नई दिल्ली। बिहार मे विधानसभा चुनाव कए देखैत भाजपा क राष्ट्रीय कार्यसमिति क अगिला बैठक पटना मे आयोजित कैल जाएत। पार्टी अध्यक्ष गडकरीक अध्यक्षता में भेल केंद्रीय पदाधिकारीक बैठक मे आइ एहि पर निर्णय लेल गेल। आजुक बैठक मे कईटा फैसला लेल गेल, मुदा बिहारक प्रदेश अध्यक्ष आ उमा भारतीक पार्टी मे वापसी पर कोनो निर्णय नहि भ सकल। उमा भारती क पार्टी मे वापसी संबंधी एकटा प्रश्न क जवाब मे अनंतकुमार कहला जे एहि मसला पर पार्टी क संसदीय बोर्ड फैसला लेत। दोसर दिस बिहार में पार्टीक नव अध्यक्ष लेल सेहो आई घोषणा हेबाक छल, मुदा भारी गुटबंदी कए देखैत घोषणा नहि भ सकल। पार्टीक एकटा प्रमुख नेताक कहब अछि जे गडकरी क सबस पैघ मुश्किल इ अछि जे ओ केकरा नाराज करथि आ केकरा खुश करथि।
प्रदेश भाजपा क नेता दू खेमा मे बंटल छथि। एक खेमा उप-मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी क अछि, त दोसर नंदकिशोर यादव क। दूनू खेमा क लोक अध्यक्ष पद क उम्मीदवार क लेल अपन पूरा ताकत लगा देने अछि। पहिने बिहारक जिम्मा शाहनवाज कए सौंपबाक गप छल, मुदा संघ एहि लेल तैयार नहि भेल। संघ कोनो हालत मे एकटा मुसलमान कए भाजपा अध्यक्ष बनेबा लेल तैयार नहि अछि। शाहनवाजक नाम हटलाक बाद राज्य मे दोसर कोनो एहन नाम सामने नहि आबि रहल अछि जाहि पर सर्वसम्मति बनि सकए। एक गुट चाहि रहल अछि जे भाजपा अध्यक्ष एहन हेबाक चाही जे पार्टी कए नीतीशक छाया स दूर ल जा सके आ अपन एजेंडा कए बढ़ा सकए। एहि गुटक नेतृत्व बिहारी बाबू करि रहल छथि आ हुनकर संग छथि मोदी आ नीतीश विरोधी भाजपा नेता। दोसर गुटक कहब अछि जे एहि साल चुनाव अछि एहन मे प्रदेश अध्यक्ष गठबंधन कए चुनाव जीतेबा योग्य हेबाक चाही। एहि गुटक नेता उप-मुख्यमंत्री सुशील मोदी छथि, जिनकर प्रदेश भाजपा मे सरकार आ पार्टी संगठन पर बेसी पकड़ अछि। ओ मुख्यमंत्री नीतीश स सेहो बेसी नजदीकी छथि। मोदी विरोधी गुट अध्यक्ष पद क उम्मीदवार क अश्वनी चौबे कए सामने अनलक अछि, मुदा चौबेक नीतीश विरोध जग-जाहिर अछि। ओना चौबे दिल्ली मे छथि। चंद्रमोहन राय सेहो दिल्ली मे छथि। एहन मे पार्टी नेतृत्व भाजपा प्रदेश क कोनो नेता कए नाराज नहि करै चाहैत अछि, दोसर दिस एकर आशंका सेहो अछि जे अगर नीतीश विरोधी गुट कए सत्ता सौंप देल जाइत अछि त जदयू स गठबंधन कमजोर भ टूटी सकैत अछि। पार्टी मे पहिने स इ चिंता रहल अछि जे नीतीश कुमार ओडिशा क नवीन पटनायक क जेकां अंतिम समय मे गठबंधन तोडि़ कांग्रेस स हाथ मिला सकैत छथि अथवा ओ अपन दम पर मैदान मे उतरि सकैत छथि। एहन हालात मे बिहार भाजपा मे भारी टूटक आशंका सेहो डरा रहल अछि। एहन मे भाजपा अध्यक्षक निर्णय किछु दिन आओर नहि करबाक मजबूरी बुझल जा सकैत अछि।