• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बढल आमदनी, मुदा सुस्त भेल विकास दर

February 10, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
  • पिछला पांच साल मे इ पहिल बेर विकास क रफ्तार 10 फीसदी स नीचा फिसलल।
  • बिहार एखनो देश क मुकाबला मे दोगुना रफ्तार स क रहल तरक्की
  • प्रति व्यक्ति आय मे 8 प्रतिशत क बढोतरी, मुदा बिहारी एखनो देश मे सबस गरीब

पटना । बिहार मे प्रति व्यक्ति आय मे 8 प्रतिशत क बढोतरी दर्ज कैल गेल अछि आओर इ आब 15830 टका क स्तर पर आबि गेल अछि। हालांकि प्रति व्यक्ति आय क मामला मे बिहार एखनो देश मे सबस निचला पायदान पर अछि। दोसर दिस बिहारी क आमदनी बढलाक बावजूद बिहार क विकास सुस्‍त अछि। कृषि उत्पादन आओर निर्माण (कंस्ट्रक्शन) उद्योग क सुस्ती बिहार क विकास क रफ्तार कए सुस्त क देलक अछि। राज्य क विकास दर करीब 9.5 फीसदी पर आबि गेल अछि । हालांकि, राज्य सरकार एहि सुस्ती लेल देश मे मौजूद आर्थिक मंदी कए दोषी ठहरा रहल अछि।
राज्य क योजना आ विकास विभाग क प्रधान सचिव विजय प्रकाश राज्य क विकास क आंकडा पेश केलथि अछि। हुनक कहब अछि जे अग्रिम अनुमान क अनुसार 2004-05 क स्थिर मूल्य पर एहि वित्त वर्ष (2012-13) मे बिहार क सकल घरेलू उत्पाद 1,57,957 करोड़ रहबाक अनुमान अछि, जखनकि बीतल वित्त वर्ष (2011-12) मे इ 1,44,278 करोड़ छल । एहि हिसाब स राज्य सरकार कए एहि साल 9.48 फीसदी विकास दर भेट सकैत अछि। पिछला पांच साल मे इ पहिल बेर छी जखन बिहार क विकास क रफ्तार 10 फीसदी स नीचा फिसलल अछि। पिछला साल बिहार 13.2 फीसदी क रफ्तार स तरक्की केने छल। प्रकाश क कहब अछि जे विकास क रफ्तार कनि सुस्त जरूरी भेल अछि मुदा बिहार एखनो देश क मुकाबला मे दोगुना रफ्तार स तरक्की क रहल अछि।
विकास क रफ्तार कम हेबाक कारण स्‍पष्‍ट करैत ओ एकरा लेल मुख्य रूप स कृषि उत्पादन मे सुस्ती आ निर्माण उद्योग क सुस्ती कहला । दरअसल, चालू वित्त वर्ष मे राज्य मे कृषि आ पशुपालन क्षेत्र मे विकास क रफ्तार महज 2.28 फीसदी रहल। संगहि, राज्य मे चाउर आ गहूम क उत्पादन सेहो कम भेल अछि। चालू वित्त वर्ष मे राज्य सरकार कए 78.8 लाख टन धान आ 63.79 लाख टन गहूम क उत्पादन क उम्मीद अछि। बीतल वित्त वर्ष मे बिहार मे करीब 82 लाख टन धान आ 65 लाख टन गहूम क उत्पादन भेल छल । दरअसल, बीतल साल वर्षा काफी देरी स भेल छल। एहि कारण स राज्य मे कृषि कार्य बाधित भेल। हालांकि, बिहार क उत्पादकता मे बढोतरी भेल अछि। चालू वित्त वर्ष मे धान क मामला मे बिहार क उत्पादकता 25.38 क्विंटल प्रति हेक्टेयर रहल, जखनकि बीतल वित्त वर्ष मे बिहार प्रति हेक्टेयर 24.63 क्विंटल धान क उत्पादन क रहल छल । दोसर दिस, दलहन मे सेहो उत्पादकता बढल अछि। विकास दर मे कमी क दोसर कारण राज्य मे निर्माण उद्योग क विकास क रफ्तार रहल जे एखन सुस्त अछि। चालू वित्त वर्ष निर्माण उद्योग क विकास क दर 7.53 फीसदी रहल, जखनकि बीतल साल मे इ दहाई क आंकडा मे रहैत छल। हालांकि, चालू वित्त वर्ष मे राज्य मे विनिर्माण क्षेत्र मे तेजी देखबा लेल भेटल, जाहि मे 14.58 फीसदी क दर स बढोतरी भेल। निर्माण उद्योग क सुस्‍ती रहल मुदा विनिर्माण मे सक्रियता शुभ संकेत कहल जा सकैत अछि । दरअसल, विनिर्माण क्षेत्र स्थायी विकास क द्वार खोलैत अछि। ओ कहला जे सुस्ती क अहम वजह राष्ट्रीय स्तर पर मौजूद आर्थिक मंदी सेहो अछि । देश क विकास क रफ्तार बहुत कम भ गेल अछि, एखन मे बिहार क विकास गति कए बचा कए राखब मुश्किल भ गेल अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

दरभंगा मे खत्‍म भेल औद्योगिक पतझड, 15 स चालू होएत अशोक पेपर मिल

न्‍यू पटना क पहिल झलक

पटना पुस्‍तक मेला 13 स, भेटल अंतरराष्‍ट्रीय दर्जा

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि