• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

योग मे बनायब तेसर विश्व रिकॉर्ड : योगाचार्य रवि व्योम शंकर

May 13, 2018
in समाचार, साक्षात्‍कार
113
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

मणि‍भूषण राजू

मात्र 25 वर्ष क अल्पायु मे योग विद्या मे विश्व कीर्तिमान स्थापित करनिहार योगाचार्य श्री रवि व्योम शंकर झा, योगक क्षेत्र मे लगातार दू-दूटा विश्व कीर्तिमान अपना नामे कए चुकल छथि‍ । मूल रूप से मिथि‍लाक मधुबनी जिलाक बेनीपट्टी प्रखंड क ढ़ंगा(पश्चिम) गामक एकटा साधारण परिवार मे जनमल श्री झा पिता श्री श्रेष्ठ नारायण झा आ माता श्रीमती कांति देवी क चारिटा संतान मे सबसे छोट पुत्र छथि‍ । बच्‍चे से अहाँ शांत, मृदुभाषी आ आध्‍यात्‍मि‍क प्रवृति क रहलाह । बचपन मे पिताजी हिनका ‘वामदेव’ कहि‍कए बजाबैत छल और आन लोग ‘बमबम’ से सम्बोधित करैत छलाह ।

श्री रवि जी अपन प्राथमिक शिक्षा अपने गामक राजकीय मध्य विद्यालय, ढ़ंगा(पश्चिम) से केलथि‍, तत्पश्चात 2008 ई. मे अहाँ मधुबनी जिलाक प्रख्यात “वाटसन हाई स्कूल” से मैट्रिक आ ओकर बाद आर. के. कालेज, मधुबनी से कला -संकाय से अन्तरस्नातक(2010) केलाक बाद हिन्दी से स्नातक (2013)  केलाह ।
बचपन मे हम-उम्र आओर छोट-छोट साथी संगे खेलकूद, शारीरिक व्यायाम आ योग मे अग्रसर भूमिका मे रहैत छलाह । रोज अपन गामक बच्‍चा संगे नहर पर व्‍यायाम करैत छलाह । हिनकर कुशल नेतृत्व क्षमता क कारणे मित्रगण हिनका ‘बाबा’ कहि‍कए सम्बोधित करैत छलाह ।

नियमित व्‍यायाम अओर योगक हिनकर सफल मार्गदर्शन मे 2011 से हिनकर कैकटा सखा-मित्र आओर शिष्य ‘सेना’ मे आर आन सरकारी आ प्राइवेट संस्थानों मे अपन जगह बना चुकल छथि‍ । बचपन से गामक हरेक समाजिक कार्य मे बढ़ि‍चढ़ि‍ कए हिस्सा लेनाय श्री रवि जी क लेल जीवनक अहम हिस्सा छल । योग आओर आध्यात्म क पहिल ज्ञान श्री रविजी कए अपन परिवारे से भेटल । दादाजी स्व. श्री कमलाकांत झा आओर स्व. श्री शीलाकांत झा हिनकर प्रथम गुरू छलाह । ‘शारीरक साधना’ आ परिश्रम क शिक्षा स्व. श्री कमलाकांत झा जी से आ ‘लय योग’ , ‘भक्ति योग’ क प्राथमिक शिक्षा स्व. शीलाकांत झा जी से प्राप्त केलथि‍ ।

मैट्रिक क बाद टेलिविजन पर योगगुरू बाबा रामदेव क योग शिक्षा से प्रेरित भएकए श्री रविजी सर्वप्रथम त्रिलोकनाथ उच्च विद्यालय, कलुआही मे प्रथम योग शिविर का आयोजन केलथि‍ और फेर ई क्रम ओतय से ‘वाटसन हाई स्कूल,मधुबनी’ आओर ‘आर.के. कालेज, मधुबनी’ तक सतत चलैत रहल । एहि दौरान जखनो गाम अबैत छल त गामक राजकीय मध्य विद्यालय, ढ़ंगा (पश्चिम) मे बच्चा कए नि:शुल्क योग प्रशिक्षण दैत रहल ।

दोसरसमाचार

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

January 10, 2021

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

January 10, 2021

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

January 10, 2021

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

January 7, 2021

6 दिसंबर 2010 कए योगगुरू बाबा रामदेव जी क मधुबनी प्रवास क कार्यक्रम छल जाहिमे पतंजलि क कार्यकर्ताओं क संगे रूपरेखा स लकए सम्पूर्ण व्यवस्था आ योग प्रशिक्षण क जिम्मेदारी श्री रवि जी उठौलथि‍ । श्री रवि जी क एहि मेहनत आओर लगनशीलता से बाबा रामदेव एतेक प्रभावित भेल जे देशभरि‍ मे योग-शिक्षा क प्रचार-प्रसार मे आगू एबाक लेल कहलथि‍ । योग गुरु बाबा रामदेव जी क यैह गप से प्रभावित भकए श्री झा निश्चय केलथि‍ जे अपन सम्पूर्ण जीवन योग-शिक्षा क प्रचार-प्रसार हेतु समर्पित करब आओर हरिद्वार मे आयोजित होएबला शिविर मे जेबाक निर्णय लेलथि‍ ।

2011 मे हरिद्वार मे योगशिविर मे भाग लेबाक बाद श्री रविजी अपन सम्पूर्ण जीवन योग-शिक्षा कए समर्पित करबाक दृढ़ निश्चय केलथि‍ । जखन बहुतो प्रयास क बादो लोग हिनकर दृढ़ निश्चय कए अथक प्रयास क बादो नहि बदलि पेलाह त हिनकर एहि प्रतिबद्धता अओर समर्पण कए देखि‍कए माता-पिताजी हिनका योगविज्ञान मे एम.ए. करबाक लेल हरिद्वार जेबाक अनुमति प्रदान केलथि‍ । एहि अनुमति क संगे श्री रवि जी आजीवन ब्रम्हचारी रहि‍ योग साधना कए अपन जीवन समर्पित केलथि‍ ।

2013 ई. मे स्नातक पूर्ण हेबाक पश्चात श्री झा पतंजलि विश्वविद्यालय से एम.ए.(योगविज्ञान) मे नामांकण लेलथि‍ । एहि शिक्षाक दौरान योगक सभटा विधा मे श्री रविजी विधिवत निपुणता हासिल केलथि‍ आओर योगपीठ मे शत प्रतिशत(100%) उपस्थिति देनिहार प्रथम छात्र बनलाह । एहि दौरान देशभर मे आयोजित योगशिविर मे योगगुरू बाबा रामदेव क संग सह-योगशिक्षक क रुप मे अपन सेवा दैत रहलाह । एहि दौरान फिल्म ‘दंगल’ मे अभिनेता आमिर खान कए स्वास्थ्य संबंधी युक्ती (Health Tips) देलथि‍।

योग मे “आसन क राजा” “शीर्षासन” सबसे कठिन आसन, जे कि योग गुरु रवि क सबसे प्रिय योग विधा रहल छल । बचपने से  हिनका मे विश्व कीर्तिमान बनाने क जुनून छल । आ एकरे प्रतिफल अछि जे 21 जून 2016 ई. कए पतंजलि योग शिविर, फरीदाबाद(हुडा ग्राउंड) मे “शीर्षासन” मे विश्व कीर्तिमान स्थापित केलथि‍ आओर सम्पूर्ण विश्व मे अपन देशक नाम रौशन केलथि‍ ।

एहि विजय क संगे श्री झा फेर स निश्चय केलथि‍ जे आब अगला बेर “शीर्षपद्मासन/पद्मशीर्षासन”-‘शीर्षासन मे पद्मासन’  मे विश्व कीर्तिमान बनाओत आओर एक सालक कठिन तपस्या आओर परिश्रम क बाद पुन: 21 जून 2017 कए जी.एम.डी.सी. ग्राउंड, अहमदाबाद मे “शीर्ष पद्मासन” मे विश्व-कीर्तिमान बनेलथि‍ ।

आब योगाचार्य रवि झा जी क अगि‍ला लक्ष्य योग मे विश्व कीर्तिमान क “हैट्रिक” लगेबाक अछि । ओ एहि साल 21 जून 2018  कए “मैराथन योग” में विश्व कीर्तिमान क तैयारी कए रहल अछि ।

पतंजलि क भुतपूर्व छात्र समागम मे जतय योग गुरु स्वामी रामदेव अपने मौजूद छलाह, ई घोषणा केलथि‍ जे योगरत्न रवि झा आबय बला 21 जून कए अंतराष्ट्रीय योग दिवस क पावन अवसर पर 60 घंटाक मैराथन योग करत, जे पुन: एकटा विश्व कृतिमान होएत । इस घोषणा क बाद योगरत्न रवि जी अपन तैयारियों क प्रदर्शन केलथि‍ आ आधा घंटे क दौरान अनेकोनेक योगासन केलथि‍ ।

शीर्षासन मे, शीर्ष पद्मासन मे रवि जी एहि स पहिने दूटा विश्व कीर्तिमान बना चुकल छथि‍, आब 21 जून कए योगरत्न रवि मात्र 25 वर्ष क आयु मे 60 घंटा धरि अनवरत मैराथन योग करत जे फेर एकबेर एकटा विश्व कीर्तिमान होएत ।​

वर्तमान मे रवि जी राष्ट्रीय राजधानी दिल्ली मे योगक प्रशिक्षण देबाक काज कए रहल छथि‍ । विभिन्न सामाजिक आ गैर राजनीतिक संस्था क माध्यम से नि:शुल्क योग आ आध्यात्म शिविर आयोजन कए गरीब आओर पिछड़ा बच्चा-युवा क प्रोत्साहन आ मार्गदर्शन करैत रहला अछि । योग मे अपन विश्व स्तरीय पहचान बना चुकल श्री रवि झा अपन एहि सफलता क श्रेय अपन माता-पिता, पतंजलि विश्वविद्यालय क गुरुजन आ अपन परम मित्र आनंद कए दैत छथि‍ ।

अखैन धरि लगातार तीनटा विश्व कीर्तिमान योग क विभिन्न विधाओं मे कोनो एकटा व्यक्ति द्वारा बनल होए, एहन दुर्लभ काज अखैन धरि संभव नहि भेल अछि ई पूरा विश्व मे कहियो भी देखबाक लेल नहि  भेटल अछि । 21जून कए जखन ई संभव होएत त एकबेर फिर सम्पूर्ण विश्व पटल पर हम भारतवासी क लेल ई गौरव क गप होएत ।

Tags: RamdevRavi JiYogYogguru
Share113TweetPin

Related Posts

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

January 10, 2021

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

January 10, 2021

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

January 10, 2021

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

January 7, 2021
विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

January 7, 2021

बिहार में आब  इथेनॉल देत युवा कए  रोजगार, सीएम नीतीश कुमार कहला- कुसियारक क संग संग मकईयो स बनायल जयत इथेनॉल

January 5, 2021
Next Post

राजा जनकक नगरी जनकपुर मे देखायल PM मोदीक मिथिला-मैथिली प्रेम

मधुबनी मे सब तरहक ईलाज संभव करत क्रिब्स हॉस्पीटल

पूरनिया मे बिहारक पहिल फ्रोजेन सीमेन स्टेशनक शिलान्यास, गौ नश्ल होएत उन्नत

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

बिहार में आब  इथेनॉल देत युवा कए  रोजगार, सीएम नीतीश कुमार कहला- कुसियारक क संग संग मकईयो स बनायल जयत इथेनॉल

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

बेसी पढ़ल गेल

इंग्लैंड क टावर ब्रिज सन बीपी मंडल सेतु पर अगस्त सँ दू पहिया वाहनक परिचालन संभव

by संपादक
June 25, 2018
0

Read more

नहि रहलाह रामानंद रेणु : साहित्य गगनक एकटा आर नक्षत्रक अस्त

by संपादक
August 14, 2011
4

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more
Esamaad

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि