पटना । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बैंक कए एक बेर फेर स चेता देलथि अछि । मुख्यमंत्री कहला अछि जे बिहारी क टका स दोसर राज्यक लोक बहुत मौज केलक आ इ नहि चलत। बिहारक टका स बिहार क विकास हेबाक चाही नहि कि दोसर राज्यक विकास मे ओ टका लगैत रहे । बिहार मे बैंक क मतलब खाली टका जमा करब रहि गेल अछि । ऋण बाहर बांटल जा रहल अछि । आब इ नहि चलत । बैंक अपन रवैया नहि बदलि रहल अछि ताहि लेल राज्य क सीडी रेशियो मे अपेक्षित बढ़ोतरी नहि भ रहल अछि । राज्य क सीडी रेशियो 44 फीसदी अछि जखनकि राष्ट्रीय औसत 78 फीसदी अछि । राज्य क बैंक मे 2,11,302 करोड़ टका जमा अछि जखकि मात्र 79,640 करोड़ ऋण बिहार मे बंटल गेल अछि, बाकी जमा टका स बाहर क राज्य मे विकासक काज कैल जा रहल अछि । मुख्यमंत्री कहला जे बैंक केवल मोट निवेश प्राप्त करबा लेल अपन शाखा खोलैत अछि, तखने राज्य क पांच हजार स बेसी पंचायत मे बैंक क शाखा नहि अछि । बैंक क वार्षिक साखा योजना (एसीपी) क आकार कए बढेबाक जरुरत अछि । आबादी आ महंगाई कए देखैत एसीपी क आकार काफी छोट अछि । राज्य क विकास दर दू अंक मे अछि । एकरा बना रखबा लेल बैंक क भूमिका बहुत जरूरी अछि। राज्य आ केंद्र सरकार योजना क लाभार्थी क एकाउंट मे टका ट्रांसफर करबाक फैसला ल रहल अछि मुदा लोक क एकाउंट नहि होएत त हुनका लाभ कोना देल जा सकैत अछि । बिहार मे वन मैन बैंक ब्रांच क कंसेप्ट नहि चलत । बैंक क आमदनी बढल अछि त आदमी सेहो बढेबाक चाही । बिहार मे 18 हजार क आबादी पर एकटा बैंक क शाखा अछि, जखन कि राष्ट्रीय औसत 11 हजार क अछि । इ चिंता क गप अछि ।
एना बुझु सीडी रेशियो क हिसाब
बैंक मे जमा : 2,11,302 करोड़ वितरित ऋण : 79640 करोड़
बंटबाक चाही : 1,64,815 करोड़ केतबा
टका गेल बाहर : 85,175 करोड़
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa