पटना । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए विदेश मंत्रालय नेपाल जेबाक अनुमति नहि देलक । एहि स पूर्वहु नीतीश कुमार तीन बेर केंद्र स नेपाल जेबाक अनुमति मंगने छथि, मुदा केंद्र हुनका जेबाक अनुमति नहि देलक। एहि बेर मुख्यमंत्री राहत काज क इंतजाम देखबा लेल जनकपुर जेबाक इच्छा व्यक्त केने छलाह, मुदा मंत्रालय इनकार क देलक। दलील देलक जे हाल मे दूटा अफसर नेपाल स आयल अछि । मुख्यमंत्री क एखन नेपाल यात्रा ठीक नहि रहत । प्रोटोकॉल क तहत बिहार क मुख्यमंत्री कए नेपाल जेबा लेल विदेश मंत्रालय स अनुमति लेब आवश्यक अछि । विदेश मंत्रालय नीतीश कए पहिने जनकपुर जेबाक अनुमति द देने छल, मुदा ऐन वक्त पर बिहार क मुख्य सचिव कए फोन क नीतीश कए देल गेल अनुमति कए रद़द क देल गेल । जदयू नीतीश कए नेपाल जेबा स रोकबा लेल एनडीए सरकार क देश क संघीय ढांचा पर हमला करार देलक अछि । पार्टी नेता केसी त्यागी कहला अछि जे पिछला दिन खुद प्रधानमंत्री नीतीश स भूकंप क मुद्दा पर गप केने छलाह । दूनू तालमेल स काज करबा लेल सहमत छलाह, तखन इ व्यवहार करब समझ स बाहर अछि । आब त संसद मे मुद्दा उठेलाक बाद एकर खुलासा होएत । हालांकि एहि मामला पर विदेश मंत्रालय क कहब अछि जे नीतीश कए मना नहि कैल गेल अछि, बल्कि रोकल गेल अछि । हालात कए देखैत हुनका एखन नेपाल दौरा स्थगित करबा लेल कहल गेल अछि । उल्लेखनीय अछि जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए नेपाल जेबाक अनुमति कांग्रेस सरकार मे सेहो नहि देल गेल छल । सबसे पहिने जेपी कोइरालाक अंतिम संस्कार मे जेबा लेल नीतीश अनुमति मंगने छलाह । बाद मे वर्ष 2008 में कुसहा संकट क समय नेपाल जेबाक इच्छा प्रकट केने छलाह, तखनो केंद्र क कांग्रेस सरकार हुनका नेपाल जेबा स रोकने छल । दरअसल बिहार स आम आदमी भले नेपाल आराम स चलि जाए, मुदा राज्यपाल आ मुख्यमंत्री विदेश मंत्रालय क इजाजत क बिना नेपाल नहि जा सकैत छथि आ केंद्र ममता कए बांग्लादेश जेबाक अनुमति दैत रहल अछि मुदा नीतीश कए नेपाल जेबा मे केंद्र कए दिक्कत अछि ।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa