पटना। महावीर मंदिर मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क्षीरम (दूध स बनल प्रसाद) क शुभारंभ केलथि। एहि अवसर पर ओ कहलथि जे राज्य क मठ-मंदिर क स्थिति मे सुधार भ रहल अछि। मंदिर कए भेटल दान क उपयोग लोकक कल्याण क लेल भ रहल अछि। एहि मौका पर महावीर मंदिर न्यास समिति क अध्यक्ष आचार्य किशोर कुणाल कहला जे जगन्नाथपुरी क बाद पटना क महावीर मंदिर मे क्षीरम क शुभारंभ कैल जा रहल अछि। मंदिर मे क्षीरम 11 बजे भगवान क भोग लगेलाक बाद श्रद्धालु क लेल उपलब्ध रहत। क्षीरम क आधा किलो क पैकेट क 75 टका आ एक किलो कपैकेट क दाम 150 टका अछि। क्षीरम दूध, खोआ, पनीर, चीनी, किसमिस, इलायची, काजू आ अरारोट आदि कए मिलाकए बनाउल गेल अछि।
धार्मिक न्यास पर्षद पुनर्गठित, कुणाल बनलाह अध्यक्ष
पटना राज्य सरकार विघटित धार्मिक न्यास पर्षद क पुनर्गठन करि देलक अछि। महावीर स्थान न्यास समिति क सचिव आ धार्मिक न्यास पर्षद क प्रशासक रहल भारतीय पुलिस सेवा क अवकाश प्राप्त अधिकारी आचार्य किशोर कुणाल कए पर्षद क अध्यक्ष बनाउल गेल अछि। कुनाल कए आब राज्य मंत्री क सुविधा भेटत। कुनालक अतिरिक्त आठ आओर गोटे कए सदस्य बनाउल गेल अछि। अध्यक्ष आ सदस्य सब हक कार्यकाल पांच साल क लेल अछि। पूर्व महाधिवक्ता रामबालक महतो, अवकाश प्राप्त न्यायमूर्ति पीके सिन्हा, पूर्व जिला एवं सत्र न्यायाधीश दामोदर प्रसाद, बूढ़ा नाथ मंदिर भागलपुर क महंत शिवनारायण गिरि, दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय क रीडर चौठी सदाय, धर्मायण क संपादक पं. भवनाथ झा, विधान पार्षद कृष्ण कुमार सिंह, पटना उच्च न्यायालय मे राजकीय अधिवक्ता हरेन्द्र प्रसाद सिंह कए सदस्य बनाउल गेल अछि।