• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home फीचर

बदलल रस्म ओ रिवाज, हरा गेल डोली-कहार

July 5, 2010
in फीचर
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला क धरती पर भेल छल होलिका क दहन

मिथिला क धरती पर भेल छल होलिका क दहन

March 11, 2021
New Maithili Poem, Samtal Prakash, Maithili Poem, Bihar, Bihar news, Bihar Khabar, Bihar Hindi news, Bihar lettest news, Bihar khabar, Bihar hindi news,

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

January 5, 2021

गयाक अलावा 55 तीर्थस्थल अछि पिंडदानक लेल शुभ

September 2, 2020
मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

August 27, 2020


मधुबनी। चलो रे डोली उठाओ कहार..गीत आब केवल ब्याह दिन बैंड पर बजैत अछि। आधुनिक युग मे मिथिला मे आएल सांस्कृतिक पतनक कारण आब कोनो दुहारि स डोली नहि उठैत अछि। धनीक स धनीक आ गरीब स गरीब लोक अपन बेटी-पुतहु कए मोटर स ल कए रिक्शा तक पर विदा करैत अछि। नवतुरिया त आब सिनेमा मे छोडि़ डोली कतहू नहि देखैत अछि। मिथिलाक एक-दू टा गाम छोडि़ कए कतहू डोली अर्थात खरखरिया देखबा मे नहि अछि। जाहि गाम मे अछि ओहि ठाम सेहो ओ जर्जर अवस्था मे अछि। दरअसल आब विवाह मे चलि रहल रस्म ओ रिवाज मे भारी बदलाव आबि रहल अछि। एकर पाछु बिहार स पलायन सेहो महत्वपूर्ण कारण मानल जा रहल अछि। जाहि प्रदेश स लोक बिवाह करबा लेल बिहार अबैत अछि ओकर संस्कृति एहि ठामक संस्कृति मे मिला दैत अछि। गाम हुए या शहर अपन संस्कृति कए त्यागि शान बढ़ेबा लेल नव-नव तरीके अपना रहल मिथिला समाज अपन जडि़ स कटल जा रहल अछि। गप मात्र डोली क नहि अछि आन रिवाज सेहो खत्म भ रहल अछि। आदिकाल स चलल आबि रहल रिवाज कए मानि हम सब दुनिया मे अपन अलग स्थान बनेने छी। एहि पर आइ सेहो शोध जारी अछि जे आखिर मिथिला मे विवाह क सफलता क राज की अछि। मुदा इ हाल रहल त जल्दहि हम सब ओहि भीड़ मे शामिल भ जाएब, जतय राति मे विवाह आ भोर मे तलाक भ जाइत अछि। हम लग्न के छोडि़ लगन मे विवाह करै लगलहुं, जखन कि मिथिलाक देखा-देखी अमिताभ बपन बेटाक विवाह लग्न देखी कए केलथि।
तहिना मिथिला संग पूरा भारत मे डोली आ पालकी जेकरा मिथिला मे हम सब खरखरिया आ सबारी कहैत छी, क समाज मे एकटा अलग महत्व अछि। राजा हो या रंक ब्याह क समय डोली आ पालकी मे बैसबाक रिवाज रहल अछि। हाईटेक युग मे लाख टका नाच गान पर खर्च करबा मे ककरो दिक्कत नहि अछि, मुदा कहार कए हजार टका देबा मे बटुआ खाली भ जाइत अछि। एकर कारण आइ डोली-पालकी आ कहार कहानी बनि कए रहि गेल अछि।
पहिने जतय ब्याह क बाद कनिया आ वर कए ल जेबा लेल दुहारि पर चारि टा कहार लाठी लकए ठार रहैत छल, आइ खटारा गाड़ी मे ड्राइवर बैसल नजरि अबैत अछि। कहबा लेल इ हमर आधुनिक सोच आ आर्थिक उत्थान कए देखा रहल अछि, मुदा असल मे इ हमर पिछड़ापन आ दिमागी तौर पर अंगाली कए देखा रहल अछि। राजस्थान मे जेकर दुहारि पर करोड़ टकाक गाड़ी लागल अछि ओ जखन विवाह लेल जाइत अछि त लाख टका खर्च करि घोडि़ मंगबैत अछि, दू डेग लेल लाख टका खर्च करैत अछि, मुदा करोड़ टकाक गाड़ी घोडि़क स्थान नहि ल पेलक, मुदा मिथिला मे हजार टका कहार कए नहि द खटारा गाड़ी पर चढ़बा स औकात बढि़ जाइत अछि। आइ स्थिति एहन अछि जे टका खर्च करबाक बावजूद कहार नहि भेट रहल अछि। किया कि जखन डोली या पालकी ककरो दरबाजा पर नहि अछि, त कहार कतय भेटत।
आई बरियाती क मायने बदलि गेल अछि। पहिने बरियाती मे शरबत चलैत छल आइ कोल्ड ड्रिंक्स या शराब तक परनेसल जा रहल अछि। गप आ ठहाकाक स्थान पर नाच शुरू भ गेल, एहि फूहड़ताक कारण बुजुर्ग बरियाती जेबा स तौबा करि रहल छथि।

Tags: Bihardilymadhubani
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला क धरती पर भेल छल होलिका क दहन

मिथिला क धरती पर भेल छल होलिका क दहन

March 11, 2021
New Maithili Poem, Samtal Prakash, Maithili Poem, Bihar, Bihar news, Bihar Khabar, Bihar Hindi news, Bihar lettest news, Bihar khabar, Bihar hindi news,

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

January 5, 2021

गयाक अलावा 55 तीर्थस्थल अछि पिंडदानक लेल शुभ

September 2, 2020
मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

August 27, 2020

ग्लोबल वार्मिंग स बचबाक अछि त मनाउ जुड़-शीतल

April 14, 2020
कविता: फैज अहमद फैजक ‘हमहीं ब्रह्म’ !

कविता: फैज अहमद फैजक ‘हमहीं ब्रह्म’ !

January 12, 2020
Next Post

माहि क विवाह

Esamaad Epaper Website

बिहार मे टीवी चैनल खोलताह धोनी

Esamaad Epaper Website

वाटर हार्वेस्टिंग तकनीक क गुरु अछि बिहार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

एकटा चूक स पिछडि गेल मधेपुरा

by संपादक
August 17, 2015
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि