• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home विचार

कुंठित भ बांझ बनल झारखंडक राजनीतिक सर्जनशीलता

July 26, 2010
in विचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019

हिमकर श्याम
राष्ट्रपति शासन लगबा स जतय सूबा क लोक राहत महसूस करि रहल अछि, ओतहि तमाम विधायक क छटपटाहट आ बेचैनी बढ़ि गेल अछि। राष्ट्रपति शासन सूबा क विधायक कए बेकार बना देलक अछि। इ बेगारी हुनका रास नहि आबि रहल अछि। जेना-जेना राष्ट्रपति शासन मे व्यवस्था कए पटरी पर अनबाक प्रयत्न भ रहल अछि तेना-तेना इ बेचैनी बढल जाइत अछि। बहुसंख्यक विधायक राष्ट्रपति शासन क खिलाफ छथि। कोई खुलकए त कोई दबल मुंह स एकर विरोध करि रहल छथि।
विधायक क इ बेचैनी लूट क खेल मे शामिल नहि हेबा स अछि। इ बेचैनी सत्ता स दूर जेबाक कारण अछि। इ बेचैनी विधायकी पर मंडरा रहल खतरा क वजह स अछि। सबकिछु दांव पर लगाकए विधायक बनल एहि माननीय क विधायकी चुनाव क बाद सेहो रहत, इ निश्चित नहि अछि। विधायक क चेहरा क मायूसी हुनकर दर्द बयां करि रहल अछि। विकास क नाम पर काल्हि तक सुतल चेतना अचानक जाग्रत भ गेल अछि। सबकए राज्य क विकास आ भ्रष्टाचार क चिंता सताबे लागल अछि।
इ बेचैनी झाामुमो मे सबस बेसी अछि। झामुमो अपना कए लोकतांत्रिक सरकार क पक्षधर बता रहल अछि। सरकार बनेबाक सवाल पर ओकरा पहिनो ककरो स परहेज नहि छल एखनो नहि अछि। सरकार बनेबाक आस मे हेमंत दर-दर भटकि रहल छथि। हेमंत सोरेन पुनः सत्ता क भोग लगेबा लेल बेहद आतुर छथि। ओ कखनो भाजपा क मन टटोल रहल छथि त कखनो कांग्रेस क। खबर अछि जे सरकार खसलाक बाद हेमंत लगातार अर्जुन मुंडा क संपर्क मे छथि। सरकार क मुद्दा पर ओ कई बेर भाजपा क केंद्रीय नेतृत्व स भेंट करि चुकला अछि। हुनकर हताशा एतबा बढि गेल अछि जे ओ एतबा धरि कहि चुकला अछि जे सरकार कियो बना ले झामुमो ओकर समर्थन करत। भाजपा आ झाामुमो क बिखरल कड़ी कए जोड़बा काज सुदेश महतो क जिम्मा अछि। सुदेश महतोेेे आजसू क स्थापना दिवस क मौका पर कहने छलाह जे हुनकर कोशिश राज्य मे वैकल्पिक लोकप्रिय सरकार क गठन अछि। राष्ट्रपति शासन विकल्प नहि अछि।
राष्ट्रपति शासन लगेलाक बाद झारखंड मे सत्ता क कमान केंद्र क हाथ मे अछि। अगर छह महिना तक राष्ट्रपति शासन रहि गेल त अधिकतर विधायक क की होएत, कियो चुनाव नहि चाहैत अछि। ओ चुनाव मे जेबा स डरा रहल छथि। हुनका डर अछि जे दोबारा विधानसभा क मुंह देखब बा नहि। सत्ता सुख क अहसास हुनका बेचैन केने अछि। हुनका बुझल अछि जे एक बेर विधायकी गेल त बुझू सबकिछु गेल। सत्ता क खेल मे सब अपन गोटी फिट करबा मे लागल अछि। कांग्रेस अध्यक्ष सोनिया गांधी चुनाव क संकेत द देलथि अछि, मुदा प्रदेश कांग्रेस सरकार बनेबाक पक्ष मे अछि। कांग्रेस क सहयोगी झाविमो विधानसभा भंग करि नव जनादेश क पक्ष मे अछि। भाजपा क केंद्रीय नेतृत्व झामुमो क संग सरकार बनेबाक खिलाफ बयान दे रहल अछि, मुदा भीतरे भीतर सरकार गठन क प्रक्रिया मे सेहो लागल अछि। प्रदेश भाजपा मे सरकार क मुद्दा पर अलग-अलग राय अछि। रघुवर गुट आ अर्जुन मुंडा गुट एहि मुद्दा पर बंटा नजर आबि रहल अछि। राष्ट्रपति शासन क पूर्व इ गुटबाजी खुलिकए सामने आयल छल। इ गुटबाजी सेहो नेतृत्व ले अछि। एहि दावेदार क बीच एकटा तेसर दावेदार सेहो छथि, यशवंत सिन्हा। भाजपा क राष्ट्रीय अध्यक्ष नीतिन गडकरी यशवंत सिन्हा कए मुख्यमंत्री बनेबा लेल तैया छथि।
सत्ता क इ बेचैनी एहि विधायक कए दलगत राजनीति स ऊपर उठकए जाहि मुद्दा पर जोड़बाक काज करि रहल अछि ओ मुद्दा अछि वैकल्पिक सरकार क गठन क। सरकार क गठन क लेल द कोनो हद तक जा सकैत छथि। हिनकर मौजूदा रूख कए देखि कए लगैत अछि जे झारखंड मे किछु आओर राजनीति नौटंकी हैब बाकी अछि। यदि एहन भेल त फेर एक बेर आदर्शविहीन सरकार हमर सामने होएत, जे झारखंड क लेल अशुभ साबित होएत। यदि झारखंड क जनता क गप करि त ओ कखनो एहन सरकार क पक्षधर नहि होएत जेे विकास क मुद्दा कए छोड़िकए भ्रष्टाचार आ खींचतान मे लागल रहए। लोक कए उम्मीद अछि जे राज्यपाल एमएचओ फारूक राष्ट्रपति शासन क अवधि मे विकास कार्य मे गति आनि कए झारखंड क जनता क समस्या कए कम करबाक प्रयास करताह।
झारखंड कए देखी कए एकटा गप साफ भ जाइत अछि जे राजनीति जखन नकारा क हाथ मे चलल जाइत अछि तखन व्यवस्था क विघटन केहन भ सकैत अछि। राज्य मे गैरजवाबदेह आ निरंकुश व्यवस्था स्थापित भ चुकल अछि। राजनीति क मौजूदा शैली स लोकतंत्र चरमरा गेल अछि। इ हमर दुर्भाग्य अछि जे झारखंड मे राजनीति क नाम पर षडयंत्र, कुचक्र आ तिकड़मबाजी होइत रहल अछि। एहि ठाम राजनीतिक सर्जनशीलता कुंठित भ जड़ बांझपन क स्थिति मे पहुंच गेल अछि।

Tags: झारखंड
ShareTweetPin

Related Posts

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019
फिल्मक समीक्षा : “गामक घर”  शून्य स अनंत धरि

फिल्मक समीक्षा : “गामक घर” शून्य स अनंत धरि

November 14, 2019
गांधीजी की छलाह ?

गांधीजी की छलाह ?

October 2, 2019
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार मे 807 किमी सड़क क होएत कायाकल्प

Esamaad Epaper Website

रांची-पटना लेल 15 स एयर टैक्सी सर्विस

Esamaad Epaper Website

बिहार मे निवेश करत गोदरेज एग्रोवेट

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

गाँधी सेतु नहि आब पीपा पुल स करू गंगा पार

by संपादक
February 18, 2017
0

Read more

सोहर, कजरी आ नचारी स भेटल सुर समाद

by संपादक
August 24, 2015
0

Read more

रंग स नहायल मिथिला

by संपादक
March 1, 2010
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि