• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home विचार

दोसर कडी : इ अपहरण रुकि सकैत छल…

May 9, 2015
in विचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

डॉक्टर दंपती क अपहरण आ बरामदगी पर इ स्टोरी बिहार क प्रसिद्ध पत्रकार ज्ञानेश्वर अपन अनुभव आ एहि मामला मे जुटाउल गेल जानकारी पर हमरा लोकनिक संग साझा केलथि अछि । बिहार लेल अपहरण कोनो नव गप नहि अछि, मुदा इ अपहरण होइत कोना अछि आ पुलिस एहि मामला मे कोना सफल भेल एहि पर इ आलेख मुख्य  रूप स प्रकाश दैत अछि। विषय पैघ अछि ताहि लेल आलेख सेहो लंबा अछि। पहिल खेप अहाँ पहिने पढ़ि‍ चुकल छी, प्रस्तुत अछि दोसर खेप । 

कम नहि अछि अजय सिंह क राजनीतिक पहुंच

Gyaneshwarआब आउ गैंगस्टरर अजय सिंह क माडेस अप्रेंडी कए बुझबाक प्रयास करि । अजय सधल अपहर्ता अछि । कोनो हड़बड़ी नहि करैत अछि । अपहरण बाद सीधा दुम साधि लैत अछि । बीस-पचीस दिन तक कोनो हलचल नहि करैत अछि। जखन पुलिस हारि थाकी कए बैस जाइत अछि आ परिजन निराश भ जाइत अछि,तखन ओ एक्टिव होइत अछि । गिरोह मे सब सदस्य कए काज बंटल रहैत अछि । संपर्क करबा लेल कईटा माध्य्म भ गेल अछि आ अलग-अलग शहर स संपर्क राखल जाइत अछि । रिकार्ड कहैत अछि जे इ गिरोह कई बेर चलैत ट्रेन स उछालल नान स्टॉपेज वाला स्टेशन पर टका स भरल बैग प्राप्ति केलकह अछि । ठेकेदार रविरंजन सिंह अपहरण मामला मे सौदा जल्द आ सस्ता मे भेल, एकर कारण छल राजनीतिक दबाव। भाजपा क एकटा पैघ नेता क संबंधी रहबाक कारण स दबाव बहुत छल । अजय सिंह क राजनीतिक पहुंच ओना कम नहि अछि । पहिने बता चुकल छी जे ओ चंद्रशेखर क पार्टी स चुनाव लडि चुकल अछि । छह फरवरी,2003 कए जखन ओ जयपुर मे हीरा कारोबारी क पत्नी सुमेधा दुर्लभजी क अपहरण केने छल,तखन संजय क संग मोदी क मंत्रिपरिषद मे शामिल मंत्री क एकटा संबंधी सेहो छल । धनंजय सिंह कए सेहो तखन अपराध मे शामिल पाउल गेल छल। जिनकर पिता तखन जनता दल क विधायक छलाह । धनंजय खुद रिलायंस स जुडल छल आ गिरोह क काल्सस क देख-रेख करैत छल । आइ सेहो ओ लखनऊ मे स्व्यं कए कांग्रेस क हाल ही मे दिवंगत भेल नेता क परिवार क करीब बता रहल अछि, जाहि परिवारक बहू पटना मे नामी ब्यू्टी पार्लर चलबैत छथि । एहन मे,इ नहि मानल जेबाक चाही जे अजय सिंह सन शातिर चारि-पांच दिन मे पैघ आसामी स सौदा क सकैत छल।

