• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

फेर जागल पेट्रो बिहार क उम्मीद

October 30, 2009
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

ongc
सरिता सुमन

पटना। पेट्रो बिहार क मरैत उम्मीद गुरुवार कए फेर जागल। राज्य सरकार तेल आ प्राकृतिक गैस क तलाश लेल ओएनजीसी (तेल एवं प्राकृतिक गैस आयोग) आ टीपीएल (टाटा पेट्रोडाइम लिमिटेड) क संग समझौता केलक अछि। एकरारनामा क अनुसार चंपारण (बेतिया) क 2227 वर्ग किलोमीटर क्षेत्र मे अगिला महीना स गहन सर्वेक्षण शुरू होएत। कंपनी क दावा अछि जे एहि बेर क तलाश मे दुनिया क सर्वोत्तम तकनीक क इस्तेमाल होएत। इ गप अलग अछि जे तेल पूर्णत: किस्मत क खेल अछि। एकरारनामा पर हस्ताक्षर क बाद खनन एवं भूतत्व विभाग क प्रधान सचिव फूल सिंह, ओएनजीसी क नरेंद्र कुमार वर्मा, टीपीएल क अंतनु गुहा संवाददाता स गप करि रहल छलाह। बीमार हेबाक कारण खनन आ भूतत्व मंत्री रामचंद्र सहनी नहि आएल छलाह। हुनकर लिखित भाषण मे आजुक दिन कए बिहार क लेल गौरवपूर्ण दिन बताउल गेल अछि। हुनकर अनुसार तेल आ प्राकृतिक गैस प्रदेश क विकास कए उंच उछाल देओत। एकटा सवाल क जवाब मे प्रधान सचिव आ ओएनजीसी क प्रतिनिधि स्पष्ट केलाह जे प्राकृतिक तेल आ गैस क तलाश बेहद मुश्किल भरल काज अछि। पिछला पचपन-साठ बरस स बिहार मे चल रहल कोशिश कए परिणाम तक नहि पहुंच कए दोसर अर्थ नहि अछि। हुनकर इ गप स सेहो इनकार रहल जे पूरा मनोयोग स तेल आ गैस नहि ताकल गेल। हुनकर अनुसार हम ‘बेस्ट टेक्नोलॉजीÓ क उपयोग क रहल छी। सर्वे क बाद उपलब्ध डाटा क अध्ययन आ ब्लॉक क मूल्यांकन क बाद 3500 मीटर गहिर कूप खोदल जाइत। दूनू चरण मे 50 से 100 करोड़ टका खर्च होबाक अनुमान अछि। दूनू कंपनी क भरोसा अछि जे बिहार भारत क तेल मानचित्र पर अपन स्थान प्राप्त करत।

Tags: bihar governmentnewsongcपटनापेट्रो बिहार
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

एमयू मे जुटताह 70 यूनिवर्सिटी क स्कॉलर

बाढ़ बदलि देलक खेल क रंगढंग

सोनपुर मेला मे पहुंचलाह रिकार्ड विदेशी पाहुन

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

by संपादक
May 31, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

डॉ सत्येन्द्र कुमार झा मैथिली गीतक सर्वाधिक लोकप्रिय हस्ताक्षर मैथिलीपुत्र प्रदीप आब एहि नश्वर संसारमे नहि छथि। चौरासी बरखक अवस्थामे...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि