• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home देश-दुनिया

नेपाल मे राष्ट्रवाद क प्रतीक बनल भारत विरोध

September 10, 2009
in देश-दुनिया
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

दुबई घुमबाक क’ रहल छी प्लानिंग त’ अवश्य ल’ लिय इ इंश्योरेंस, नहि त’ बढ़त मोश्किल

September 3, 2020
Esamaad Epaper Website

नेपालक ओली सरकार लिपुलेखमे बटालियन तैनात कयलक, एहि यूनिटके भारतीय सेनाक गतिविधि पर नजरि रखबाक आदेश

September 2, 2020
दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

September 1, 2020
Indo China war, War in Border, Pangok Lake war

भारत-चीनक बीच फेर झगड़ा: पैंगोंग लेक लग चीनी सैनिक घुसपैठक प्रयास कयलक, सेना देलक मुंहतोड़ जवाब

August 31, 2020

profile_rajendra_mahatoराजनीतिक स्वार्थ क लेल नेपाल मे एकटा एहन वर्ग उभरि आयल अछि जे भारत विरोध करबा लेल नेपाली जनता कए उकसा रहल अछि। एहि वर्ग कए नेतृत्व उपराष्टï्रपति परमानंद झा सन लोक करि रहल अछि। जिनकर भारत प्रेम बा हिंदी प्रेम कतहु न कतहु नेपाल मे भारत विरोध कए राष्ट्रवाद क प्रतीक बनेबा मे मदद पहुंचा रहल अछि। दोसर दिस भारत क कूटनीतिकार सेहो मानसिक रूप स नेपालक नेतृत्व कए अलग राष्टï्र क नेतृत्व मानबा लेल तैयार नहि भ रहल छथि। नेपालक राष्टï्राध्यक्ष कए एकटा राज्यक मुख्यमंत्री स बेसी महत्व नहि देबाक गलती भविष्य में भारत लेल गंभीर चिंताक कारण बनत। नेपालक पूर्व प्रधानमंत्री प्रचंड एकर आशंका जता चुकल छथि जे भारत नेपालक आंतरिक मामला मे हिसाब स फाजिल हस्तक्षेप करैत अछि। एतबा धरि जे बांग्लादेश, भूटान आ श्रीलंका तक भारतक एहि तरहक हस्तक्षेप स मुक्त अछि। नेपालक अपन भाषा, नेपाली, मैथिली आदि कए बचेबा लेल हिंदी क विरोध करबा लेल मजबूर भ चुकल नेपाल क संबंध में नेपाल क सद्भावना पार्टी क प्रमुख नेता एवं वाणिज्य मंत्री राजेंद्र महतो स कैल गेल गपशप क अंश।

नई दिल्ली । नेपाल क सद्भावना पार्टी क प्रमुख नेता एवं वाणिज्य मंत्री राजेंद्र महतो एहि प्रवृत्ति कए दुर्भाग्यपूर्ण कहैत छथि, लेकिन एहि पर सेहो जोर दैत छथि जे एहि स भारत कए चिंतित हेबाक जरूरत नहि हुनकर राय मे नेपाल आ भारत क संबंध कहीं अधिक प्रगाढ़ अछि आ भारत विरोधी तत्व दूनू देश क संबंध मे दूरी नहि पैदा करि सकैत छथि। हुनकर अनुसारे नेपाल अपन जमीन पर चल रहल भारत विरोधी गतिविधि कए खत्म करबा पर अडिग अछि। माओवादी एहि मे बाधा नहि बनताह। ओनाओ सत्ता स बाहर हेबाक बाद ओ कमजोर भेला अछि। नेपाल मे आईएसआई क सक्रियता क सवाल पर हुनक कहब अछि जे एहन तत्व क मौजूदगी स इनकार नहि कैल जा सकैत अछि, मुदा सवाल उठैत अछि जे आखिर जखन धरि भारत तमाम एहन तत्व पर लगाम नहि लगा पाबि रहल अछि , तखन फेर इ अपेक्षा केना कैल जा सकैत छैक जे नेपाल ओकरा एक झटका मे काबू करि लेत?
चीन स नेपाल क निकटता क संदर्भ मे ओ साफ कहन्लथि जे चीन भौगोलिक रूप स एतबा दूर अछि जे ओ भारत क स्थान नहि ल सकैत अछि। फेर ओकरा संग भारत जेना सांस्कृतिक संबंध सेहो नहि अछि। राजेंद्र महतो क राय मे नेपाल क भविष्य आ इरादा कए ल कए भारत क जनता शायद एहि लेल सशंकित अछि, किया कि ओ वस्तुस्थिति स अवगत नहि अछि। नेपाली वाणिज्य मंत्री इ महसूस करैत छथि जे भारतीय कए नेपाल क संदर्भ मे अपन भ्रांतियां दूर करबाक आवश्यकता अछि। ओ एहि पर आश्चर्य जतेलथि जे भारत क आम लोके नहि, बल्कि एहि ठामक नीति-नियंता सेहो अक्सर इ पूछैत छथि जे अहां सब नेपाल कहिया गेलहूं? ओ कहलथि जे हम त नेपाल क भूमि पुत्र छी। तखन स ओहि ठाम रहि रहल छी जखन एक राष्ट्र क रूप मे नेपाल अस्तित्व नहि छल।
राजेंद्र महतो क मुताबिक मधेशी समुदाय क बीच कईटा राजनीतिक दल अवश्य सक्रिय अछि, लेकिन संविधान सभा मे ओ समुदाय क हित क लेल एकजुट छथि। चूंकि संविधान सभा क कार्यवाही मे राजनीतिक दल कए व्हिप जारी करबाक अधिकार नहि छैक ताहि लेल हुनका इ विश्वास छैन जे हम सब नव संविधान मे अपन भाषा आ संस्कृति कए संरक्षित करै वाला प्रावधान दर्ज कराबे मे सफल होयब। सुप्रीम कोर्ट क दिस स उपराष्ट्रपति परमानंद झा कए नेपाली भाषा मे फेर स शपथ लेबा लेल कहल गेला पर ओ कहैत छथि जे नव संविधान लिखैत काल हम इ सुनिश्चित करब जे मधेशी समुदाय क लोक अपन भाषा-हिंदी, मैथिली, भोजपुरी आ वेशभूषा मे कतहू कोनो काज करि सकय। ओ कहलथि जे हुनकर वेश भूषा धोती-कुर्ता छैन आ संविधान सभा मे हम सब हिंदी में बजैत छी। ओ उम्मीद जेतेलथि जे नव संविधान क अमल क संग मधेशी आ अन्य समुदाय क संग भ रहल भेदभाव क सिलसिला सेहो समाप्त होयत। हुनक कहब अछि जे नेपाल क सेना मे 93 हजार सैनिक अछि, मुदा मधेशी समुदाय क जवान एक फीसदी नहि अछि। ओ स्पष्ट केलथि जे नेपाल मे वंचित समुदाय क लेल आरक्षण सरीखी कोनो व्यवस्था कए अपनेबाक बजाय सब कए समावेशी उत्थान पर बल देल जा रहल अछि। हिनकर अनुसारे संविधान सभा क समक्ष यदि कोनो पेचीदा मसला अछि त ओ अछि इ जे नेपाल मे कतेक प्रांत बनाउल जाए आ ओकर आधार की हुए?
भारत-नेपाल क वाणिज्यिक संबंध पर चर्चा करैत राजेंद्र महतो कहला जे प्रधानमंत्री माधव कुमार नेपाल क भारत यात्रा एहि दिशा मे मील क पत्थर साबित भेल अछि। भारत नेपाल क तरक्की मे सहायक बनत। दूनू देश एहि दिशा मे बढि़ रहल अछि। ओ कहलथि जे नेपाल मे 83 हजार मेगावाट जल विद्युत उत्पादन क क्षमता अछि, लेकिन एखन नाम मात्र क बिजली पैदा भ रहल अछि। एहि दिशा मे एखन बहुत काज करबाक अछि।

Tags: BihardarbhangaIndiamaithilimithilanepal
ShareTweetPin

Related Posts

दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

दुबई घुमबाक क’ रहल छी प्लानिंग त’ अवश्य ल’ लिय इ इंश्योरेंस, नहि त’ बढ़त मोश्किल

September 3, 2020
Esamaad Epaper Website

नेपालक ओली सरकार लिपुलेखमे बटालियन तैनात कयलक, एहि यूनिटके भारतीय सेनाक गतिविधि पर नजरि रखबाक आदेश

September 2, 2020
दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

September 1, 2020
Indo China war, War in Border, Pangok Lake war

भारत-चीनक बीच फेर झगड़ा: पैंगोंग लेक लग चीनी सैनिक घुसपैठक प्रयास कयलक, सेना देलक मुंहतोड़ जवाब

August 31, 2020
ओमान क राजधानी मस्‍कट मे मनाओल गेल मैथि‍ली मिलन समारोह

ओमान क राजधानी मस्‍कट मे मनाओल गेल मैथि‍ली मिलन समारोह

September 16, 2019

बिहार-नेपाल बस सेवा शुरु

September 10, 2018
Next Post
Esamaad Epaper Website

नीतीश कए फंसेबाक साजिश छल

थर्मल पावर परियोजना बदलत सासारामक तकदीर आ तस्वीर

पटना मे खुलत राष्टीय राजमार्ग प्राधिकरण क क्षेत्रीय कार्यालय

Comments 2

  1. गजेन्द्र ठाकुर says:
    13 years ago

    बड्ड नीक प्रस्तुति। मोन प्रसन्न भए गेल।
    समाद मैथिलीक ऑनलाइन समाचारपत्रक रूप मे जे सेवा कए रहल अछि से
    लोकक मोनमे अंकित भए गेल अछि।

    Reply
  2. mk jha says:
    13 years ago

    bilkul sahi chhaik nepali wah j bharatak birodh karay.
    kiyak eyah rastriyata chhaik nahi jaien?

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि