• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

संस्कृति क अहम केन्द्र छै मिथिला : राष्ट्रपति

July 14, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

राष्ट्रपति भवन स भवेश नंदन
नई दिल्‍ली।
राष्ट्रपति प्रतिभा देवी सिंह पाटिल कहलथि अछि जे मिथिला भारतीय संस्कृति क केन्द्र अछि। मिथिलाक रहन-सहन अदभुत अछि। ओ कहलथि जे मिथिलाक पहचान दुनिया भरि मे सबस अलग अछि। एहि क्षेत्र क कईटा गौरव गाथा अछि। मिथिलाक लोक मृदुभाषी होइत छथि। महामहिम आई राष्ट्रपति भवन क दरबार हॉल मे मधुबनी स्थित भवनाथ-वेदमती चौधरी कॉलेज ऑफ एजुकेशन क सांकेतिक शिलान्यास केलथि। महामहिम एकर संगहि चानपुरा (मधुबनी) स्थित कृषि विज्ञान केन्द्र क नव निर्मित प्रशासनिक आ प्रशिक्षण भवन क सेहो सांकेतिक उदघाटन केलथि। एहि अवसर पर स्व. भवनाथ चौधरी क प्रतिमाक अनावरण सेहो महामहिम राष्ट्रपति क हाथ स भेल।
श्रीमती पाटिल महिला सशक्तीकरण आओर कृषि क विकास पर जोर देलथि। एहि लेल किया त महिला क विकास क बिना समाज क भला नहि भ सकैत अछि। ओ कहलथि जे किसान कए साधन उपलब्ध करेबा क जरूरत अछि। हुनका तकनीकी ज्ञान सेहो विकसित हेबाक चाही। राष्ट्रपति शिक्षा क विकास मे ट्रस्ट क योगदान क सेहो सराहना केलथि।
एहि स पूर्व एसके चौधरी शिक्षा न्यास क अध्यक्ष संत कुमार चौधरी राष्ट्रपति आ आगत अतिथि क स्वागत करैत कहलाह जे अहाँ सभहक सहयोग स न्यास दिनोदिन शिक्षा क क्षेत्र मे प्रगति क रहल अछि। चौधरी राष्ट्रपति कए जानकारी दैत कहला जे ट्रस्ट दिस स देश क विभिन्न हिस्सा मे 47टा शिक्षण संस्था कार्यरत अछि। एहि मे इंजीनियरिंग, प्रबंधन आ सामान्य शैक्षणिक संस्थान शामिल अछि। जल्द एकर संख्या सौ पार भ जाएत।
राष्ट्रपति भवन क दरबार हॉल मि‍थिला क रंग मे तखन रंगा गेल जखन मधुबनीक सांसद हुकुमदेव नारायण यादव अपन भाषण मैथिली मे शुरू केलथि। मैथिली मे भाषण सुनैत सम्पूर्ण दरबार हॉल थपड़ी क आवाज स गुंजि गेल। श्री यादव मिथिला क गौरवपूर्ण इतिहास क संबंध मे जानकारी दैत महामहिम राष्ट्रपति कए मिथिला दिस स अभिनंदन केलथि।
श्री यादवक भाषण क जिक्र महामहिम राष्ट्रपति अपन उदबोधन मे सेहो केलथि। ओ कहलथि जे हुकुमदेव नारायण जी क भाषण बुझबा मे त नहि आयल मुदा सुनबा मे बड्ड मधुर आ नीक लागल। लागल जेना कोनो पंडित वेदपाठ क रहल छलथि। महामहिम मैथिली भाषा क मिठास क संबंध मे कहलथि जे ई बड्ड मधुर भाषा अछि। मधुबनी (मिथिला) चित्रकला क महानता क संबंध मे सेहो ओ चर्च करैत कहलथि जे एहि मे मिथिलाक महिला क बड्ड पैघ योगदान अछि।
महामहिम जखन मैथिली क मिठास आ महत्‍व क चर्च करैत छलथि तखन कार्यक्रम मे बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री जगन्नाथ मिश्र सेहो उपस्थित छलाह। हुनक अलावा कार्यक्रम मे सांसद मंगनीलाल मंडल, स्वास्थ्य मंत्री बिहार अश्विनी चौबे, बिहार विधानपरिषद क पूर्व सभापति ताराकांत झा, विधायक विनोद नारायण झा, विधायक फैयाज अहमद, विनोद सिंह विधान पार्षद, पूर्व विधायक हरिभूषण ठाकुर बचौल आ पूर्व विधान पार्षद दिलीप चौधरी सहित अन्य गणमान्य लोक उपस्थित छलाह। समारोह मे कृषि अनुसंधान परिषद क निदेशक डा. एस अय्यपन सेहो उपस्थित छलाह। विधान परिषद सदस्य विनोद कुमार सिंह राष्ट्रपति कए सनेस क रूप मे मिथिला चित्रकला भेंट केलथि। हुनका केंद्र दिस स प्रकाशित पत्रिका क एकटा प्रति सेहो देल गेल। कार्यक्रम क अंत मे कृषि विज्ञान केन्द्र चानपुरा क निदेशक पी.सी चटर्जी धन्यवाद ज्ञापन केलथि।
रपट प्रस्‍तुति – नई दिल्‍ली स कल्पना वात्स्यायन

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार विकसित करत उरमा पहाड़ी टोला स्थित कोयला ब्लॉक

Esamaad Epaper Website

मुंबई लेल विदा भेल बिहारक तरकारी

Esamaad Epaper Website

बिहार कए पछुआ देलक दिल्‍ली

Comments 1

  1. Prakash Kumar Jha says:
    13 years ago

    Hukudev Ji ke Maithili me Bhasan dewak lel dhanyabaad a badhaai.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि