राहुल सिंह
रांची । युवा पत्रकार आ इ’समाद परिवारक अहम सदस्य राजीव रंजन क
13 नवंबर क राति करीब एक बजे निधन भ गेल। ओ 33 वर्षक छलाह। हुनक विवाह पिछला साल भेल छल। हुनक अंतिम संस्कार रांचीक मुक्तिधाम मे भोर 4 बजे संपन्न भेल। मूल रूप स बेगूसराय क रहनिहार स्वर्गीय राजीव अपन पत्रकारिता प्रभात खबर पटना स शुरू केने छलाह। पटना में करीब दू साल काज केलाक बाद ओ दैनिक आज क पटना संस्करण में सेहो काज केने छलाह। 2004 स ओ प्रभात खबर रांची मे अपन योगदान द रहल छलाह। राजीव कए पिछला साल पिलिया भेल छल आ तखन स ओ पूर्णरूपेन स्वस्थ नहि भ सकल छलाह। लंबी बीमारी क बाद पिछला दू दिन स ओ कोमा मे छलाह। हुनक परिवार में पत्नी समेत माता-पिता सेहो छथि। रांची क पत्रकारिता जगत में राजीव क निधन स सब आहत अछि। इ’समाद परिवार अपन एहि सदस्य निधन पर श्रद्धांजलि दैत अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna




बहुत दुखद समाचार…………..एतेक कम अवस्था में एतेक कीर्ति जरुर अविस्मरणीय रहत…………राजीव जी कें श्रद्धांजली
श्रद्धांजली