बिना चाट खेने नहि जगैत अछि पुलिस

आब बिहार पुलिस क गप करि । बिना चाट खेने बिहार पुलिस नहि जगैत अछि । इ थापड सेहो अपराधी क एहन हेबाक चाही जाहि स सरकार क चूल हिले आ मीडिया हल्ला  करै । जयपुर जेल मे सुमेधा दुर्लभजी अपहरण मामला मे अजय सिंह आजीवन कैद क सजा काटि रहल छल । ओ 22 अक्टूाबर,2011 कए एक महीना क पेरोल पर आयल । मतलब 22 नवंबर,2011 कए वापसी हेबाक छल । मुदा वापस जेल नहि गेल । 23 नवंबर कए जयपुर जेल प्रशासन शाहपुरा थाना मे रिपोर्ट लिखा देलक । तलाश मे जयपुर पुलिस पटना सेहो आयल । मुदा किछु पता नहि चलल । हमर मानब अछि जे बिहार पुलिस कए तखन जगैत अछि । अजय सिंह पेरोल तोडि जेल स गीता पाठ लेल बाहर नहि आयल छल । बिहार मे जतए-ततए देखल सेहो जा रहल छल । दरअसल,ओ अपन गिरोह कए फेर स जिंदा करबा मे लागल छल । मुदा बिहार पुलिस सुतल छल । फायदा अजय सिंह उठा लेलक । दू माह मे संगठित केलक गिरोह अजय सिंह महज दू माह मे अपन गिरोह कए नव तरीका स जिंदा क लेलक । जनवरी,12 मे ओ गया फोरलेन पर इंडस्ट्रलियस्ट  अनिल अग्रवाल कए बनारस स आसनसोल जाइत काल अपहरण क सनसनी फैला देलक । बिहार पुलिस कहलक-अपहरण हमर क्षेत्र मे नहि भेल,झारखंड पुलिस कहलक-अपहरण हमर इलाका मे नहि भेल । बड़़ मुश्किल स वाराणसी मे रिपोर्ट दर्ज भेल । दोसर दिस अपहरण क बाद अजय सिंह गिरोह सुइत गेल । पुलिस हारि गेल,परिजन अपशकुन मानि चुकल छल,तखन संपर्क साधल गेल । माह बाद जखन अनिल अग्रवाल घर वापस एलाह,त पुलिस अपन पीठ थपथपा लेलक । मुदा सब कए पता अछि जे पांच करोड़ मे डील भेल। यूपी एसटीएफ अजय सिंह स पूछताछ क साढ़े पांच करोड़ क डील अनिल अग्रवाल मामला मे भेल छल से कंफर्म केलक । एकर बाद सेहो इ गिरोह दोसर राज्य सब मे अपहरण करैत रहल । डाक्टर दंपती स  पहिलका मामला कांट्रेक्टर रविरंजन सिंह क गया फोरलेन पर भेल अपहरण छल । एहि मामला मे सेहो रिहाई आ गिरोह क सच जान बिहार पुलिस सुतल रहल ।

दोसरसमाचार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019

नहि सुतल रहिते त डाक्टर दंपती अगवा नहि भेल रहितथि

बिहार पुलिस क नाकामी सूरत क सोहेल हिंगोरा मामला मे सेहो स्पष्ट अछि । बिहार मे नौ करोड़ क फिरौती वसूली मामला क खुलासा केने छल । बड़ हंगामा भेल । गैंगस्टर क पहचान चंदन सोनार क रुप मे भेल । मुदा आइ धरि चंदन सोनार पुलिस क गिरफ्त स दूर अछि । बहरहाल, अंत मे डाक्टर दंपती क अपहर्ता अजय सिंह क किछु कमजोरी बता दी,जाहि कारण स ओ पुलिस कए जरुरी लीड्स द दैत अछि । अजय नव अपहरण मे पिछुलका अपहरण क समय अपह्त क गाड़ी क इस्तेमाल करैत अछि । डाक्टर दंपती मामला मे सेहो ओ एहने केलक । ठीक एहिना 2003 मे  जयपुर मे सुमेधा दुर्लभजी अपहरण मामल मे केने छल । दूटा गाड़ी तखन ओ इस्तेमाल केने छल । अपहरण क बाद एकटा इंडिका ओ छोडि देने छल । ओहि इंडिका स पुलिस कए तखन अजय सिंह क दिल्ली  ठिकाना तक पहुंचबा मे मदद भेटल । दरअसल ओ इंडिका 14 दिसंबर,02 कए एहि गिरोह द्वारा छत्तीसगढ़ क बिलासपुर मे अपह्त कैल गेल दूटा इंजीनियर क छल । बाद मे ओ इंजीनियर सब कए उड़ीसा क राउरकेला मे छोड़ल गेल छल । आगू जांच मे छत्तीसगढ़ पुलिस गिरोह क सदस्य  उमेश सिंह कए गिरफ्तार क अजय सिंह क पहचान केने छल,मुदा अजय पकड़बा स पूर्व जयपुर मे दोसर पैघ वारदात कए अंजाम द देलक । तखन अजय क दिल्‍ली मे भेल गिरफ्तारी मे सुमेधा दुर्लभजी क अपहरण मे प्रयुक्तअ दोसर मारुति स्टीम कार जेएच-11ए-7987 सेहो जब्ती कैल गेल छल । जारी….

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019
फिल्मक समीक्षा : “गामक घर”  शून्य स अनंत धरि

फिल्मक समीक्षा : “गामक घर” शून्य स अनंत धरि

November 14, 2019
गांधीजी की छलाह ?

गांधीजी की छलाह ?

October 2, 2019
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार मे खुलत दूटा आओर केंद्रीय विश्वविद्यालय

Esamaad Epaper Website

रंग लेलक मुहिम, निजी कंपनी भेल राजी, सरकार सेहो सक्रिय

Esamaad Epaper Website

लीची स शराब बनेबाक भेटल मंजूरी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि