नई दिल्ली।आर्थिक मामला क मंत्रिमंडलीय समिति द्वारा मंजूर करल गेल परियोजनाओं मे बिहार मे पटना-गया-दोभी खंड क चौड़ा करय क लेल 2,015.60 करोड़ टका क परियोजना प्रस्तावित भेल छल। एकटा आधिकारिक बयान मे कहल गेल जे, ‘आर्थिक मामला क मंत्रिमंडलीय समिति बिहार मे जापान इंटरनैशनल कोऑपरेशन एजेंसी क सहयोग से राष्ट्रीय राजमार्ग-83 पर पटना-गया-दोभी खंड कए चार लेन मे तब्दील करबाक परियोजना कए आय मंजूरी दए देलक अछि। एहि परियोजना पर 2,015.60 करोड़ टका क लागत आएत।’
जाही127 किलोमीटर लंबा सड़क कए चौड़ा करनाय अछि ओ बौद्ध सर्किट क हिस्सा अछि आओर एहि तरह राजगीर मे प्रस्तावित विश्वस्तरीय अंतरराष्ट्रीय नालंदा विश्वविद्यालय सेहो एहि मार्ग से जुडि जाएत। जापान सरकार जेआईसीए ऋण क परियोजना कए वित्त पोषण करय लेल तैयार अछि। इ परियोजना पटना मे राष्ट्रीय राजमार्ग-30 से शुरू हाएत आ दोभी मे राष्ट्रीय राजमार्ग-83 आओर राष्ट्रीय राजमार्ग-2 पर समाप्त हाएत। एहि काज क समझौता पर हस्ताक्षर भेलाक तीन साल क भीतर पूरा क लेल जाएत।
एही पर सरकार क कहब अछि , ‘एहि परियोजना से पटना से गया-बोधगया, राजगीर आ नालंदा क लेल सहज मार्ग उपलब्ध होगा। एहि से वाहन क ईंधन सेहो बचत कियाकि यात्रा मे लगय बला समय घटि जाएत। ज्ञात होए ‘ जेआईसीए पटना-गया-दोभी क चार लेन मे बदलबाक परियोजना लागू करय क लेल निर्माण कार्य आओर निगरानी क साथ ऋण क रूप मे 100 प्रतिशत वित्त पोषण क सहमति पहिने द चुकल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर