसपा क रैली मे ओ एयरपोर्ट स गांधी मैदान हेलीकाप्टर स आयल छलीह। गांधी मैदान मे पहिल बेर हेलीपैड बनाउल गेल छल। गांधी मैदान लेल इ पहिल मौका छल जखन कोनो नेता जमीन क बदला मे आसमान स आयल छल। लालकृष्ण आडवाणी कए गांधी मैदान क एकटा चुनावी सभा मे पटना क तत्कालीन डीएम गौतम गोस्‍वामी समय खत्‍म भेला पर भाषण देबा स रोकि देने छलाह। इ अपन समयक एकटा पैघ घटना छल। समय क संग पटना बहुत किछु बदलैत देखलक, नहि बदलल त बस पटनाक राजनीतिक जागृति जे एखनो देश मे राजनीतिक आंदोलन क मानक अछि। इ निर्विवाद सत्‍य अछि जे पटनाक गांधी मैदान क आवाज दिल्‍ली क सत्‍ता तक एखनो जंतर-मंतर स बेसी तेज पहुंचैत अछि। एकर प्रमाण समाजसेवी अन्‍ना हजारे क आंदोलन अछि जे दिल्‍ली क असफलता क बाद पटनाक गांधी मैदान स पुन: नव संस्‍करण मे एबाक तैयारी क रहल अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

मिथिलाक धरोहर

Esamaad Epaper Website

एहन श्रृंगार किया हम देखू

कोनो भाषा कए भूगोल मे नहि बंधबाक चाही : नचिकेता

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि