• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home विचार

भ्रष्‍टाचार क रफ़्तार आ लालू

March 3, 2012
in विचार, समाचार
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

January 10, 2021

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

January 10, 2021

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

January 10, 2021

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

January 7, 2021

सुनील कुमार झा
बहुत दिन पर अखबार मे लालू क फोटो मुख्य पृष्ठ पर देख नज़रि ठहरि गेल, चूकिं खबरि लालू जी क छल आओर सेहो मुख्य पृष्ठ पर त इ सोचि कए जे खबरि बिहार क होएत पढबा लेल बैस गेलहुं, जों-जों खबरि पढैत गेलहुं उत्सुकता आओर आश्चर्य दूनू होइत गेल। सावन क मेघ जेकां दूनू बढैत गेल। खबरि क अंत तक जे गप ठीक-ठीक बुझबा मे आयल ओकरा एक शब्द मे कहि त ओ छल ” भ्रष्‍टाचार क रफ़्तार”।
ओना त खबरि पर गौर करि त ओ बिहार क बहुचर्चित घोटाले ‘चारा घोटाला’ स सम्बंधित छल जेकर वृतांत अगर सही सही लिखल जाए त इ आजाद भारत मे भ्रष्‍टाचार क प्रतिनिधि उदहारण देल गेल अछि। ओना अखबार मे छपल खबरि छल जे सीबीआई क आदालत चारा घोटाला क एकटा मामला मे लालू प्रसाद, जगन्नाथ मिश्रा, ध्रुव भगत आओर किछु लोक कए उपर आरोप तय करि देलक अछि। ओना इ आरोप पत्र 1994-96 क बीच 46 लाख टका क घोटाला क अछि। इ आरोप बता रहल अछि जे एहि देश मे ताकतवर लोक लेल भ्रष्‍टाचार क गति केतबा तेज अछि जे आइ लाख मे त कोनो घोटाला मानले नहि जाइत अछि। कानून क प्रक्रिया केतबा तेज जे लगभग 17 साल बाद सिर्फ आरोप तय भ सकल अछि। कहिया मुकदमा चलत आ कहिया फैसला आउत इ कहब त ककरो लेल असंभव अछि। ओना घोटाबाज सब सेहो घोटाला करबा स पूर्व भारत क न्याय-व्यवस्था स हर परिचित रहला अछि। ओना पूछल जाए त मुकदमा कए देखैत देश मे न्यायालय आ न्यायाधीश दूनू क कमी अछि। एहन मे अदालत मे मुकदमा साल क साल चलैत रहैत अछि। किछु मामला मे त फैसला अबैत अबैत उम्र कम पडि जाइत अछि। चारा मामला मे सेहो भोलाराम तूफानी आ राधो सिंह आब एहि दुनिया मे नहि छथि। ओ एहि मामला मे न रिहा भ सकलाह आ नहि सजा सुनि सकलाह। ओना लालू प्रसाद आ जगन्नाथ मिश्रा एहि मामला मे कई बेर जेल जा चुकल छथि।
ओना देखल जाए त घोटाला लालू स पूर्वहि पकडा सकैत छल। 1985 मे अगर राज्‍य सरकार कैग क ओहि रिपोर्ट कए गंभीरता स ल कार्रवाई क दैत त आइ एहि 46 लाख क घोटाला हमर सबहक सामने नहि रहिते। पहिने जगन्‍नाथ मिश्र आ बाद मे लालू प्रसाद एकरा दबा देलथि। मुदा जखन घोटाला सामने आयल त एकर जांच हिनक राजनीतिक प्रभाव क कारण प्रभावित होइत रहल आ न्‍यायिक प्रक्रिया सेहो तेज नहि भ सकल। मुदा आब नहि त जगन्नाथ मिश्रा मुख्यमंत्री छथि आ नहि लालू प्रसाद। आब दूनू नेताक राजीनीति मे दबदबा सेहो कम भ रहल अछि। जगन्‍नाथ मिश्र क त राजनैतिक पतन भ चुकल अछि आ लालू मे सेहो कोनो खास ताकत नहि बचल अछि। एहन मे उम्‍मीद कैल जा सकैत अछि जे एहि न्‍यायिक प्रक्रिया मे तेजी आउत आ फैसला जल्द सुनाउल जाएत। देश मे जेना करोड आ अरब मे घोटाला भ रहल अछि ओकरा देखी इ लाख क घोटाला क फैसला एकटा नजीर बनि सकैत अछि। मुदा जरुरत अछि एकटा प्रभावी कानून क जे भ्रष्‍टाचार कए रोकबा मे सहायक बने।

Tags: Biharlaloolalu
ShareTweetPin

Related Posts

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

January 10, 2021

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

January 10, 2021

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

January 10, 2021

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

January 7, 2021
विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

January 7, 2021

बिहार में आब  इथेनॉल देत युवा कए  रोजगार, सीएम नीतीश कुमार कहला- कुसियारक क संग संग मकईयो स बनायल जयत इथेनॉल

January 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

पटना मे एसी बस क परिचालन शुरू

Esamaad Epaper Website

मारीशस खोलत मैरवा मे मेडिकल कालेज

Esamaad Epaper Website

पुल निगम क बाद बिस्कोमान

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

बिहार में आब  इथेनॉल देत युवा कए  रोजगार, सीएम नीतीश कुमार कहला- कुसियारक क संग संग मकईयो स बनायल जयत इथेनॉल

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

बेसी पढ़ल गेल

नहि रहलाह रामानंद रेणु : साहित्य गगनक एकटा आर नक्षत्रक अस्त

by संपादक
August 14, 2011
4

Read more

बिहारी चलल अपन देस, लुधियाना मे मजदूर क टोटा

by संपादक
January 6, 2010
0

Read more

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

by संपादक
December 19, 2020
0
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

ईश्वर नाथ झा नई दिल्ली/ दरभंगा: आधुनिकता क दौड़ मे मिथिला क पंजी सूत्र क संरक्षण लेल पिछला किछु साल...

Read more
Esamaad

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि